• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

जल्‍द खत्‍म होएत बिहार मे बिजली संकट

May 31, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। एनटीपीसी क कहब अछि जे बिहार मे बिजली संकट आब बेसी दिन नहि रहत। बिहार मे निर्माणाधीन विद्युत परियोजना क जायजा लेबा लेल आयल एनटीपीसी क अध्यक्ष सह प्रबंध निदेशक अरुप राय चौधरी कहला जे अगिला पांच साल मे बिहार मे 8500 मेगावाट बिजली क उत्पादन होएत, जाहि मे स अधिकतर बिजली बिहार कए उपलब्‍ध होएत।
औरंगाबाद जिला मे नबीनगर स्थित निर्माणाधीन दूटा बिजलीघर क कार्य प्रगति क जायजा लेलाक बाद पत्रकार स गप करैत चौधरी कहला जे बाढ़, कांटी आ नबीनगर मे निर्माणाधीन परियोजना कए पूरा भ गेलाक बाद बिहार मे बिजली संकट इतिहास भ जाएत। एहि सब ठाम स 8500 मेगावाट बिजली क उत्पादन होएत। चौधरी नबीनगर क भारतीय रेल बिजली कंपनी लिमिटेड आ नबीनगर पावर जेनेरेटिंग कंपनी लिमिटेड क निर्माणाधीन परियोजना क कार्य क प्रगति क जायजा लेलथि। ओ कहला जे भारतीय रेल बिजली कंपनी लिमिटेड लेल 1597 एकड जमीन मे स मार्च 2012 तक कुल 1328 एकड जमीन क अधिग्रहण भ चुकल अछि। शेष जमीन क सेहो सितंबर 2012 तक अधिग्रहण भ जाएत।
दोसर दिस बिहार मे सुचारू बिजली आपूर्ति लेल सरकारी प्रयास जमीन पर आबि रहल अछि। एक जुलाई 2012 कए बिहार राज्य विद्युत बोर्ड क विखंडन भ जाएत। सरकार एकरा लेल अधिसूचना जारी क देलक अछि। एकर संगहि राज्य मे विद्युत व्यवस्था कए देखबा लेल गठिन पांचटा नव कंपनी अपन काज शुरू क देत। एहि दिशा मे ऊर्जा विभाग आ विद्युत बोर्ड क उच्च प्रबंधन काज सेहो शुरू क देलक अछि। ज्ञात हुए जे पिछला साल राज्य मंत्री परिषद बिहार विद्युत बोर्ड कए विखंडन क संग-संग पांचटा नव कंपनी क गठन कए मंजूरी देने छल। एकर बाद मार्च मे नव कंपनी क सीमएडी आ ओकर निदेशक मंडल क गठन भेल छल। नव कंपनी क पूंजी पर सरकार हाल मे नियंत्रक आ महालेखाकार कए पत्र पठेने छल। एहि संबंध मे सूत्रक कहब अछि जे सीएजी (कैग) नव कंपनी कए पूंजी पर कई तरह क सवाल ठार क आपत्ति जता देने छल। खास क कंपनी पर भेल खर्च पर सीएजी असहमत छल, बावजूद एकर बिहार विद्युत बोर्ड क बंटवारा तय भ गेल। आब एक जुलाई स बिहार स्टेट पावर (होल्डिंग) कंपनी लिमिटेड, बिहार स्टेट पावर ट्रांसमिशन कंपनी लिमिटेड, बिहार स्टेट पावर जेनरेशन कंपनी लिमिटेड, साउथ बिहार पावर डिस्ट्रीब्यूशन कंपनी लिमिटेड आ नार्थ बिहार पावर डिस्ट्रीब्यूशन कंपनी लिमिटेड काज शुरू क देत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

दरभंगा टावर कए भेटत नव जीवन

कोसी क्षेत्रक इंफ्रास्ट्रक्चर पर खर्च होएत लगभग 400 करोड़ : नरेंद्र

'पालिटिकल तंदुर' मे 'ब्‍लड ब्रेड'

Comments 1

  1. dr dhanakar thakur says:
    11 years ago

    Kaanti aa Baruni thermal k kharab haal achhi aa bina ohi par hyan dene nab thermal Naveenagar aa Bardh me lagenaai Mithilak prati upeksha dekhbait acchi aa Patniya netak apan kshetramoh aa Mithilk netak supt awsthame vikask swpn..

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि