तारडीह (दरभंगा)। बिहार राज्य पुल निर्माण निगम क सचिव प्रत्यय अमृत प्रखंड क्षेत्र क ठेंगहा मे कमला नदी पर प्रस्तावित पुल निर्माण स्थल क निरीक्षण केलथि। जदयू नेता आ पूर्व विधान पार्षद संजय झा सेहो हुनकर संग छलाह। इ पुल बनि गेला स दरभंगा, मधुबनी सहित कईटा जिला क दूरी कम भ जाएत। एहि स लोक मे खुशी व्याप्त अछि। पुल क प्रस्तावित निर्माण क स्थल निरीक्षण करबा लेल पहुंचल अमृत कहला जे पुल निर्माण क तिथि एखन तय नहि भेल अछि मुदा संभावना अछि जे नदी मे जलस्तर घटला पर निर्माण कार्य शुरू भ जाएत। वर्तमान मे ठेंगहा गाम मे कमला नदी पर पुल नहि रहला स लोक कए काफी परेशानी होइत छैक। ठेंगहा गाम स करीब पांच सौ फीट पर पूर्व मे कमला नदी पर पुल छल, जे वर्ष 1987 क बाढ़ मे ध्वस्त भ गेल। तहिया स आवागमन क समस्या बढि गेल अछि। जदयू नेता संजय झा कहला जे ओ जखन रसियारी पुल क निरीक्षण लेल एहि ठाम आयल छलाह तखन किछु लोक ठेंगहा घाट पर पुल निर्माण क मांग रखने छलाह। ओ तखने पुल निर्माण क आश्वासन देने छलाह। ओ कहला जे पुल निर्माण शीघ्र शुरू होएत। एहि पुल क निर्माण पर 25 करोड़ टका खर्च होएत। पुल बनला स दरभंगा, मधुबनी, सुपौल, पूर्णिया, किशनगंज, कटिहार आदि जिला क देरी कम भ जाएत। श्री झा कहला जे इ पुल मिथिला क लोक लेल अत्यंत लाभकारी साबित होउत संगहि कईटा जिला कए सीधा जोडत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna
Bahut neek samaad.
नीक, प्रसंशनिय आ खुशीक गप्प ।