• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

दक्षिण कए चुनौती द रहल बीमारू राज्‍य क अगुआ रहल बिहार

May 3, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

बिहार क संबंध मे वीएस नॉयपॉल क इ कथन जे ‘सभ्यता का अंत’ होइत अछि, सेहो झूठ साबित भ रहल अछि। उत्तर भारत क जाहि बीमारू प्रदेश क हालत पर दक्षिण तरस खाइत छल, आब ओहि बीमारू क अगुआ बिहार ओकरा लेल चुनौती बनि रहल अछि। आखिर कोना? एकरा लेल मॉर्गन स्टेनले इंवेस्टमेंट मैनेजमेंट लिमिटेड क प्रबंध निदेशक आ एहि कंपनी क इमर्जिग मार्केट क हेड रुचिर शर्मा क किछु तथ्‍य पर गौर करब जरूरी अछि।
पहिल – : पिछला पांच वर्ष मे बिहार मे टेलीकॉम ग्राहक क संख्या मे 68 फीसदी क वृद्धि भेल अछि। राष्ट्रीय औसत 43.7 फीसदी स बहुत बेसी। दक्षिण क राज्य आंध्रप्रदेश आ तमिलनाडु मे इ वृद्धि दर केवल 40 फीसदी रहल।
दोसर -: 2007 स 2010 क बीच दक्षिणी राज्‍य क विकास दर सात फीसदी स घटि कए छह फीसदी भ गेल, जखनकि एहि अवधि मे उत्तर भारत क राज्‍य क विकास दर 4.5 फीसदी स बढि कए 6.8 फीसदी भ गेल।
तेसर -: दक्षिण क अपेक्षा उत्तर मे कार क बिक्री तेजी स बढल अछि। 2006 मे एकटा प्रमुख कार निर्माता कंपनी अपन मार्केटिंग बजट क केवल 20 फीसदी खर्च करैत छल। आब उत्तर आ दक्षिण मे इ अनुपात 50-50 क भ गेल अछि।
इ आजाद भारत क नव चेहरा छी। इ तथ्य उत्तर भारत (जाहि मे बिहार सेहो शामिल) क उदय आओर दक्षिण क गरूर (अहंकार) टूटबा दिस इशारा क रहल अछि। देश क अर्थव्यवस्था आओर निवेश कारोबार पर पैनी नजर रखनिहार आ वीसीए मैनेजमेंट क पोर्टफोलियो मैनेजर रुचिर शर्मा क नवका किताब ‘ब्रेकआउट नेशंस – इन पसरुअट ऑफ द नेक्स्ट इकोनॉमिक मिराकल्स’ भारत मे भ रहल एहि ऐतिहासिक बदलाव आ बदलाव मे बिहार क भूमिका कए रेखांकित केलक अछि। श्री शर्मा न्यूज वीक क कॉलमिस्ट रहला अछि आ द वाल स्ट्रीट जनरल मे इ नियमित लिखैत रहला अछि। श्रीराम कॉलेज ऑफ कॉमर्स क छात्र रहल शर्मा दिल्ली मे प्राइम सेक्युरिटीज मे अधिकारी सेहो छलाह।
श्री शर्मा किताब मे लिखैत छथि – एकटा एहन प्रदेश, जेकरा वीएस नॉयपॉल एकटा एहन जगह क रूप मे वर्णन केने छलाह, जाहि ठाम सभ्यता क अंत होइत अछि। नीतीश कुमार 2005 मे अफरा-तफरी स त्रस्त मतदाता क निराशा क लहर पर सवार भ कए धमाकेदार तरीका स गद्दी पर बैसलाह आओर कानून-व्यवस्था कायम करबाक धुंआंधार प्रचार अभियान चलेलाह। कानून क अवमानना करनिहार इलाका मे पुल आ सड़क तेज रफ्तार स बनल। आब एकर अर्थव्यवस्था 11 प्रतिशत क दर स बढल अछि, जे भारत मे दोसर स्थान पर अछि।
श्री शर्मा क मानब अछि जे बीमारू प्रदेश (बिहार, यूपी, मध्यप्रदेश आ राजस्थान) मे विकास दर, साक्षरता, निवेश-व्यापार आदि क मामला मे जे बदलाव आयल अछि ओ उत्तर भारत क नव चेहरा पेश क रहल अछि। एनडीटीवी पिछला सप्ताह एहि पुस्तक पर परिचर्चा क आयोजन केने छल।
एहि पुस्‍तक मे कहल गेल अछि जे आर्थिक सुधार क प्रक्रिया केंद्र क अपेक्षा राज्‍य मे तेज देखल जा रहल अछि। लोक अपन समस्या क समाधान लेल केंद्र दिस कम स कम देख रहल अछि। दक्षिण-पश्चिम क जे राज्य आर्थिक सुधार क केंद्र बनल छल, ओ आब उत्तर क राज्‍य दिस आबि रहल अछि।
देश क एकटा पैघ आबादी एहि राज्‍य सब मे रहैत अछि। पुस्तक मे कहल गेल अछि जे भ्रष्टाचार क मुद्दा एहि राज्‍य सब मे निवेश मे भले बाधा पहुंचा सकैत अछि मुदा सरकार स्थानीय कारोबारी परिदृश्य कए सुदृढ़ करबा मे लागल अछि आ ओहि ठाम उपभोक्ता संस्कृति मजबूत भ रहल अछि।
रुचिर एकटा अंगरेजी अखबार मे छपल आलेखक हवाला दैत लिखलथि अछि जे ओहि मे पटना मे डोमिनो पिज्जा क आउटलेट खुलबा स उमडल भीड़ क चर्चा अछि। ओ कहैत छथि जे जाहि ठाम सभ्यता क अंत’ होइत छल ओहि ठाम ‘फास्ट फूड क दुकान’ खुलि रहल अछि। बिहार क ग्रामीण इलाका मे कईटा नामी-गिरामी कंपनी क उत्पाद बिका रहल अछि। पुस्तक कहैत अछि जे दक्षिण क सर्वोच्चता क सोच क बीच उत्तर कए एकटा नव बाट भेट गेल अछि। देश मे जे नव नेतृत्व उभरल अछि ओ भारत क जटिल परिदृश्य कए बुझबा मे लागल अछि।
साभार- प्रभात खबर

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे सेहो बनत मेदांता मेडिसिटी

Esamaad Epaper Website

बिहार मे लागि सकैत अछि परमाणु बिजली घर : रतन

Esamaad Epaper Website

सिविल सेवा परीक्षा मे बिहारक रहल जलवा, मैथिली देखेलक दम

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि