• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

तखन वोट चला पहुंचब दरभंगा स लहेरियासराय

April 6, 2014
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पोखरि लेल सबस पैघ योजना पर काज भेल शुरू
दिल्‍ली क एकॉन कंपनी बना रहल अछि डीपीआर

दरभंगा । चुनावक एहि मौसम मे बहुत बाहरी लोक सब दरभंगा पहुंच रहल अछि । नेता और अभिनेता क बीच एकटा एहनो टोली दरभंगा पहुंचल अछि जेकरा चुनाव स कोनो संबंध नहि अछि । मुदा इ टोली सेहो दरभंगाक लोक कए एकटा सपना देखा रहल अछि । सब कुछ ठीक रहल त अगिला किछु साल में दरभंगा स लहेरियासराय वोट चला कए पहुंचब संभव भ जाएत ।  शहरक प्रसिद्ध हराही, दिग्‍घी आ गंगासागर कए जोडबा लेल बनल प्रस्‍ताव कए मूर्त रूप देबा लेल काज शुरू भ गेल अछि ।नगर विकास विभागक निर्देश पर दिल्‍ली स्थित एकॉन कंपनीक इ प्रतिनिधिमंडल पिछला सप्‍ताह दरभंगा पहुंचल । एकरा अगिला मास तक संपूर्ण परियोजना रिपोर्ट (डीपीआर) सरकार कए सौंपबाक अछि । स्‍थनीय विधायक संजय सरावगी क एकटा आर प्रयास सफल होइत देखा रहल अछि । एहि परियोजना पर मिथिला में एखन धरिक सबसे पैघ राशि खर्च हेबाक अछि । एकॉन क प्रतिनिधिमंडलक सदस्‍य बीके सिन्‍हा कहला जे पोखरिक जल कए साफ करबा लेल एक स दू फुट गाद कए निकालबा प्रस्‍ताव अछि, संगहि तीनू पोखरिक जल ऐना रिफाइंड कैल जाएत जे ओ ब्‍लू कलर मे देखबा लेल भेटत । तीनू पोखरि कए जोड़बा लेल 40 स 60 फुट चौड़ा केनाल बनाउल जाएत, जाहि स मोटर वोट आसानी स एक पोखरि स दोसर पोखरिक बीच जा सकत । केनाल क  ऊपर दू ठाम पुल बनाउल जाएत जाहि स शहरक यातायात प्रभावित नहि होएत । प्रस्‍ताव क अनुसार तीनू पोखरि कए जोड़बाक संगहि
पोखरिक कैछर में घाट, महार पर टहलबा लेल बाट, चारूकात रोशनी, बच्‍चा लेल पार्क आ शौचालय सन किछु मूलभूत सुविधाक सेहो व्‍यवस्‍था कैल जाएत । प्रतिनिधिमंडलक एकटा सदस्‍य कहला जे इ परियोजना तैयार भेलाक बाद दरभंगा देश में पोखरिक जलक्रीड़ा लेल प्रसिद्ध भ जाएत । तीन किमी स लंबा एहि जल मार्ग पर वोटिंग क ओहने आनंद भेटत जेखन नदी बा समुद्र मे भेटैत अछि । एहि परियोजना पर केंद्र और राज्‍य सरकार दूनू राशि खर्च करत। योजना कए मूर्तरूप लेला पर महज पांच मिनट में स्‍पीट बोट चला कए दरभंगा स लहेरियासराय पहुंच सकब । ज्ञात हुए जे हराही क सौंदर्यीकरण लेल पिछला साल नगर निगम कए 79 लाख टका भेटल छल, जे आइधरि खर्च नहि भ सकल । एहि राशि कए आब विस्‍तृत परियोजना मे स्‍थानांतरिक करबाक प्रस्‍ताव तैयार कैल जा रहल अछि । एहिना चंद्रधारी संग्रहालय परिसर मे स्थित संगीतमय फव्‍वारा लेल भेटल राशि सेहो नगर निगम मे एक साल स राखल अछि । निगम क अधिकारी के अनुसार चुनाव क बाद एहि लेल इ-टेंडर कैल जाएत। एहन मे उम्‍मीद कैल जाए जे पिछला कई दशक स जे सपना दरभंगा देख रहल छल ओ अगिला किछु साल मे पूरा भ सकैत अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

जनता निहारि रहल आसमान, राजा भरि रहलाह उड़ान

Esamaad Epaper Website

नेताक बाट तकैत रहि गेल गांधी मैदान

'बिहारी' क्रिकेटर्स आ बिहार मे क्रिकेट

Comments 2

  1. Mukesh Jha says:
    8 years ago

    nik samachar ya

    Reply
  2. Santoshi Kumar says:
    8 years ago

    Bahut nik aa sukhad samad. Pariyojnak murt roop lebak kamna karait chhi….!!!!

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि