• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

त कि मोतिहारी क बाद नालंदा

April 26, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

नई दिल्‍ली। जेकर आशंका छल, से सामने आबि गेल। नालंदा कए फेर स विश्व ख्याति दियेबा लेल शुरू भेल प्रोजेक्ट नालंदा स दिल्‍ली अनबाक प्रक्रिया शुरू भ गेल। नालंदा विश्‍वविद्यालयक कुलपति गोपा सबरवाल किछु दिन पहिने कहि चुकल छलथि जे नालंदा मे एतबा पैघ विश्‍वविद्यालय व्‍यावहारिक नहि अछि। लोक नालंदा पढबा लेल नहि जाएत। हुनक इ विचार एकर संकेत छल जे केंद्र सरकार एहि विश्‍वविद्यालय कए दिल्‍ली अनबाक योजना बना रहल अछि। प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह लेल एक झटका मे इ फैसला लेब संभव नहि भ रहल अछि, ताहि लेल ओ क्रमवार इ फैसला ल रहल छथि। पहिने कहल गेल जे मोतिहारी केंद्रीय विश्‍वविद्यालय लेल उचित स्‍थान नहि अछि, मुदा आब नालंदा कए अंतरराष्‍टीय विश्‍वविद्यालय लेल अनुचित स्‍थान बतेबा लेल जमीन तैयार कैल जा रहल अछि। एहि बीच बिहारक वरिष्‍ठ पत्रकार केके सिंह खुलासा केलथि अछि जे नालंदा विश्‍वविद्यालय क एकटा महत्‍वपूर्ण स्‍कूल दिल्‍ली मे खोलल जाएत। एहि गपक सूचना विश्‍वविद्यालयक कुलपति गोपा सबरवाल देलथि अछि। हुनक अनुसार विश्‍वविद्यालय क अंतरराष्‍टीय अध्‍ययन स्‍कूल नालंदा विश्‍वविद्यालय लेल दिल्‍ली मे खोलल गेल अस्‍थायी कार्यालय मे खोलल जाएत। जानकार एकरा नालंदा विश्‍वविद्यालय कए दिल्‍ली स्‍थानांतरित करबाक पहिल चरण मानि रहल छथि। सवाल उठैत अछि जे सरकार आइ धरि इ कहैत रहल जे नालंदा क विश्व ख्याति वापस लौटेबाक लेल राजगीर लग विश्वविद्यालय खोलल जा रहल अछि। संसद मे क़ानून पास कैल गेल। दुनिया भरि क देश स नालंदाक नाम पर मांगल गेल आ 16टा देश मदद करबाक एलान सेहो केलक। इ मदद नालंदा लेल देल गेल नहि कि कोनो आन ठाम विश्‍वविद्यालय खोलबा लेल। मुदा सरकार नालंदाक नाम बेच दिल्‍ली मे विश्‍वविद्यालय खोलबाक चालाकी शुरू क देलक अछि। एकर सबस पहिल प्रमाण ग़ैर क़ानूनी तरीका स वाइस चांसलर यानी कुलपति क नियुक्ति स भेल। ओकर बाद एडवाइजर कमेटी मे प्रधानमंत्री क बेटी कए जगह भेट गेल। आब नालंदा अंतरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय क ढांचागत विकास आ सुविधा पर निगरानी लेल जे समिति बनल अछि ओकर अध्‍यक्ष मोंटेक सिंह अहलूवालिया कए बना देल गेल अछि। कहबा लेल त बिहार क नालंदा जिला मे जाहि जगह पर प्राचीन काल मे विख्यात विश्वविद्यालय छल ओतहि फेर स अंतरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय क स्थापना भ रहल अछि, मुदा ओ मात्र कहबा लेल रहत, इ विश्‍वविद्यालयक सबटा काज दिल्‍ली मे अनबाक कुचक्र रचल जा रहल अछि। सरकार राष्ट्रीय निगरानी समिति मे अहलूवालिया क अतिरिक्त दसटा आओर सदस्य बनेलक अछि। एहि मे राष्ट्रीय सुरक्षा सलाहकार [पीएमओ] सदस्य [मानव संसाधन] योजना आयोग, सदस्य [अंतरराष्ट्रीय अर्थव्यवस्था], विदेश सचिव, सचिव मानव संसाधन विकास मंत्रालय, सचिव [व्यय] वित्त मंत्रालय, कुलपति नालंदा विश्वविद्यालय, नालंदा विश्वविद्यालय निदेशक मंडल स नामित व्यक्ति, डॉ. अरोमेर रवि निदेशक, भारतीय इतिहास अध्ययन संस्थान आ सलाहकार [उच्च शिक्षा] योजना आयोग, सदस्य हेताह। इ समिति नालंदा मे विश्व स्तर क विश्वविद्यालय बनेबा लेल ढांचागत संसाधन तैयार करबा लेल आ क्षेत्रीय, स्थानीय विकास आ संस्थागत व्यवस्था क उपाय पर विचार करि कए अपन सिफारिश देत। सामान्‍य तौर पर इ अंदाजा लगाउल जा सकैत अछि जे इ समिति की सिफारिश करत। एकर भूमिका सेहो पहिने तैयार क लेल गेल अछि। पश्चिम बंगाल नेशनल यूनीवर्सिटी क पूर्व कुलपति प्रो. एनआर माधव मेनन क अध्यक्षता मे दस सदस्यीय कमेटी सेहो बना देल गेल अछि जे नालंदा अंतरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय क कानून मे संशोधन करत। आआइएम बेंगलूर क निदेशक प्रो. पंकज चंद्रा, नालंदा विश्वविद्यालय क कुलपति डॉ. गोपा सबरवाल आओर दिल्‍ली क लेडी श्रीराम कॉलेज क प्रिंसिपल डॉ. मीनाक्षी गोपीनाथ कए एहि समितिक सदस्य बनाउल गेल अछि।
अब सवाल उठैत अछि जे नालंदा इंटरनेशनल यूनिवर्सिटी क नाम पर जे भ रहल अछि ओ शर्मनाक अछि। इ कोनो घोटाला स कम नहि अछि। नियम क अनदेखी, भाई-भतीजावाद, टकाक लूट, झूठ बयानबाजी आ प्रधानमंत्री क बेटी उपिंदर सिंह क मौजूदगी क कारण विदेश मंत्रालय तक दुनिया कए ठकबाक प्रयास मे लागल अछि। मुदा बिहारक जनता नालंदा विश्वविद्यालय क तबाही लेल बख्तियार खिलजी कए त शायद मा़फ क देने अछि, मुदा एहि बेर अगर नालंदा क गौरव क संग खिलवाड़ भेल त प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह आ मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार कए शायद मा़फ नहि क सकत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे 25टा हाइडल प्रोजेक्ट पर शुरू अछि काज

Esamaad Epaper Website

मिथिला मे नव क्रांति आनत ''मेघ पाइन अभियान''

दूरदर्शन क नजर पडल दरबार हॉल पर, मई मे होएत शुटिंग

Comments 1

  1. atuleshwar jha says:
    12 years ago

    हमरा जनैत मुख्यमंत्री नितीश कुमार जी मात्र गप्प बेसी हँकैत छथि कारण जतेक ओ बजैत छथि ओकर एकांशो काज नहि होइत देखल जा रहल अछि , देखू नव बिहारक निर्माण करैत-करैत ओ पुरनो बिहारक अस्मिता नहि बचा पाबि रहल छथि , एकर दोख हम जनता जर्नादनक अछि कारण हमरा लोकनि तुरन्त ककरो भगवान जे मानि लैत छियैक ई ओकरे प्रतिफल थिक।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि