• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

दरभंगाक रंगमंचक अन्हार दुर कए रहल छथि‍ प्रकाश

December 22, 2017
in विचार, समाचार
A A
114
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

जितेन्द्र नाथ झा

दरभंगा क प्रोफ़सर कालोनी …सांझ भ गेल अछि …कने ठण्ड सेहो छै ..सडक पर लोक सबहक कम आवाजाही ..पास मे मैथिली साहित्य परिषद क प्रांगन मे दू टा नाटक क मंचन हेबाक लेल उत्साही युवक क टोली तात्कालिक स्टेज बनेबा मे लागल अछि । किछु युवा रंगकर्मी दर्शक लेल दरी बिछा रहल अछि ..किछुए काल में नाटक मंचन हेबाक अछि ..सात बजिते बजिते दर्शक सब बिछाओल दरी पर बैस रहलाह …जाबे तक नाटक खत्म नै भेल ताबे तक दर्शक बैसल रहलाह । दर्शक क संख्या आ प्रतिक्रिया देखि निर्देश प्रकाश बंधूक रंगकर्मी दल खुश छथि‍ ।

छोट छीन शहर दरभंगा । नै ढंगक आडिटोरियम । नाटक क लेल कुनो सुविधा नै ..लोक सब मे  नाटक देखे क लगाव, मुदा नाटक करत के । देखैक प्रति लगाव मुदा, नाटक करत के । रंगमंच त भ रहल छल  । मुदा रंगमंच क नाम पर खानापूर्ति भ रहल छल । ऐहन माहौल मे रंगकर्मी प्रकाश बंधू क आगमन दरभंगा रंगमंच मे होइत अछि आ मृतप्राय थियेटर क आधुनिक जमाना क रंगमंचीय तकनीक सं आ नव सोच सं रंग परम्परा मे जान फूंकते छथि ।

किछु दिन पहिले प्रकाश दरभंगा क प्रोफ़ेसर कालोनी क मैथिली साहित्य परिषद के आँगन मे इन्टीमेट थियेटर डिजाइन केलनि जकरा मार्डन भाषा मे बाक्स थियेटर कहल जाइत अछि से बनाकए बादशाहत क खात्मा आ कर्फ्यू नाटक क मंचन केलनि । कपडा सं घेरि‍ कए स्टेजनुमा मंच बनाओल गेल । जमीन पर दरी बिछोल गेल । दर्शक एलाह आ अंत तक देखबाक लेल बैसल रहलाह । एही  नाटक क मंचन सं परिषद क लोग बहुत खुश छथि, किएक त परिषद क पूर्व अध्यक्ष गणपति मिश्र जे आब ई दुनिया मे नहीं छथि हुनकर इच्छा रहनि जे परिषद क आँगन मे नाटकक मंचन होय । एहि शहरक ल कए प्रकाश बंधू क योजना अछि जे ओ एहि शहर मे एक टा आडिटोरियम बनाओत, जाहीं सं ककरो नाटक करेबा वा करबा मे असुविधा नै होय ।

नई दिल्ली मे पढाई काल मे पैघ भैयारी रंगकर्मी दीपक बंधू क सलाह पर थियेटर सं  हिनका  रिश्ता बनल । फेर दिल्ली मे थियेटर यूनिट क स्थापना केलाह आ नाटक स अटूट रिश्ता बनी गेलनि । 2001 में हिनकर पिता श्री बी आर पी बंधू (सांग ड्रामा डिवीजन क सहायक निदेशक ) जी  नौकरी क सिलसिला मे दरभंगा एलाह त अपन पिता क संगे प्रकाश सेहो दरभंगा एलनि । एही ठाम  युवा सबकए एकजुट कए थियेटर यूनिट नाट्य दल बनेलौनी आ शिथिल भ गेल रंगमंच कए गति प्रदान केलनि । आय बिहार क राजधानी पटना होय या देश क राजधनी दिल्ली होय गैर व्यवसायी नाट्य संस्थान क लेल महंग आ पैघ नाटक बिना कुनो सरकारी अनुदानक संभव नै अछि । ओही ठाम  प्रकाश बंधू क टीम बिना कुनो सरकारी अनुदानक साल भरि  अलग-अलग प्रस्तुति करैत रहैत अछि । मोतिहारी क रहनिहार प्रकाश कहैत छथि जे दरभंगा मे दर्शक क कुनू कमी नै, हम जखन कुनो  नाटक करैत छी त दर्शक क नीक रिस्पांस भेटैत अछि । एही ठाम कमी छै त एकटा नीक आडिटोरियम क जाहि स दर्शक कए तकनीकी रूप से बेहतरीन नाटक देखबा क अवसर भेटि‍ सकय ।  आठवाँ सर्ग ,बिछु ,मरनोप्रान्त ,अंधा युग ,मैथिली नाटक अभिनव् जयदेव विद्यापति आदि नाटक निर्देशित केनिहार प्रकाश एहि शहर मे रंग परम्परा क माहौल बनेने अछि  । चाहे ओ नाट्य कार्यशाला होए या नुक्कड़ नाटक क प्रस्तुति…प्रकाश दरभंगा रंगमंच क उम्मीद बनि चुकल छथि ।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

प्रकाश हिन्दी नाटक करै छथि आ मैथिली नाटकक संदर्भ म कहय छथि जे एकटा नाटक केने रही अभिनव जयदेव विद्यापति तकर बहुत नीक रिस्पांस रहै, आब एकटा आओर मैथिली नाटक क मंचन लेल सोची रहल छी ।

Tags: darbhangaPrakash BandhuTheatre Unit
Share114TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

मैथिली कए सम्‍मान देबा लेल 1975 मे तैयार भए गेल छलाह अटल

मधेपुरा लिखल इंजन तैयार, 28 फरवरी कए चलत पटरी पर

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

How to Increase Download Speed in uTorrent by Changing Few Settings

How to Stay Anonymous with VPN for uTorrent

Make uTorrent Faster 8 Proven Tips Latest Guide

How to decrease or reduce the upload speed in uTorrent

Run uTorrent on Windows 10 or 11 DEV Community

What is Seeding in Torrenting? Torrent Seeding Explained

Why is bittorrent slow from my home computer?

Download files quickly and easily with uTorrent

How to Install uTorrent Web on Windows? GeeksforGeeks

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि