• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

जलजमाव पर भेल दरभंगा मे एतिहासिक बैसार

April 16, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

नाली फेर बनत नाला, शहर होएत जल जमाव मुक्त

dar15दरभंगा : आखिरकार दरभंगा क चिंता सामूहिक रूप स देखबा लेल भेटल। जनप्रतिनिधि आ अधिकारी दरभंगा लेल एक ठाम बैसार केलथि आ शहर क 30 साल पुरान समस्या क निराकरण करबाक संकल्प लेलथि। इसमाद क मुहिम क असर त नहि कहब मुदा इ बैसार मुहिम क जीत जरूर कहल जा सकैत अछि। विधायक संजय सरावगी क मेहनत आ सांसद कीर्ति आजाद क इच्छा क बाद आखिरकार सोमदिन प्रमंडलीय मुख्यालय कए जलजमाव क समस्या स मुक्ति दियेबा लेल आयुक्त वंदना किनी क अध्यक्षता मे महत्वपूर्ण बैसार भेल। एहि बैसार मे जनप्रतिनिधि आ पदाधिकारी जलनिकासी लेल अल्प आ दीर्घकालीन योजना बनेबा लेल तैयार भेलथि। प्रथम चरण मे शहर क बंद पड़ल आ अतिक्रमित नाला क नापी ओकर उड़ाही आ नव नाला क निर्माण आओर दीर्घकालीन योजना क तहत मास्टर प्लान बनेबाक निर्णय लेल गेल।
करीब तीन घंटा तक चलल मैराथन बैसार मे सांसद कीर्ति आजाद, नगर विधायक संजय सरावगी, मेयर गौरी पासवान, जिला परिषद अध्यक्ष हरि सहनी, समस्तीपुर रेल मंडल क डीआरएम अरुण मलिक, डीएम कुमार रवि, डीडीसी सह प्रभारी नगर आयुक्त एचवाई रिजवी आदि अपन-अपन विचार रखलथि। डीआरएम रेलवे क हित कए रखैत शहर कए जलजमाव स मुक्ति दियेबा लेल हर संभव सहयोग क आश्वासन देलथि।
बैसार मे विधायक संजय सरावगी क एहि सुझाव कए स्वीकार क लेल गेल जे मनरेगा योजना क तहत बंद आ अतिक्रमित नाला क उड़ाही आ नव नाला क निर्माण कैल जाएत। प्रथम चरण मे कंगवा गुमटी स गोसाघाट तक बंद पड़ल नहर क उड़ाही, डीएमसीएच स छपरारघाट तक बंद पड़ नाला क सफाई, लहेरियासराय चट्टी चौक स कमलामंडप तक नाला क उड़ाही, रेलवे क सहमति पर दोनार गुमटी स लाइन क कात-कात नाला क निर्माण, दोनार स धोई घाट पुल तक पक्का नाला निर्माण, दोनार पेट्रोल पंप लग बंद पड़ल नाला क उड़ाही, सैदनगर स बागमती नदी तक बंद पड़ल नाला क सफाई, बागमती नदी लग स्लूईस गेट क निर्माण आदि क निर्णय लेल गेल। आयुक्त बंद पड़ल नाला कए अतिक्रमणमुक्त करेबाक निर्देश एडीएम आ सदर एसडीओ कए देलथि अछि। बैसार मे इ गप सेहो उठल जे डीएमसीएच स छपरारघाट तक गेल नाला क निर्माण कार्य रसूलपुर पंचायत मे जमीन मालिक कए मुआवजा नहि भेटलाक कारण स रुकल अछि। आयुक्त जिला पदाधिकारी कुमार रवि कए मुआवजा क दिशा मे कार्रवाई करबा लेल कहलथि। डीआरएम अरुण मलिक बैसार मे कहला जे नाला निर्माण क मार्ग प्रशस्त करबा लेल 17 अप्रैल कए रेलवे क अभियंता ट्राली स रेलवे लाइन क निरीक्षण करताह।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

जर्जर हवाई अड्डा क सौंदर्यीकरण मे जुटल बिहार

Esamaad Epaper Website

कचरा प्रोसेसिंग प्लांट लेल आवेदन करू 30 तक

Esamaad Epaper Website

मिथिला क्षेत्र में बनत तीनटा नव औद्योगिक पार्क

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि