• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

दक्षिण बिहार मे लागत हाइटेक रेडियो फ्रीक्वेंसी इलेक्ट्रानिक मीटर

November 2, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना । एक नवंबर स बिहार राज्‍य बोर्ड क स्वरूप बदलि गेल। बोर्ड पांचटा अलग अलग कंपनी मे विभाजित भ गेल। नाम आ काज क त भूगोलक आधार पर बंटबारा भेल, मुदा पांचों कंपनी क मुख्यालय विद्युत भवन पटना मे रहल। इ पांचट कंपनी बिहार स्टेट पावर होल्डिंग कंपनी, बिहार स्टेट पावर ट्रांसमिशन कंपनी, बिहार स्टेट पावर जेनरेशन कंपनी, साउथ बिहार पावर डिस्ट्रीब्यूशन कंपनी आ नार्थ बिहार पावर डिस्ट्रीब्यूशन कंपनी क नाम स काज करब शुरू क देलक अछि। पहिल दिन ओना लेखा-जोखा काज क शुरूआत भेल, मुदा उत्‍तर बिहार आ दक्षिण बिहार लेल अलग अलग योजना तैयार करबाक प्रक्रिया से हो शुरू भ गेल। बोर्ड मुख्यालय क कर्मी बिहार स्टेट पावर होल्डिंग कंपनी क अधीन रहताह। उत्तर बिहार क तीनटा एरिया बोर्ड तिरहुत, कोसी आ मिथिला नार्थ बिहार पावर डिस्ट्रीब्यूशन कंपनी आ पेसू, पटना सेंट्रल एरिया, मगध आ भागलपुर एरिया बोर्ड साउथ बिहार पावर डिस्ट्रीब्यूशन कंपनी क अधीन रहत। वर्तमान हालात मे इ सोचल जा सकैत अछि जे उत्‍तर बिहार आ दक्षिण बिहार नाम स भेल इ बंटबारा केतबा खतरनाक साबित होएत। विभाजन स साफ अछि जे दक्षिण बिहार क आमदनी उत्‍तर बिहार स कहीं बेसी होएत, आ ओहि आधार पर खर्च सेहो होएत। जखन कि राजधानी आ औद्योगिक क्षेत्र नहि रहबाक स उत्‍तर बिहार क कंपनी धन जुटेबा मे हरदम असमर्थ रहत।
दोसर गप जे जखने दक्षिण बिहार लेल अलग योजना बनत त साफ अछि जे राजधानी रहबाक कारण ओकरा विशेष फायदा भेटत, जखन कि उत्‍तर बिहार लेल कोनो एहन योजना दक्षिण क योजना क बाद सामने आउत। जेकर प्रमाण बोर्डक विभाजनक पहिल दिन देखबा लेल भेट गेल। साउथ बिहार पावर डिस्ट्रीब्यूशन कंपनी राजधानी अपन दू लाख उपभोक्ता क घर मे हाइटेक रेडियो फ्रीक्वेंसी इलेक्ट्रानिक मीटर लगेबाक फैसला लेलक अछि। उपभोक्ता एहि मीटर क संग बिजली चोरी करबाक गप त दूर ओहिमे छेड़छाड तक नहि क सकैत छथि। छेड़छाड़ करबा पर मीटर ओकरा अपन मेमोरी मे दर्ज क लेत।
मीटर रीडर सेहो उपभोक्ता क घर मे मीटर क रीडिंग लेबा लेल आब नहि जाएत। आवास क बाहर स मीटर रीडिंग ल लेत। एहि मीटर क रीडिंग 30 मीटर दूर स लेल जा सकैत अछि। इ मीटर पहिने राजधानी क 3.60 लाख विद्युत उपभोक्ता मे स दू लाख उपभोक्‍ता क घर मे लगाउल जाएत। बोर्ड अभियंता क कहब अछि जे हाइटेक रेडियो फ्रीक्वेंसी मीटर अगिला साल लागब शुरू भ जाएत। बिजली बोर्ड क आंकडा क अनुसार राजधानी क 24 हजार उपभोक्ता क घर मे मीटर बंद पडल अछि। ओना 31 जनवरी तक ओकरा बदलबाक लक्ष्य अछि।
एहि संबंध मे साउथ बिहार पावर डिस्ट्रीब्यूशन कंपनी लिमिटेड क पटना विद्युत आपूर्ति प्रतिष्ठान (पेसू) महाप्रबंधक विजय कुमार क कहब अछि जे बिजली चोरी पर नियंत्रण करबा लेल हाइटेक रेडियो फ्रीक्वेंसी मीटर काफी सार्थक होएत। मीटर रीडिंग सेहो आसान भ जाएत। ऊर्जा मंत्री बिजेन्द्र प्रसाद यादव क कहब अछि जे सबटा कंपनी अपन अपन सामर्थ स काज करत। सबटा कंपनी कए प्रोफेशनल बनाउल जा रहल अछि। ऊर्जा मंत्री दावा केलथि जे अगिला वित्तीय वर्ष क शुरूआत तक सबटा केपनी क संचालन क भार विशेषज्ञ क जिम्मा मे होएत। राज्य क बिजली आपूर्ति व्यवस्था कए सुदृढ़ करबा लेल बोर्ड क पुनर्गठन कैल गेल अछि। कंपनी पहिल दिन स अपन अंतिम रूप मे नहि पाबि सकैत अछि। धीरे-धीरे अपन रूप मे आबि जाएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे भेटत डीएनए जांच क सुविधा

Esamaad Epaper Website

जनसभा स रैली : की की नहि देखलक पटना

मिथिलाक धरोहर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सोहर, कजरी आ नचारी स भेटल सुर समाद

by संपादक
August 24, 2015
0

Read more

रंग स नहायल मिथिला

by संपादक
March 1, 2010
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि