• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

डागर क सुर आ मल्लिक क धमाल पर झुमि उठल दरबार हॉल

February 18, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा । तीन दिनी ध्रुपद धाम कार्यक्रम रविदिन समापन भ गेल । तेसर आ अंतिम दिन दरबार हॉल मे ध्रुपद क दूटा प्रमुख घराना क एहन प्रस्‍तुति भेल जे दर्शक चमत्‍कृत भ झूमि उठलाह । डागर घराना क फैयाज वसीफुद्दीन डागर आ दरभंगा घराना क प. प्रेमकुमार मल्लिक क प्रस्‍तुति ध्रुपद नहि बुझनिहार कए सेहो झुमा देलक। डीडी भारती स जीवंत प्रसारण आ खराब मौसम क बावजूद दरबार हॉल मे भीड एतबा भ गेल छल जे सबटा केबार खोलि देल गेल आ लोक बाहर मे ढार भ संगीत क रसपान करैत रहलाह।
राजस्‍थान गौरव सम्‍मान सन कईटा सम्‍मान पाबि चुकल फैयाज वसीफुद्दीन डागर अपन गायन स सबहक मन झंकृत क देलथि। ध्रुपद सन कठिन गायन कए जाहि सहज तरीका स ओ प्रस्‍तुत केलथि ओ अदभुत कहल जा सकैत अछि। दरभंगा मे अपन पहिल प्रस्‍तुति दैत फैयाज वसीफुद्दीन डागर राग बागेश्री मे अलाप लेलथि आ नंद के नंदन…बंदिश गौलथि। चौताल मे निबद्ध एहि बंदिश क दौरान दरबार हॉल मे बैसल दरभंगा क कला मर्मज्ञ दर्शक सेहो अपन थोपरी क आवाज पखावज संग मिला फैयाज वसीफुद्दीन डागर कए अचंभित क देलथि ।
एहि स पूर्व तेसर दिन क शुरुआत किछु कमजोर गायन स भेल । दरभंगा घराना क उदय कुमार मल्लिक क गायन मे कोनो खास गप नहि देखबा लेल भेटल। ओ राग भीम सरज क बंदिश सुजश सुनि आवो…प्रस्‍तुत केलथि । दरभंगा घराना क एकटा आओर गायक राधागोविंद दास एहि तीन दिनी कार्यक्रमक सबस कमजोर प्रस्‍तुति देनिहार छलाह । हिनक गाउल राग यमन क बंदिश चलहि राधे सुजान…काफी कमजोर रहल । हिनक अलाप क संधान मे सेहो दिक्‍कत देखा रहल छल। बंदिश गेबा काल एकाग्रता आ तल्‍लीनता नहि आबि रहल छल । हिनक प्रस्‍तुति कार्यक्रम क गंभीरता स मेल नहि खा रहल छल ।
उदय आ राधागोविंद क कमजोर प्रस्‍तुति आ फैयाज वसीफुद्दीन डागर क बेमिशाल प्रस्‍तुति क बाद कार्यक्रमक अंतिम प्रस्‍तुति ल मंचासीन भेलाह दरभंगा घराना क प. प्रेम कुमार मल्लिक । ध्रुपद क राजकुमार नाम स सम्‍मानित प. प्रेम कुमार मल्लिक क गायन अद्वितीय रहल। प. विदुर मल्लिक क पुत्र पं रामकुमार मल्लिक कए मंच पर स्‍वर सहयोग द रहल छलाह प्रशांत मल्लिक । प. प्रेम कुमार मल्लिक पहिने राग जै जैवती मे अलाप लेलथि, फेर एहि राग क बंदिश मोर मुकुट..सुनेलथि । बंदिश क बाद जखन ओ धमाल खेलत होरी ब्रज की गोरी शुरू केलथि त दरबार हॉल उछलि पडल। पहिल कतार मे बैसल फैयाज वसीफुद्दीन डागर समेत पूरा दरबार हाल वाह-वाह कही उठल । प. प्रेमकुमार मल्लिक क एहि गायन स जतए दरबार हॉल फगुआ मे रंगा गेल ओतहि हुनक भाल पर लागल सिंदुर पिघली टपकैत रहल ।
करीब 30 साल बाद दरबार हॉल मे भेल इ कार्यक्रम कई प्रकार स सफल रहल । दरबार हॉल स पहिल बेर जीवंत प्रसारण भेल जे दुनिया भरिक लोक अपन अपन घर मे बैस देखलथि । दरभंगा क कला मर्मज्ञ दर्शक सेहो मौसम खराब भेलाक बावजूद अपन उपस्थिति दर्ज करेबा मे पाछु नहि रहलथि । दरबार हॉल मे लागल इ मूर्ति अपन साज लगातार बजेबाक मनोरथ रखनिहार दरभंगाक कलाकार क द्योतक अछि। दूरदर्शन पटना क तत्वावधान मे विदुर मल्लिक संगीत अकादमी इलाहाबाद आ कासिदं संस्कृत विवि, दरभंगा क सहयोग स तीन दिनी ध्रुपद धाम कार्यक्रम क तेसर आ अंतिम दिन क कार्यक्रम क उपरांत दरबार हॉल क रोशनी धीरे-धीरे मध्‍यम होइत गेल। ध्रुपद धाम कार्यक्रम क जरूर समापन भेल, मुदा दरबार हॉल में जे सुर आ ताल क गूंज उठल अछि ओ सतत कायम रखबा लेल हमरा सब कए सजग रहबाक आवश्‍यकता अछि। कार्यक्रम क समापन क बाद एकटा कलाकार दर्शक स कहलथि -खूब जमल रंग जखन संग भेलहुं हम, अहां आ दरबार हॉल। उम्‍मीद कैल जाए फेर एहिना सजत दरबार हॉल। आउ, दरभंगा, ध्रुपद आ कलाकार क लेल दरबार हॉल कए फेर सजेबाक प्रयास मे जुटी ।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

नालंदा क समतुल्‍य होएत बलिराजगढ

Esamaad Epaper Website

राज पुस्‍तकालय क अंशमात्र देख अचंभित भेलाह वर्मा

Esamaad Epaper Website

छी,छी....लाट साहेब

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि