• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

दरभंगाक युवक कए आतंकी बनेबा मे फसीह क हाथ

May 24, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

इसमाद परिवार
(दरभंगा स जहांआरा आ वरूण, नई दिल्‍ली स सुनील आ दुबई स नेहा खातून)
दरभंगा/नई दिल्‍ली/ दुबई। सऊदी अरब मे गिरफ्तार इंडियन मुजाहिदीन (आइएम) क अहम सदस्‍य फसीह महमूद आइएम चीफ रियाज भटकल आ इकबाल भटकल क दाहिना हाथ बताउल जा रहल अछि। सूत्र क मानि त दरभंगा स गिरफ्तार कैल गेल 13टा युवक कए आइएम आतंकी बनेबा मे फसीह क हाथ अछि। ओ आइएम क पुरान नेटवर्क क हिस्सा अछि। पुलिस क कहब अछि जे 2005 मे कर्नाटक कए भटकल मे आइएम क गतिविधि मे शामिल भेलाक बाद फसीह 2008 मे बटला हाउस मुठभेड़ क बाद आइएम मॉड्यूल क खुलासा भेला पर देश स भागि गेल छल।
पेशा स इंजीनियर दरभंगा निवासी फसीह कए 13 मई कए अरब पुलिस साउदी अरब क जुबैल शहर स गिरफ्तार केने छल। स्‍थानीय अखबार क अनुसार एहि इंजीनियर कए पकडबा स पहिने अरब पुलिस भारत क देल सबूत क छानबीन केलक। भारत आओर साउदी अरब क बीच ओना त प्रत्‍यर्पण संधि 2010 मे भेल अछि मुदा फसीह महमूद क गिरफ्तारी समझौता क तहत पहिल प्रत्‍यर्पण अछि। साउदी अरब सरकार फसीह महमूद क संगहि ओकर फोन डीटेल आओर यात्रा स संबंधित दस्‍तावेज सेहो भारत सरकार कए सौंप देलक अछि। भारतीय पुलिस आब फसीह महमूद स पूछताछ क रहल अछि। पुलिस सूत्रक कहब अछि जे दरभंगा स एखन धरि 14टा गिरफ्तारी भ चुकल अछि आओर कईटा युवक कए ताकल जा रहल अछि। एहन मे एहि गप स इनकार नहि कैल जा रहल अछि जे दरभंगा समेत उत्‍तर बिहार क किछु शहर स एखन आओर गिरफ्तारी भ सकैत अछि।
पुलिस सूत्र क अनुसार कर्नाटक मे इंजीनियरिंग करबाक दौरान फसीह आइएम चीफ रियाज भटकल आ इकबाल भटकल क संपर्क मे आयल छल। ओकरा पर आतंकी गतिविधि लेल सऊदी अरब स धन मुहैया करेबाक सेहो आरोप अछि। ओकर खिलाफ एहि आरोप क सबूत सेहो भेटल अछि जे ओ बिहार क अन्य युवक कए आइएम नेटवर्क स जोडबाक काज केलक। दिल्ली पुलिस द्वारा जामा मस्जिद ब्लास्ट, चिन्नास्वामी स्टेडियम ब्लास्ट आ जर्मन बेकरी ब्लास्ट मामला मे गिरफ्तार गौहर अजीज खोमानी फसीह महमूद क पितियउत भाई अछि। ओकर गाम स गिरफ्तार कतील सिद्दीकी सेहो पुलिस कए बयान देलक अछि जे ओकरा आइएम स फसीह जोडलक छल। हालहि मे कर्नाटक पुलिस द्वारा बिहार स गिरफ्तार कफील अहमद सेहो महमूद क गामक छी आ ओ सेहो फसीह क नाम लेलक अछि।
वर्ष 2008 मे बटला हाउस मुठभेड क बाद देश से भागल आइएम क दर्जन भरि आतंकी मे स एक एक फसीह महमूद क संबंध मे ‘इसमाद’ कए भेटल जानकारी क अनुसार फसीह क परिवार दरभंगा क किछु पुरान इज्‍जतदार परिवार मे स एक अछि। फसीह क दादा मो. मीह समौला पंचायत क सरपंच छलाह। ओ गांव क पैघ जमींदार आ कांग्रेसी सेहो छलाह। फसीह क पिता डा फिरोज अहमद बहेडी ब्‍लॉक मे मेडिकल ऑफिसर छथि, जखनकि ओकर माई प्राथमिक विद्यालय मे प्रिंसिपल छथि। हुनक काका सेहो केंद्रीय विश्‍वविद्यालय मे प्राध्‍यापक छथि। फसीह क पैघ भाई साउदी अरब क जुबैल शहर क एकटा पैघ कंपनी मे काज करैत छथि। फसीह महमूद क दरभंगा स संबंध जुडैत आ टूटैत रहल अछि। ओकर प्राथमिक पढाई दरभंगा क क्‍योटी ब्‍लाक क बडा पोखर स्‍कूल स भेल, मुदा ओ 10वीं क परीक्षा अलीगढ स पास केलक। इंटर क पढाई लेल ओ दू साल लेल दरभंगा आयल आओर मिल्‍लत कॉलेज स 12वीं पास केलक। एकर बाद ओ फेर दरभंगा स गुलबर्ग चल गेल। ओतए स इंजीनियरिंग क डिग्री लेलक आ 2008 स अरब मे नौकरी क रहल अछि। फसीह महमूद आइएम चीफ रियाज भटकल आ इकबाल भटकल क सबस करीबी साथी मे स एक अछि। सूत्र स भेटल जानकारी क अनुसार आइएम चीफ रियाज भटकल आ इकबाल भटकल दरभंगा कई बेर आबि चुकल अछि आ फसीह क घर ठहरबाक कईटा सबूत पुलिस लग अछि। सूत्र क दावा अछि जे आइएम चीफ रियाज भटकल आ इकबाल भटकल ओकर घर महिनो ठहरैत छल आ फसीह क निकाह मे सेहो ओ बढि-चढि कए भाग लेने छल। जेकर सबूत पुलिस कए हाथ लागल निकाह क तसवीर आओर विडियो स सामने आयल अछि। सूत्र कहैत अछि जे फसीह क निकाह पहिने हुनकर परिवारक करीबी रिश्‍तेदार क बेटी स तय भेल छल। मुदा खिरमा निवासी ओ लडकी फसीह क कद्टरता स शंका मे गेल आ ओकर दाढी आओर भेष पर आपत्ति दर्ज केलक। फसीह कए भेष आ दाढी नहि हटेबाक कारण ओ रिश्‍ता टूटी गेल। लडकी क इनकार क बाद फसीह क निकाह दोसर ठाम तय कैल गेल। एहि मे ओकरा आठ लाख टका आओर एकटा गाडी सेहो दहेज क रूप मे भेटल।
दुबई स भेटल सूचना क अनुसार फसीह जुबैल क एकटा निर्माण कंपनी मे इंजीनियर क पद पर कार्यरत छल। कंपनी मे आन लाइन भेल साक्षात्‍कार स चुनल गेल छल। ओकरा लग मैकेनिकल इंजीनियहरंग क डिग्री अछि मुदा इंटरनेट क ओ गजब क जानकार बताउल जा रहल अछि। फसीह महमूद क संग काज करनिहार लोक क कहब अछि जे ओ बुद्धिमान आओर सभ्‍य अछि। कंपनी क प्रतिनिधि क कहब अछि जे ओ फसीह महमूद कए बस एकटा कर्मचारी क रूप मे जानैत अछि। जाहि मामला मे ओकरा भारत कए पठाउल गेल अछि ओहि मामला मे कंपनी क नाम जोडब गलत होएत। हम सब पुलिस क पूरा मदद केलहुं अछि आओर हम वैह केलहुं जे पुलिस चाहैत छल। फसीह महमूद क भाई जे अरब मे नौकरी करैत अछि हुनकर कहब अछि जे हुनक भाई निर्दोष अछि आओर आतंकवादी कार्रवाई मे कहियो शामिल नहि रहल। ओकर कहब अछि जे भारत सरकार पहिनो कईटा मामला मे निर्दोष युवक कए गिरफ्तार केलक आओर बाद मे ओकरा रिहा क देलक। फसीह महमूद मामला मे सेहो एहने होएत। दरभंगा स गिरफ्तार दिलशान क बहिन शबनम आ कफील क कनिया फातमा क कहब अछि जे फसीह जाहि कंपनी मे काज करैत छल ताहि मे नौकरी क नाम पर गाम क युवक सब कए बाहर ल जाइत छल। एहि महिला सबहक इ कहब अछि जे किछु युवक बाहर स जरूर अबैत छलाह मुदा हुनकर संबंध मे कहल जाइत छल जे इ फसीह संग कंपनी मे काज करैत छथि। फसीह क कोनो क्रियाकलाप एहन नहि छल जाहि स गाम क लोक संदेह भ सकैत छल।
दोसर दिस दरभंगा क आइजी आरके मिश्र क कहब अछि जे दरभंगा स भ रहल गिरफ्तारी एकटा लंबा अनुसंधानक प्रक्रिया क तहत भ रहल अछि। दरभंगा कए आतंकी क पनाहगाह बनबाक संदर्भ में आइजी कहला जे एहन कोनो गप नहि अछि। दरभंगा रेंज क सबटा एसपी क बीच समन्‍वय स्‍थापित कैल जा चुकल अछि आ पुलिस क सक्रियता आ खूफिया सूचना पर कार्रवाई तेज क देल गेल अछि। आइजी कहला अछि जे नेपालक खुलल सीमा एहि मे एकटा पैघ बाधा अछि जाहि पर केंद्र स गप भ रहल अछि। दरभंगा क पूर्व सांसद आ राजद नेता एएए फातमी क एहि पूरा मामला मे कहब अछि जे दरभंगा मे जे गिरफ्तारी भेल अछि ओ शहर लेल दुखद अछि। ओ कहला जे दरभंगा एकटा शांत शहर अछि आ नेपाल सीमा स सटल हेबाक कारण भ एहि ठाम आतंकी क नुकेबाक आशंका प्रबल अछि। ओ मानलाह जे दरभंगा मे किछु एहन लोक नुका सकैत अछि जे आतंकी कार्रवाई मे लागल हुए। पूर्व केंद्रीय मंत्री मो फातमी सेहो एकरा लेल पुलिस सक्रियता आ नेपाल सीमा कए सजग करबाक मांग केलथि। कुल मिला कए फसीह आतंकी अछि बा नहि इ त समय आ कोर्ट तय करत मुदा दरभंगा क हर तबका, हर समुदाय आओर हर वर्ग एकजुट भ एहि प्रकारक कोनो व्‍यक्ति कए शरणस्‍थली दरभंगा कए बनेबाक विरोध क रहल छथि। दरभंगा इ मानबा लेल आब तैयार भ चुकल अछि जे ओकर शांतिप्रिय चरित्र किछु अशांति फैलेनिहार लोक लेल पनाहगार बनि गेल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

जमीन क नक्शा आ खतियान क संयुक्त डाटा ऑनलाइन करि इतिहास रचलक बिहार

एकटा अभिनव प्रयोग रहल सुर समाद

शुरुआती झटका स पछुआ गेल मैथिली फिल्म : कमलनाथ

Comments 2

  1. VIVEK says:
    11 years ago

    Ai se karib das din pahile bhel giraftari par ahin sab aig ugalne rahiye aur atankavadi ke nirdosh batavait rahiya aiye ki bhel ahin sab karne lok a biswas aab media se uthal jai rahal chhai.news aa patrakarita t karait chhi muda manshikta ahan sab gaon mai baisal baktet san hoit aichh.

    Reply
  2. shaukat says:
    11 years ago

    can u belive editor , our home minster say,..fasih isn’t arrested by our authority( Indian Police).. who say wrong.. 1.our Home minster( full non-sanse bureaucrat) 2. Media report ( as per Media report he is aataknwadi .. aslo as a report of above..) 3. his family member..
    as per my view.. media say yes he is arrest chances is correct because K.S.A. authority have a proof .. ke Indian police want fasih & they give him so many charges.. after that Govt of K.S.A hand over to fashih to Indian Authority( Indian Police) but still as per our Home minster say he isn’t arrest and red corner Notice issue against him ..that means our bureaucrat lose the judicial war.. because.. Fasish family manage paper of K.S.A.. than what say… our bureaucrat.. pls. Indian Authority pls. prepare final paper first than arrest fashi.. & Media serach fasish ko arrest karene ke baad darama chal raha hain.. soft target again may be it’s political.. may be media is right .. may be Our home minster is right.. ya family of faish is right.. lakin Insaaf jaldi karo.. jo bhi doshi hain use saza milna chayee.. aasa nahi ho ke target ke khel main woh maza le.. pls.. pls.. Ek Nazar es pe bhi dalye ga.. Editor sb.. Target.. of ATS.. target of Police station, target of Govt of india ..

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

How to Increase Download Speed in uTorrent by Changing Few Settings

How to Stay Anonymous with VPN for uTorrent

Make uTorrent Faster 8 Proven Tips Latest Guide

How to decrease or reduce the upload speed in uTorrent

Run uTorrent on Windows 10 or 11 DEV Community

What is Seeding in Torrenting? Torrent Seeding Explained

Why is bittorrent slow from my home computer?

Download files quickly and easily with uTorrent

How to Install uTorrent Web on Windows? GeeksforGeeks

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

भागलपुर मे विकसित होएत ईको टूरिज्म, डाल्फिन क दर्शन लेल चलत बोट

by संपादक
January 29, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि