नर्मदा कुमारी
पटना । बिहार मे माइ समीकरण मे टूट क बाद मुस्लिम वोट लेल जदयू आ राजद मे मारामारी भ रहल अछि। लालू जतए अपन मुस्लिम वोट बचेबा लेल दिनराति एक क रहल छथि, ओतहि नीतीश कुमार मुस्लिम वोट कए अपना दिस करबा लेल राजग स अलग हेबाक फैसला तक क लेलथि अछि। कहियो कांग्रेस क वोटबैंक रहल मुस्लिम आइ सब दल क पहिल जरुरत बनि गेल अछि। राजद, जदयू और कांग्रेस क मुस्लिम प्रेम क काट लेल भाजपा सेहो रणनीति तैयार क रहल अछि। भाजपाक अंत:पुर स भेट रहल जानकारीक अनुसार पार्टी बिहार मे लोकसभा चुनाव स पूर्व अपन तुरुप क पत्ता फेंकत। राज्य मे बदलैत राजनीतिक समीकरण क बीच भाजपा भागलपुर क सांसद शाहनवाज कए अगिला मुख्यमंत्री क रूप मे पेश क सकैत अछि। एहन मे मुस्लिम वोट क किछु हिस्सा भाजपा दिस आबि सकैत अछि आ शाहनवाज हुसैन बिहार मे भाजपा आ नरेंद्र मोदी लेल संकटमोचक साबित भ सकैत छथि। भाजपा क एहि तुरुप क पत्ता क उत्तर कोनो राजनीतिक दल लेल आसान नहि होएत। देखल जाए त बिहार मे मुस्लिम मुख्यमंत्री करीब तीन दशक पूर्व भेल अछि। एहि बीच मे मुस्लिम हितैषी क राजनीतिक दल मे जोरदार प्रतिस्पर्द्धा जारी रहल, मुदा कोनो दल मुस्लिम नेता कए मुख्यमंत्री क रूप मे प्रोजेक्ट नहि केलक। मुसलमान मे एकर मलाल अछि। रामविलास पासवान आ लालू प्रसाद तक मुख्यमंत्री क रूप मे कोनो मुस्लिम कए पेश नहि क सकलाह अछि। 2005 क चुनाव मे रामविलास पासवान मुस्लिम सीएम बनेबा पर समर्थनक घोषणा केने छलाह, मुदा 2010 मे लालू कए मुख्यमंत्री आ अपन भाई कए उपमुख्यमंत्री क रूप मे पेश केलथि। एहन मे भाजपा राज्यक मुस्लिम समुदाय कए इ संदेश देत जे ओ राज्य मे कई सालक बाद मुस्लिम सीएम देबाक काज करत। वोट बैंक क रूप मे ख्यात एहि समुदाय क कईटा नेता क कहब अछि जे मुस्लिम मुख्यमंत्री क अभाव मे अल्पसंख्यक क जेतबा विकास हेबाक चाहैत छल, ओ नहि भ सकल। एहन मे राजद आ लोजपा क परेशानी बढि सकैत अछि। प्रधानमंत्री पद क लेल नरेंद्र मोदी नाम आगू एलाक बाद बिहार मे मुस्लिम वोट जीत क केंद्र मे जा चुकल अछि। राज्य क 60टा बेसी विधानसभा क्षेत्र मे उम्मीदवार क जीत मे मुस्लिम वोटर क निर्णायक भूमिका अछि। 16टा विधानसभा क्षेत्र मे मुस्लिम आबादी सबस बेसी अछि। राज्य क लगभग सौटा विधानसभा क्षेत्र मे मुस्लिम वोट क बिना चुनावी नैया पार लागब कठिन भ सकैत अछि। राज्य मे शायद एहन कोनो प्रखंड नहि अछि जाहि ठाम दस हजार स कम मुस्लिम आबादी अछि। दोसर दिस राजद छोडलाक बाद जदयू स मुसलमान अपन दूरी कम क रहल अछि। नफा आ नुकसान क आकलन क बीच एमएसडीपी योजना क दायरा बढ़ाकए कांगे्रस आ जदयू मुसलमान क उत्थान क सवाल पर एकटा फ्रंट पर रहबाक संकेत देलक अछि। भाजपा एहि बदलैत हालात कए अवसर क रूप मे भजेबा लेल तुरुप क पत्ता चलेबाक फिराक मे अछि। भाजपा कए केवल सही समय क इंतजार अछि। भाजपा ककईटा कद्दावर नेता भले लोकसभा चुनाव क गप करैत भविष्य क योजना पर विराम लगा दैत छथि, मुदा अंत:पुर स आबि रहल समाद क अनुसार भागलपुर सांसद आ भाजपा क राष्ट्रीय प्रवक्ता शाहनवाज हुसैन कए मुख्यमंत्री क रूप मे कखनो प्रोजेक्ट कैल जा सकैत अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
YADI EHAN HOIT ACHHI TAKHAN MITHILAK RAJNITI SEHO GARMAYAT.