• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

जर्जर हवाई अड्डा क सौंदर्यीकरण मे जुटल बिहार

April 18, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

बिहार मे अछि कुल 21टा छोट-पैघ हवाई अड्डा
तीनटा हवाई अड्डा वायुसेना क जिम्मा मे अछि
नौटा हवाई अड्डा जर्जर करार देल जा चुकल अछि
पांच टा हवाई अड्डा क अछि कच्चा रनवे
सबस पहिने भागलपुर हवाई अड्डा क सौंदर्यीकरण
मुजफ्फरपुर, मुंगेर आ रक्सौल सेहो अछि कतार मे

पटना/भागलपुर । बिहार क लोक लेल एकटा सुखद समाद। सड़क पर सरासर चलबाक आदत लगेलाक बाद बिहार सरकार अपन राज्यवासी कए आब आसमान मे उड़बाक सपना पूरा करेबा लेल सेहो योजना जमीन पर उतारि देलक अछि। बिहार सरकार अपन छोट-पैघ सबटा हवाई अड्डा क मजबूतीकरण आ सौंदर्यीकरण करेबाक फैसला केलक अछि। एकर शुरुआत अगिला सप्ताह स होएत। सबस पहिने भागलपुर हवाई अड्डा क सौंदर्यीकरण क कार्य शुरू भ रहल अछि। ज्ञात हो जे बिहार मे कुल 21टा छोट-पैघ हवाई अड्डा अछि। जे आजादी स पूर्व बनल अछि। एहि मे स तीनटा वायुसेना क जिम्मा मे अछि आ पांच टा रनवे कच्चा अछि। नौटा हवाई अड्डा मृत करार देल जा चुकल अछि आ एहि ठाम कोनो विमान वर्तमान अवस्था मे नहि उतारल जा सकैत अछि। एहि नौटा हवाई अड्डा क मौत उपेक्षाक कारण भेल अछि। एहन अप्राकृतिक मौत मुइल हवाईअड्डा मे डुंमरांव आ समस्तीपुर हवाईअड्डा शामिल अछि। आजादीक पूर्व बनल डुमरांव हवाई अड्डाक आब निशानी तक नहि अछि ओतहि 3000 फुट रनवेवाला समस्तीपुर हवाईअड्डा क निर्माण 1983 मे भेल, मुदा आइ एकर चारूकात मकान बनि चुकल अछि आ एहि ठाम छोट सन विमान तक नहि उतरि सकैत अछि। एहन हवाईअड्डा सबक उपयोग चुनावक दौरान नेता लोकनि करैत छथि।
बिहार मे महज चारिटा हवाई अड्डा चालू हालत मे अछि। बिहार सरकार आब सबटा हवाईअड्डा पर वायुसेवा क परिचालन संबंधि मूलभूत सुविधा उपलब्ध करेबा लेल काज शुरू क देलक अछि। बिहार उड्डयन विभाग क निदेशक कैप्टन दीपक कुमार उम्मीद स भरल बयान दैत कहैत छथि जे सरकार मानैत अछि जे बिहार मे अधिकतर हवाई अड्डा कए चहारदीवारी तक नहि अछि आ रनवे पर जानवर घुमैत देखाइत अछि। अधिकतर रनवे जर्जर हालत मे अछि। मुदा बहुत जल्द सरकार हवाई अड्डा कए घेरबा लेल काज शुरू करत आ जल्द राज्यक पांच टा कच्चा रनवे कए कंक्रीट मे बदलल जाएत। ओ कहला जे राज्यक पांचटा कच्चा रनवे दोसर विश्वयुद्ध क दौरान बनल अछि। इ रनवे सब जर्जर स्थिति मे अछि, मुदा छोट विमान उतारबा लेल एकर मरम्मत करबाक सिफारिश कैल गेल छल, मुदा सरकार मरम्मत क बदला मे ओकर मजबूतीकरण लेल कंक्रीटीकारण करत। श्री दीपक कहला जे मजबूतीकरण आ सौंदर्यीकरण क काज 22 अप्रैल स भागलपुर स शुरू होएत। भागलपुर क बाद मुजफ्फरपुर, मुंगेर आ रक्सौल क मजबूतीकरण आ सौंदर्यीकरण क काज शुरु होएत।
भागलपुर स भेटल सूचना क अनुसार भागलपुर हवाई अड्डा क रनवे क मजबूतीकरण लेल बरौनी स 50 फीसद अलकतरा मंगा लेल गेल अछि। एक करोड़ 33 लाख टका स एप्रोच रोड आ रनवे क मजबूतीकरण क काज शुरू भ रहल अछि। भवन निर्माण विभाग चारि मास पहिने वेटिंग लांज लेल राज्य सरकार लग 86 लाख क प्रस्ताव पठेने अछि। वेटिंग लांज क स्वीकृति एखन नहि भेटल अछि, ताहि लेल एकर निर्माण नहि होएत। एहि ठाम चारदीवारी क मरम्मत नहि भ रहल अछि मुदा चारदीवारी टूटला स रनवे पर भ रहल युवा स्टंट आ ड्राइविंग कोचिंग कए प्रतिबंधित क देल गेल अछि। रनवे की मजबूतीकरण पर 40 लाख टका क अलकतरा प्रयोग होएत। शेष 50 फीसद अलकतरा लेल बरौनी स्थित संबंधित कार्यालय कए कहल गेल अछि। हवाई अड्डा क जे वर्तमान स्थिति अछि ओकरा देखि लगैत अछि जे बहुत जल्द एहि ठाम स हवाई उड़ान संभव भ जाएत। ठेकेदार क कहब अछि जे एक मास क भीतर काज संपन्न क लेल जाएत।
आजादीक बाद उड्डयनक क्षेत्र मे बिहारक घोर उपेक्षा भेल आ राज्यक पटना कए छोडि कोनो आन शहर स वायुसेवा नहि शुरू भ सकल। लालू प्रसाद क कार्यकाल मे एहि दिस एतबा काज भेल जे ओ अपन गाम मे एकटा हेलीपैड क निर्माण करेलथि, मुदा ओ किछु दिन क बाद जर्जर भ गेल। बिहार लेल सबस बेसी उम्मीद तखन जगल जखन भागलपुरक सांसद शाहनवाज हुसैन उड्डयन मंत्री भेलाह आ बिहार लेल कईटा योजना तैयार केलथि। ओ सबस पहिने बोधगया स वायुसेवा शुरू केलथि। एहि प्रकार स बोधगया बिहारक दोसर एहन शहर भ गेल जाहि ठाम स राष्ट्रीय नहि बल्कि अंतरराष्ट्रीय स्तर पर विमान सेवा शुरू भेल। एहि ठाम स सेवा शुरू भेला स बिहार मे पर्यटकक संख्या मे भारी बढोतरी दर्ज कैल गेल। शाहनवाज बोधगया क बाद भागलपुर स वायुसेवा शुरू करबाक तैयारी पूरा क लेने छलाह, मुदा स्थानीय विधायक क विरोध क कारण हुनक सपना जमीन पर नहि उतरि सकल। भागलपुर क योजनाक असफलता क कारण हुसैन मुजफ्फरपुर आ बेगूसराय स विमान सेवा शुरू करबाक योजना छोडि भागलपुर लेल 70 सीटर विमान उतारबाक नव योजना तैयार करबा मे जुटि गेलाह, मुदा एहि योजना कए लागू हेबा स पहिने हुसैन क मंत्री पद चल गेल आ भागलपुर उपेक्षित रहि गेल। रेशम नगरीक उम्मीद एक बेर फेर जगल अछि। कोलकाता आ पटना कए एहि शहर स जोडबाक योजना अछि। जे बाद मे दिल्ली आ बनारस सन शहर स जुडि सकत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

कचरा प्रोसेसिंग प्लांट लेल आवेदन करू 30 तक

Esamaad Epaper Website

मिथिला क्षेत्र में बनत तीनटा नव औद्योगिक पार्क

Esamaad Epaper Website

34 ग्रामीण क्षेत्र बनत नगर निकाय!

Comments 2

  1. Santoshi Kumar says:
    10 years ago

    Nik aa sukhad samachar sangahi nik reporting.

    Reply
  2. dr dhanakar thakur says:
    10 years ago

    अंतर राष्ट्रिय मैथिली परिषद् किएक वर्षस ई मनाग करैत रहल अछि – नीक बात जे भागलपुर,मुजफ्फरपुर मुंगेर, रक्सौल(नेपाली मिथिलाक बीरगंजक योग स ई सफल होयत- तहिना यदि फारबिसगंज बनी जय त बिराटनगरक योग स) चालू भय सकत- दरभंगा आ चुनापुर(पुरना) वायुसेना क लग अछि जाकर जैसलमेर, बाड़मेर जनका जनता लेल सुविधा प्रदान कायल जाय से आवश्यक ..लागैत अछि आन में मधुबनी क बचोल जा सकैत अछि नहीं टी समस्तीपुर्क हाल भय जाय..

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि