• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

डीएमसीएच मे शुरू भेल बिहार क पहिल आ पूर्वोत्तर क दोसर बायोसेफ्टी लेवर तीन लैब

July 15, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

दरभंगा । करीब सवा सौ साल पहिने संयुक्त बिहारक दोसर आ बिहार क सबस पैघ अस्पताल दरभंगा मे खुलल छल। एकर बाद दरभंगा चिकित्सा क्षेत्र मे पूर्वोत्तर भारत क इतिहास मे धुमिल रहल। मुदा एक बेर फेर दरभंगा अपन इतिहास दोहरा देलक अछि। डीएमसीएच क विकास मे एकटा आओर अध्याय जुटि गेल। दरभंगा मेडिकल कॉलेज और अस्पताल आब राज्य क पहिल आ पूर्वोत्तार भारत क दोसर बायोसेफ्टी लेवर तीन युक्त अस्पताल भ गेल अछि। एहि मे मेडिकल साइंस कए एकटा नव आयाम भेटत। रोग क वायरस क पहचान लेल आब नमूना कए पूणे पठेबाक जरूरत नहि रहल। आब कतहु कोनो महामारी भेला पर एहि मेडिकल कालेज क बायरोलोजी यूनिट मे मरीज क खून क नमूने क जांच संभव भ गेल अछि। एकर निर्माण पर कुल पांच करोड़ स बेसी खर्च कैल गेल अछि। एहि बीएसएल तीन स मरीज टा नहि बल्कि  शोध छात्र कए सेहो लाभ भेटत। पीजी छात्र एहि लैब मे वायरस पर शोध क सकताह आ राज्यक छात्र कए आब एहन शोध लेल बाहर जेबाक मजबूरी नहि रहल। एहि लैब मे एचआईवी, डेंगू, चिकेनगुनिया, स्वाइन फ्लू, एचबीवी, एचसीवी, सीएमवी, एचएसवी, जेई आदि रोग क वायरस क पहचान आसानी स भ सकत। राज्य मे एहन लैब नहि रहला स कईटा  बीमारी क समय पर पता नहि चलैत छल आ रोगी बेमौत मारल जाइत छल। माइक्रोबायोलॉजी विभाग मे वायरोलॉजी लैब मे वायरस क इंटरनल पहचान जारी अछि। मरीज क खून क नमूना क जांच तीन माह क भीतर शुरू भ जाएत। लैब कए पीसीआर, बायोसेफ्टी केबिनेट, डीएनए एलेक्ट्रोफोरेसिस, जेल इक्यूमेंटेसन सिस्टम, इन्क्यूबेटर आदि अत्याधुनिक मशीन उपकरण स सुसज्जित कैल गेल अछि। दरभंगा क अलावा एहन लैब  पूर्वोत्तार भारत मे केवल गुवाहाटी मे अछि। बिहार मे इ पहिल छी। एहि लैब लेल माइक्रोबायोलोजी विभाग क डा. यशवंत कुमार सिंह आ डॉ. कन्हैया झा गुवाहाटी स प्रशिक्षण लकए एलाह अछि। दिल्ली स आयल इन्विजन बायोटेक क विशाल वर्मा लैब क विभिन्न पहलु क जानकारी देलथि अछि। लैब क शुभारंभ भेला पर प्राचार्य डॉ. एसएन सिन्हा, माइक्रोबायोलॉजी विभाग क अध्यक्ष डॉ. एसपी महतो, पैथोलोजी विभाग क अध्यक्ष डॉ. अमित कुमार चौधरी मौजूद छलाह।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार विवि कए 13.72 करोड़

Esamaad Epaper Website

एहन राजनीति स विकास कोना होएत

Esamaad Epaper Website

कीर्ति करताह गुंडागर्दी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

बेसी पढ़ल गेल

दरभंगाक रंगमंचक अन्हार दुर कए रहल छथि‍ प्रकाश

by संपादक
December 22, 2017
0

Read more

तिरहुतक पहिल कारोबारी शहर छल नाथपुर

by संपादक
March 15, 2018
0

Read more

अध्यात्मिक और शैक्षणिक दृष्टिकोण सँ प्रख्यात रहल अछि लोहना पाठशाला 

by संपादक
September 4, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि