पटना । केंद्र सरकार 15 नवम्बर,2000 स पहिने सेवानिवृत भेनिहार कर्मचारी क पेंशन मद मे बिहार क करीब 2584 करोड टका भुगतान करबाक आदेश झारखण्ड कए देलक अछि। केंद्रीय गृह विभाग दिस स जारी भेल आदेश स झारखण्ड कए एकटा पैघ झटका लागल अछि।
झारखण्ड शुरू स जनसँख्याक आधार पर कर्मचारी क पेंशन बंटबाक मांग करैत आबि रहल छल, जखनकि बिहारक मांग अछि जे कर्मचारी क बँटवारा क अनुपात मे पेंशन क बंटवारा हुए। झारखण्ड क मुख्यमंत्री अर्जुन मुंडा एही बाबत पीएम् कए चिट्ठी सेहो लिख चुकल छथि।
गृह मंत्रालयक आदेश मे कहल गेल अछि जे देनदारी क समायोजन 31 मार्च 2011 स पहिने करि लेबाक छै। एही मद मे झारखण्ड सरकार क 2584 करोड़ टका क्षतिपूर्ति देबाक आदेश देल गेल छल। ई आदेश 25 सितम्बर कए गृह मंत्रालय क संयुक्त सचिव बिहार पुनर्गठन एक्ट 2000 कए आठम अनुसूची क धारा 53 क तहत कैल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna