• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

दक्षिण आ पूर्व मिथिला कए नेपाल स सीधा जोडबा लेल बनत दूटा सडक

August 14, 2012
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। मिथिला कए दूटा एहन अतिरिक्‍त फोर लेन सडक भेटल अछि जाहि स पूर्वी आ दक्षिणी मिथिला आब नेपाल स सीधा जुडत। पहिल सडक समस्‍तीपुर मे गंगा पर बनि रहल पुल कए नेपाल स जोडत त दोसर हाइवे क 31 किमी ‘मिसिंग लिंक’ पर सड़क आ पुल क निर्माण स भागलपुर कए नेपाल स जोडत। पहिल सडक ताजपुर कए नेपाल स जोडत। समस्‍तीपुर, दरभंगा आ मधुबनी भ कए नेपाल तक प्रस्‍तावित इ राजकीय पथ कए फोर लेन मे बनेबाक पथ निर्माण कए जिम्‍मेदारी भेटल अछि। इ सडक बख्तियारपुर, ताजपुर पुल भ कए बिठौली अतरबेल जाले, पुपरी, भिट्ठामोड़ भ नेपाल सीमा तक लगभग 115 किमी लंबा होएत। ताजपुरपुर भ कए हजरत जनदाहा थानापुर महुआ लालगंज वैशाली तक प्रसतावित 65 किमी क पथ कए सेहो फोर लेन मे तब्दील कैल जाएत। एहि सडक कए बनला स एहि इलाका मे उद्योग कए बढाबा भेटत।
ओतहि भागलपुर कए नेपाल स जोड़बा लेल 31 किमी ‘मिसिंग लिंक’ पर सडक आ पुल निर्माण कए केंद्र क मंजूरी भेटलाक बाद पूर्वी मिथिला नेपाल स सीधा जुडबाक अपन पूरान सपना पूरा क लेत। भाजपा सांसद शाहनवाज हुसैन क मेहनत क नतीजा छी जे आब एनएच 106 क आब खंडित नहि रहत। केंद्र सरकार 137 किलेमीटर लंबा एहि नेशनल हाइवे क 31 किमी ‘मिसिंग लिंक’ पर सड़क आ पुल क निर्माण कराउल जाएत। पुल क निर्माण पर 700 करोड़ क राशि खर्च होएत। पुल क डिजाइन तैयार करबाक जिम्‍मा आइआइटी रूड़की कए सौंपल गेल अछि।
दरअसल, भागलपुर क बिहपुर स ल कए नेपाल सीमा क निकट वीरपुर तक एहि फोर-लेन एनएच क निर्माण व‌र्ल्ड बैंक क आर्थिक सहायता स कैल जा रहल अछि। मुदा, बिहपुर स मधेपुरा क फुलौथ तक 31 किमी क लंबाई तक पहिने स कोनो सड़क नहि अछि। व‌र्ल्ड बैंक पहिने साफ कहि चुकल अछि जे जो पुरान सडक कए बनाउत, मुदा नव सडक अर्थात ओ ‘मिसिंग लिंक’ पर निर्माण नहि कराउत। जाहि स भागलपुर कए सीधा नेपाल स जोड़बाक सपना एनएच 106 क निर्माण भेलाक बावजूद पूरा नहि भ पाबि रहल छल। भागलपुरक स्‍थानीय सांसद शाहनवाज हुसैन एहि लेल बहुत दिन स प्रयासरत छलाह ओ एहि काज कए पूरा करेबा लेल मधेपुराक सांसद आ जदयू क राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव क मदद स केंद्रीय भूतल परिवहन मंत्री सीपी जोशी स भेंट केलथि आ हुनका स आग्रह केलथि जे एहि खंडित सडक कए जोडबाक कष्‍ट कैल जाए। हुनक आग्रह पर श्री जोशी एहि 31 किमी लंबा ‘मिसिंग लिंक’ पर सड़क आ पुल क निर्माण कए मंजूरी द देलथि अछि। पुल क डिजाइन तैयार करबा लेल आइआइटी रूड़की कए केंद्र सरकार 50 लाख क राशि सेहो द देलक अछि। कोसी पर प्रसतावित एहि पुल क लंबाई 4 किमी अछि। एहि पर करीब 700 करोड़ क राशि खर्च होएत, जे केंद्र सरकार वहन करत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

छात्र संघ क चुनाव करेबाक आदेश

Esamaad Epaper Website

बिहार संग एहन उपेक्षा कहिया तक : मोदी

Esamaad Epaper Website

शिक्षक पद पर नियोजन क लेल आवेदन प्रक्रिया स प्रारंभ

Comments 1

  1. dr dhanakar thakur says:
    11 years ago

    neek khabari achhi. Bihpur Jhandapur s madhepura NH 106 s joday Antarrashtriy maithili parishad kafee pahines maang kaene chhai-ee pura hoyat se jani harsh bhayal.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि