पटना। महात्मा गांधी सेतु पर टॉल टैक्स खत्म भ गेल। केंद्रीय सड़क आ राजमार्ग मंत्रलय एकर वसूली बंद करि देलक। पथ निर्माण विभाग एकर अधिसूचना जारी करि देलक। इ जानकारी पथ निर्माण सचिव प्रत्यय अमृत देलथि अछि। पथ निर्माण मंत्री नंद किशोर यादव एकरा लेल तीन मास पहिने केंद्रीय सड़क आ राजमार्ग मंत्रलय कए पत्र लिखने छलाह। गांधी सेतु क निर्माण पर 82 करोड़ टका खर्च भेल छल, जखनकि एकर टॉल टैक्स क रूप मे एखन धरि 167 करोड़ टका स बेसीक वसूली भ चुकल अछि। टॉल टैक्स क वसूली पिछला किछु साल स पुल निर्माण निगम क रहल छल। निगम कए सालाना आठ करोड़ टका टॉल टैक्स क वसूली क रूप मे राजमार्ग मंत्रालय कए देबाक छल।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper