• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

दरभंगा एयरपोर्टक अस्थायी टर्मिनल स शुरु होएत सेवा, स्पाइजेट शुरु केलक बुकिंग क तैयारी

January 25, 2018
in समाचार
A A
316
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
अभिनव कुमार
बेंगलुरु । केंद्रीय उड्डयन राज्य मंत्री जयंत सिन्हा कहलथि अछि जे दरभंगा एयरपोर्ट स विमान सेवा शुरु करबा लेल टर्मिनल निर्माणक बाट नहि ताकल जायत। इ सेवा अस्थायी टर्मिनल बना शुरु कैल जायत। ओ कहला जे दिल्ली मे पत्रकार कए उडान योजनाक दोसर चरणक जानकारी दैत एयरपोर्ट अथॉरिटी ऑफ इंडिया क पदाधिकारी दरभंगा एयरपोर्ट क बुधदिन निरीक्षण केलथि अछि। ओहि ठाम सेवा शुरु करबा लेल शीघ्र एकटा पोर्टेबल केबिन तैयार कैल जा रहल अछि। पोर्टेबल केबिन मे यात्री कए चेंकिग, सिक्योरिटी चेक आ अन्य सुविधा भेट सकत। स्थायी टर्मिनल लेल 20 एकड जमीन सरकार अधिग्रहण करत, जेकरा लेल भमिक चयन भ गेल अछि। बाकीक रूपरेखा लेल एयरपोर्ट अथॉरिटी ऑफ  इंडिया क टीम लागल अछि। पोर्टेबल केबिन ता धरि उपयोगी रहत जा धरि स्थायी एयरपोर्ट टर्मिनल, एटीसी और अन्य निर्माण नहि भ जाइत अछि।
उल्लेखनीय अछि जे बुधदिन केंद्र सरकार उडान योजनाक दोसर चरण लेल चयनित शहर आ सेवा देनिहार विमानन कंपनीक घोषणा क देलक। बिहार स दरभंगा एक मात्र शहर एहि सूची मे अछि। दरभंगा एहि योजनाक तहत दिल्ली, मुंबई आ बेंगलुरु स सीधा जुडत। दरभंगा लेल सेवा देनिहार दूटा विमानन कंपनी निविदा देने छल, मुदा इंडिगो अंतिम समय मे अपन दावा वापस ल लेलक। दरअसल दरभंगा लेल दूनू निविदा सरकार स बिना कोनो सहायता लेने सेवा देबा लेल छल। सरकार आखिरी समय मे 40टा सीट लेल अधिकतम किराया तय कर देलक जे किराया छूट लेनिहार कंपनी लेल तय भेल छल। इंडिगो इ कहैत अपन नाम वापस लेलक जे हम जखन सरकार स कोनो सब्सिडी नहि लेब त हमरा लेल सब्सिडी लेनिहार जेकां न्यूनतम किराया क बंधन  किया। ओना स्पाइजेट सरकारक एहि शर्त कए मंजूर केलक आ दरभंगा स तीनटा शहर लेल सेवा देबाक परमिट हासिल केलक। स्पाइस जेट क एकटा अधिकारीक अनुसार कंपनी दरभंगा लेल काफी उत्साहित अछि आ दरभंगा स बुकिंग शुरु करबा लेल जरुरी प्रक्रिया कए पूरा करबा मे लागल अछि। हुनकर अनुसार कंपनी दरभंगा स तीनू शहर लेल 189 सीट वाला बोइंग 737 एयरक्राफ्ट उपयोग करत। एहि मे सरकारी शर्त क अनुसार 40 टा सीट लेल अधिकतम किराया 3 हजार 470 टका होएत, जखन कि बाकी सीट लेल किराया मांगक अनुरूप तय कैल जायत। पटना क मुकाबले दरभंगाक किराया मे केतबा अंतर भ सकैत अछि त ओ कहला जे इ मांग पर निर्भर करैत अछि। अगर दरभंगा लेल मांग पटना स बेसी रहत त निश्चित रूप स किराया पटनाक समान या फेर बेसी होएत। विमानन कंपनी मे किराया मांग क अनुरूप होइत अछि, मुदा दरभंगा मे पैघ आकारक विमान उतरत ताहि लेल किराया मे राहतक उम्मीद कैल जा सकैत अछि।
Tags: darbhangaDarbhanga Airport
Share316TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

सामाजिक कुप्रथा : सुधारक प्रयास

ईशान किशन पर लागल 6.20 करोड़क बोली

पटना आ बिहटाक बीच बनत बिहार क पहिल नौ लेन सडक

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि