पोखरि लेल सबस पैघ योजना पर काज भेल शुरू
दिल्ली क एकॉन कंपनी बना रहल अछि डीपीआर
दरभंगा । चुनावक एहि मौसम मे बहुत बाहरी लोक सब दरभंगा पहुंच रहल अछि । नेता और अभिनेता क बीच एकटा एहनो टोली दरभंगा पहुंचल अछि जेकरा चुनाव स कोनो संबंध नहि अछि । मुदा इ टोली सेहो दरभंगाक लोक कए एकटा सपना देखा रहल अछि । सब कुछ ठीक रहल त अगिला किछु साल में दरभंगा स लहेरियासराय वोट चला कए पहुंचब संभव भ जाएत । शहरक प्रसिद्ध हराही, दिग्घी आ गंगासागर कए जोडबा लेल बनल प्रस्ताव कए मूर्त रूप देबा लेल काज शुरू भ गेल अछि ।नगर विकास विभागक निर्देश पर दिल्ली स्थित एकॉन कंपनीक इ प्रतिनिधिमंडल पिछला सप्ताह दरभंगा पहुंचल । एकरा अगिला मास तक संपूर्ण परियोजना रिपोर्ट (डीपीआर) सरकार कए सौंपबाक अछि । स्थनीय विधायक संजय सरावगी क एकटा आर प्रयास सफल होइत देखा रहल अछि । एहि परियोजना पर मिथिला में एखन धरिक सबसे पैघ राशि खर्च हेबाक अछि । एकॉन क प्रतिनिधिमंडलक सदस्य बीके सिन्हा कहला जे पोखरिक जल कए साफ करबा लेल एक स दू फुट गाद कए निकालबा प्रस्ताव अछि, संगहि तीनू पोखरिक जल ऐना रिफाइंड कैल जाएत जे ओ ब्लू कलर मे देखबा लेल भेटत । तीनू पोखरि कए जोड़बा लेल 40 स 60 फुट चौड़ा केनाल बनाउल जाएत, जाहि स मोटर वोट आसानी स एक पोखरि स दोसर पोखरिक बीच जा सकत । केनाल क ऊपर दू ठाम पुल बनाउल जाएत जाहि स शहरक यातायात प्रभावित नहि होएत । प्रस्ताव क अनुसार तीनू पोखरि कए जोड़बाक संगहि
पोखरिक कैछर में घाट, महार पर टहलबा लेल बाट, चारूकात रोशनी, बच्चा लेल पार्क आ शौचालय सन किछु मूलभूत सुविधाक सेहो व्यवस्था कैल जाएत । प्रतिनिधिमंडलक एकटा सदस्य कहला जे इ परियोजना तैयार भेलाक बाद दरभंगा देश में पोखरिक जलक्रीड़ा लेल प्रसिद्ध भ जाएत । तीन किमी स लंबा एहि जल मार्ग पर वोटिंग क ओहने आनंद भेटत जेखन नदी बा समुद्र मे भेटैत अछि । एहि परियोजना पर केंद्र और राज्य सरकार दूनू राशि खर्च करत। योजना कए मूर्तरूप लेला पर महज पांच मिनट में स्पीट बोट चला कए दरभंगा स लहेरियासराय पहुंच सकब । ज्ञात हुए जे हराही क सौंदर्यीकरण लेल पिछला साल नगर निगम कए 79 लाख टका भेटल छल, जे आइधरि खर्च नहि भ सकल । एहि राशि कए आब विस्तृत परियोजना मे स्थानांतरिक करबाक प्रस्ताव तैयार कैल जा रहल अछि । एहिना चंद्रधारी संग्रहालय परिसर मे स्थित संगीतमय फव्वारा लेल भेटल राशि सेहो नगर निगम मे एक साल स राखल अछि । निगम क अधिकारी के अनुसार चुनाव क बाद एहि लेल इ-टेंडर कैल जाएत। एहन मे उम्मीद कैल जाए जे पिछला कई दशक स जे सपना दरभंगा देख रहल छल ओ अगिला किछु साल मे पूरा भ सकैत अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
nik samachar ya
Bahut nik aa sukhad samad. Pariyojnak murt roop lebak kamna karait chhi….!!!!