• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

त कि भटकल भटकैत पहुंचल बिहार!

August 29, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

Yasinनयी दिल्ली : इंडियन मुजाहिदीन क संस्थापक यासीन भटकल क गिरफ्तारी बिहारक रक्सौल स भेल या फेर ओ फसीह जेना कोनो तेसर देश मे गिरफ्तार क भारत आनल गेल एहि पर भ्रम क स्थिति अछि। भारतीय खुफिया एजेंसी अपन आॅपरेशन कए एतबा गुप्त रखने छल जे ककरो कानो कान खबरि नहि भेल जे देशक एतबा पैघ दुश्मन भारत-नेपाल सीमा स गिरफ्तार कैल जा चुकल अछि। खुफिया सूत्र क कहब अछि जे भटकल कए भारत-नेपाल सीमा स गिरफ्तार करबाक दावा जरूर भ रहल अछि, मुदा एहि पूरा मिशन मे तीनटा देश क खुफिया जांच एजेंसियां सक्रिय छल। भटकल क गिरफ्तारी भारत या नेपाल मे नहि बल्कि कोनो तेसर देश मे भेल। सूत्र क इ दावा सेहो अछि जे भटकल कए नेपाल द कए भारत आनल गेल अछि। एजेंसी एकटा रणनीतिक तहत भारत-नेपाल सीमा पर स्थित रक्सौल मे ओकर गिरफ्तारी देखा रहल अछि। ज्ञात हुए जे फसीह क गिरफ्तारी पर भारतीय एजेंसी क व्यवहार स अंतरराष्टÑीय संबंध प्रभावित भेल छल। फसीह क गिरफ्तारी करब पुलिस भारतक आग्रह पर क त लेलक मुदा भारत इ मानबा लेल बहुत दिन तक तैयार नहि छल ले ओकर आग्रह पर अरब पुलिस फसीह कए गिरफ्तार केलक अछि। ज्ञात हो जे फसीह भटकल क दाहिना हाथ छल। फसीह कांड स सीख ल भारतीय एजेंसी एहि बेर चलाउल गेल अभियान कए एतबा गुप्त रखलक जे बिहार क किछु शीर्ष पुलिस अधिकारी कए अलावा ककरो इ जानकारी नहि छल जे 12 राज्यक पुलिस जेकरा ताकि रहल अछि ओ बिहार पुलिसक कब्जा मे अछि। राज्यक एकटा पैघ पुलिस अधिकारी क कहब अछि जे जखन बिहार अंदर भटकल क पूछताछ कोन ठाम भ रहल अछि इ जानकारी हमरा सब लग नहि अछि त ओकर गिरफ्तारी कोन ठाम आ केना भेल इ के कहत। ओना बिहार पुलिस प्रमुख अभयानंद जरूर कहला जे इ बिहार पुलिस अछि जेकर सहयोग स राष्ट्रीय जांच एजेंसी (एनआईए) आ अन्य सरकारी एजेंसी कए भटकल क गिरफ्तारी संभव भेल। ओना ओ सेहो इ नहि बतेलथि जे भटकल कोन ठाम स कोना गिरफ्तार भेल आ ओकरा स कोन ठाम पूछताछ भ रहल अछि। पूर्वी चंपारण क पुलिस अधीक्षक विनय कुमार सेहो बस एतबा कहला जे भटकल रक्सौल सीमा पर गिरफ्तार कैल गेल। कुमार क अनुसार भटकल किछु दिन स अपन मित्र क संग नेपाल मे ठहरल छल। एहि संबंध मे पुख्ता जानकारी भेटलाक बाद एनआईए आ आईबी ओकर भारत एबाक ताक मे छल। बुधदिन राति मे जहिना भटकल सीमा क भीतर आयल ओकरा ओकर सहयोगी असदुल्लाह अख्तर उर्फ जकरूल्लाह उर्फ तबरेज क संग स्थानीय पुलिस, एनआईए आ आईबी क टीम गिरफतार क लेलक। मोतिहारी पुलिस लाईन मे ओकरा स गहन पूछताछ भेल फेर मुख्य न्यायिक दंडाधिकारी क अदालत मे ओकरा पेश कैल गेल, जाहि ठाम स तीन दिन क ट्रांजिट रिमांड पर एनआइए ओकरा लेलक आ पटना विदा भेल। शुक्रदिन विशेष विमान स ओकरा दिल्ली ल जाएत। गिरफ्तारी चाहे जतए स हुए मुदा एहि पूरा अभियान मे बिहार पुलिस क भूमिका सराहनीय रहल आ बिहार पुलिस अपन विश्वसनीयता कायम केलक। पिछला किछु दिन पहिने जेना दरभंगाक एसपी एक बिना सूचना देने आतंकी कए उठाउल गेल ताहि स बिहार पुलिस क विश्वसनीयता पर सवाल ठार भ गेल छल। एहन मे एहि प्रकारक गुप्त अभियान क हिस्सा बनब बिहार पुलिस लेल गर्व क गप अछि, किया त इ गिरफ्तारी केतबा महत्वपूर्ण अछि एकर सबूत एहि स भेटैत अछि जे राष्टÑीय सुरक्षा सलाहकार मेनन गिरफ्तारी क सूचना तत्काल प्रधानमंत्री कए देलथि आ एहि स इ सेहो ज्ञात होइत अछि जे इ अभियान महज भारतीय खुफिया एजेंसी तक सीमित नहि छल, इ एकटा अंतरराष्टÑीय अभियान क तहत क्रियान्वित भेल। आब देखबाक चाही जे अदालत एतबा दिन लगबैत अछि एकरा सजा क अंतिम दलान तक पहुंचेबा मे। इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

नहि रहलाह मायानंद

Esamaad Epaper Website

राजस्व वसूली मे एक अरब क क्लब मे पेसू

Esamaad Epaper Website

पटना क फ्रेंचाइजी लेबा लेल कोनो कंपनी तैयार नहि

Comments 1

  1. Prakash Kumar Jha says:
    10 years ago

    Karnatakak rahay wala Bhatkal Darbhanga ke seho badnaam ka delak. Dekhwak chahi je ehi atankwadi ke katek din me saza hoit chhai.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सोहर, कजरी आ नचारी स भेटल सुर समाद

by संपादक
August 24, 2015
0

Read more

रंग स नहायल मिथिला

by संपादक
March 1, 2010
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि