• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home चित्रालय

जून स शुरू होएत देखनुक पटनाक काज

April 27, 2013
in चित्रालय
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

Esamaad Epaper Website

हंसी ठीठौली

July 30, 2018

फेर एक बेर नीतीश कुमार

November 20, 2015

वैवरेंट दरभंगा क सफल आयोजन

November 29, 2013

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

August 21, 2013
Picture1

रिवर सिटी, गंगावे, संग्रहालय स भेटत इंटरनेशनल लुक
प्रीतिलता मल्लिक
पटना । पहिल बेर पटना मे तीन दिवसीय इंडियन बिल्डिंग कांग्रेसक आयोजन कैल गेल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकर उद्घाटन करैत कहला जे बिहार मे विकास क काज ठमकल छल। आब बहुत किछु बनेबाक अछि, जे बनत से सबस नव तकनीक स बनत। ओ कहला जे पर्यावरण क हित आ भूकंपरोधि भवन पर विशेष ध्यान देल जाए। मुख्यमंत्री कहला जे आब एहन भवन बनेबा दिस हमरा सब कए जेबाक चाही जेकरा सिग्नेचर बिल्डिंग कहल जा सकए। दू दिनक एहि सम्मेलन मे बिहार क इंजीनियर बाढ आ भूकंपरोधी भवन क निर्माण क गुर सीखताह। इ कांग्रेस एहन समय मे भ रहल अछि, जखन पटना मे विश्ववस्तरीय रिवरसिटी, गंगावे और चारिटा विशेष भवन क निर्माण कार्य शुरू भ रहल अछि। कांग्रेस मे बिल्डिंग निर्माण क तकनीक पर जे मंथन होएत, ओहि स निश्चित रूप स राजधानी कए अंतरराष्ट्रीय लुक देबा मे मदद भेटत।
जून मास स पटना क स्वरूप बदलबाक काज शुरू भ जाएत। दिल्ली आ मुंबई स आधुनिक, रायपुर स सुंदर रिवरसिटी क परिकल्पना एहि साल क अंत तक जमीन पर उतारबाक प्रयास शुरू भ गेल अछि। गंगा क कछैर मे प्रस्तावित रिवर सिटी गंगावे क निर्माण क संग संग विकसित होएत। विख्यात वास्तुकार हाफीज कांट्रेक्टर क तैयार कैल डिजाइन पर सरकार सैद्धांतिक सहमति द देलक अछि। पूर्णत: निजी निवेश स तैयार भ रहल रिवरसिटी लेल किसान स जमीन लेबाक कोनो जरुरत नहि पडत। गंगाक कछैर मे एकरा लेल प्रयाप्त जमीन अछि। संगहि गंगा मे बनल डेल्टा क उपयोग सेहो कैल जाएत। निश्चित रूप स इ पटना कए इंटरनेशनल लुक प्रदान करत।
ओना सरकार सेहो मुख्य सड़क बेली रोड पर तीनटा भव्य भवन क निर्माण शुरू क रहल अछि। अंतरराष्ट्रीय संग्रहालय क निर्माण करीब 500 करोड क लागत स भ रहल अछि, जे 2015 मे तैयार भ जाएत। बिहार दिवस क मौका पर मुख्यमंत्री एकरा राज्य कए सर्मपित करताह। आयकर गोलंबर लग सात मंजिला नियोजन भवन क निर्माण सेहो जून मे शुरू भ जाएत। एहि सडक पर ग्रीन पुलिस मुख्यालय क सेहो निर्माण होएत। एकर औपचारिकता पूरा क लेल गेल अछि। एकर संगहि राजधानी मे गंगाकात गंगावे क निर्माण सेहो जून स शुरू भ जाएत, संगहि एहि गंगावे स सटल इंटरनेशनल कन्वेंशन सेंटर क निर्माण सेहो जून स शुरू भ जाएत। एहि मे पांच हजार लोकक बैसबाक व्यवस्था होएत। एहि लेल गांधी संग्रहालय स मगध महिला कॉलेज क बीच जमीन समतल कैल जा रहल अछि। नव विधानसभा भवन आ विधायक क लेल डुप्लेक्स बंगला क सेहो निर्माण जून क बाद शुरू भ जाएत। एकर निर्माण पर एक हजार करोड स बेसी खर्च होएत। सरकार निर्माण कार्य कए अंतरराष्ट्रीय लुक देबा लेल विश्वस्तरीय डिजाइन तैयार करबेलक अछि। निर्माण कार्य क नोडल एजेंसी भवन निर्माण विभाग कए बनाउल गेल अछि।
विधायक भवन
एरिया- 43 एकड.,
लागत -276 करोड.
निर्माण अवधि -24 माह
की-की होएत : दू मंजिला भवन, 50 विधायक हॉस्टल आ 30 विधान पार्षद लेल हॉस्टल। चहारदीवारी क भीतर-लौंड्री, मेंटेनेंस सर्विस ब्लॉक, पुलिस पोस्ट., सडक, पार्क,

इंटरनेशनल कन्वेंशन सेंटर
एरिया – 12 एकड.,
लागत-313.24 करोड.
निर्माण अवधि -30 महीना
की-की होएत : पांच हजार सीट क आॅडिटोरियम, बेसमेंट मे पार्किंग, आठ सौ लोक क क्षमतावाला प्लेनरी हाल,सभ्यता पार्क, सभ्यता द्वार, सडक, चहारदीवारी, बहुउद्देशीय ज्ञान भवन, सीवरेज ट्रीटमेंट प्लान, सीसीटीवी, फायर डिटेक्शन आ फायर अलार्म।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

Esamaad Epaper Website

हंसी ठीठौली

July 30, 2018

फेर एक बेर नीतीश कुमार

November 20, 2015

वैवरेंट दरभंगा क सफल आयोजन

November 29, 2013

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

August 21, 2013

वाह रे तोहर भाग्य, वाह रे हम्मर भाग्य

August 14, 2013

किछु एहन होएत नालंदा विश्वविद्यालय

May 18, 2013
Next Post
Esamaad Epaper Website

रैयाम मे डिस्टीलरी फैक्ट्री क शिलान्यास

Esamaad Epaper Website

बिहारक दूनू रेल इंजन परियोजना कए मंत्रिमंडल क मंजूरी

Esamaad Epaper Website

बिहार मे साख जमा अनुपात पहिल बेर गेल 40 प्रतिशत क पार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि