• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

टाउन प्लानर बिना कोना सुधरत शहरक संरचना

January 9, 2014
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना: राजधानी पटना समेत बिहार क शहर कए सुंदर आ सुव्‍यवस्थित करबा लेल सरकार लंबा लंबा दावा करैत अछि, मुदा सच इ अछि जे सरकार लग कोनो टाउन प्‍लानर नहि अछि। जानकारक कहब इ अछि जे 1982 स 1994 तक राजधानी पटना क टाउन प्लानर रहलाह एसके सिन्हा । एहि संबंध मे सिन्हाक कहब अछि जे पटना मे 15 साल स कियो टाउन प्लानर नहि अछि। एकर स्‍थान पर सरकार आ निगम कंसल्टेंट रखने अछि। कंसल्टेंट क कारण आइ शहरी व्‍यवस्‍था मे अराजकता फैइल गेल अछि। आब त नक्शा बनेनिहार सब नक्शा पास करैत छथि। एहि एक मात्र उदाहरण स अहां कोनो टाउन क हाल बुझि सकैत छी। पहिने नगर निगम मे टाउन प्लानिंग एकटा पैघ विभाग होइत छल। आइ इ विभाग तकला स नहि भेटत। प्लानिंग क तहत बनल पटनाक पीसी कॉलोनी, कंकड़बाग, राजेंद्र नगर, एसके पुरी आदि मे एखनो परेशानी कम अछि। इतिहास देखी त वर्तमान पटनाक आधारभूत संरचना 1961 क आधार पर बनल अछि। एहि शहर कए अंतिम मास्टर प्लान 1961 मे बनाउल गेल छल। इ मास्टर प्लान 1981 तक मान्य रहल। आब सवाल उठैत अछि जे 1980 क बाद जे पटनाक विकास भेल ओकर आधार की छल। पिछला 40 साल पूर्व बनल बिल्डिंग बायलॉज क आधार पर राजधानी मे भवन निर्माण होइत रहल। तखन 10 लाख आ एक लाख क आबादी पर आवासीय भूखंड क निर्धारण आ भवन क आकार-प्रकार क निर्धारण कैल गेल छल। कहबा लेल 1985 मे सेहो एकटा मास्टर प्लान आयल मुदा एहि मे किछु एहन परिवर्तन क देल गेल जहि स इ प्रभावी नहि भ सकल। फेर त भवन क निर्माण मे जे अराजकता शुरू भेल से सबहक समक्ष अछि। लाख चाहलाक बावजूद नीतीश सरकार सेहो एकरा रोकि नहि पाबि रहल अछि। टाउन प्लानिंग पर काज कोना होएत एहि सवाल पर सिन्‍हा कहलथि जे जखन टाउन प्लानर नहि रहत त बेतरतीब शहर बसबे करत। अपन कार्यकाल क चर्चा करैत सिन्हा कहलथि अछि जे तखन टाउन प्लानर क अनुमति क बिना मकान बनेबा लेल कियो साचि नहि सकैत छल, मुदा आइ राज्य क जिला मुख्यालय स लकए नगर निगम क क्षेत्र मे जेना मकान बनि रहल अछि एहि स भविष्य मे आओर परेशानी बढ़त। सिन्हा कहला जे शहर कए बचेबा आ सुंदर बनेबा लेल उत्तर आ दक्षिण बिहार लेल एक-एकटा टाउन प्लानर क संगहि एहि विभाग कए पुनर्जीवित करबाक चाही। अन्यथा बिल्डिंग बायलॉज बनेला मात्र स शहर क सूरत बदलत इ सोचब मूर्खता अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

दुस्साहस क एक डेग आओर

Esamaad Epaper Website

शुरू भेल ऐतिहासिक बलिराजगढ़ क खुदाई

Esamaad Epaper Website

मोकामा में बनत पहिल निजी औद्योगिक परिसर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि