• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दरभंगा क विकास लेल होएत 15 कए सब विभागक संयुक्त बैसार

April 3, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

esamaasदरभंगा । जेना जेना लोकसभा चुनाव लग आबि रहल अछि, सासंद कीर्ति आजाद कए दरभंगाक चिंता बढ़ल जा रहल अछि। पिछला कई साल स दरभंगा कए दिल्ली बना देबाक दावा करनिहार आजाद अधिकतर समय दिल्ली मे बितेलाह, मुदा आब दरभंगा क जल जमाव पर ओ किंतु-परंतु सुनबा लेल तैयार नहि छथि। सांसद मे दरभंगाक कोनो मसला उठेबा स परहेज करनिहार कीर्ति आब इ सेहो कहैत छथि जे रेल मंत्रालय स काज निकालब हुनकर जिम्मा आ स्थानीय पदाधिकारी स्थानीय स्तर क काज कए आगू ल जाइथि। कीर्ति क इ बदलल रूप कोनो मंच पर नहि बल्कि दरभंगा नगर निगम कार्यालय मे देखबा लेल भेटल। दिल्ली स दरभंगा पहुंचल कीर्ति एहि बेर नहि त पाकिस्तान क हालात पर चिंतित भेलाह आ नहि हुनका अइपीएल क चिंता छल। ओ पूर्णरूप स दरभंगा क सांसद जेकां दरभंगा लेल चिंतित देखेलाह। नगर आयुक्त क कक्ष मे ओ महापौर गौरी पासवान स साफ कहला जे- सूनू मेयर साहब, हमर एकटा इच्छा अछि जे शहर क लोक कए जलजमाव से निजात भेट जाए। एहि मे कोनो अगर-मगर, किंतु-परंतु नहि चलत। रेलवे हो बा पीएचईडी सबकए एक ठाम बैसा समेकित रूप स योजना बनाउल जाए आ तत्परता स ओकर क्रियान्वयन कैल जाए, जाहि स दरभंगा शहर क लोक बरसात मे जलजमाव क पीड़ा स आजाद रहथि। निगम कार्यालय मे दरभंगाक विकास लेल निगम पदाधिकारी संग सांसद क बैसार क सूचना भेटला पर नगर विधायक संजय सरावगी सेहो निगम कार्यालय पहुंचलाह आ अपन चिंता कए सांसद क चिंता संग जोडि निगम पदाधिकारी कए शीघ्र समर्ग बैसार बजेबाक अनुरोध केलथि। बैसार मे मेयर गौरी पासवान, नगर आयुक्त केबीएन सिंह, नगर अभियंता सुशील कुमार उपस्थित छलाह। दरभंगाक क नीति निर्धारक इ तीनू पदाधिकारी विधायक आ सांसद क आगू किछु कहबा मे असमर्थ छलाह। दरभंगा मे एहन कम मौका आयल अछि जखन एहि प्रकार स सासंद आ विधायक शहर क मासला पर भोरे भोर निगम कार्यालय पहुंच बैसार क रहल छलाह।

नगर विधायक क उपस्थिति देख सांसद नगर आयुक्त स जलजमाव क कारण बुझबाक प्रयास केलथि त नगर अभियंता हुनका विस्तार स जलजमाव आ ओकर निदान क उपाय बुझेलथि। अल्लपट्टी भटवा पोखर लग जल निकासी क रास्ता पातर अछि। एकरा चौड़ा करबा लेल रेलवे स सहयोग चाही। लहेरियासराय चट्टी स वाटर वेज वाला नाला क आउट लेट जीवछ नदी तक ल जेबाक अछि आ कंगवा गुमटी लग स नदी तक आउट लेट बनेबाक अछि। एतबा सुनैत सांसद एना चौंकलाह जेना दरभंगा पहिल बेर आयल छथि। सांसद कहला जे अगर बीमारी आ इलाज दूनू बुझल अछि त फेर देरी कोन गप क अछि, बैसार बजाउ आ आयुक्त ओकर अध्यक्षता करथि। कीर्ति कहला जे सब कए एक संग बैसबा मे देरी किया। डीआरएम, जिला प्रशासन, इरकान, पीएचइडी, पीडब्ल्यूडी आ डूडा कए एक संग बैसाउ। एक संग सोचला स काज बनत आ शहर जलजमाव स मुक्त होयत। रेलवे स जे करेबाक अछि से हम करा देब। बांकी मुद्दा पर अहां सब गंभीरता देखाउ। नगर विधायक संजय सरावगी सुझाव देलथि जे तीनू आउटलेट ग्रामीण क्षेत्र मे अछि। एकर निर्माण मनरेगा स कराउल जाए। एहि स नगर निगम कए राशि क समस्या सेहो नहि होएत आ लोक कए रोजगार सेहो भेटत, शहर कए जल जमाव स मुक्त करबा लेल इ एकटा नीक रास्ता अछि। सांसद श्री आजाद विधायकक सुझाव कए स्वीकार करैत सोच क सराहना केलथि। ओ कहला जे आयुक्त स सहमति ल कए 15 अप्रैल कए सब विभाग क संयुक्त बैसार आहूत कैल जाए। एहि दौरान पार्षद प्रदीप गुप्ता सेहो नगर निगम प्रशासन पर कई बेर चुटकी लेलथि, जेकर उत्तर नहि त मेयर लग छल आ नहि नगर आयुक्त लग। बैसार मे सहायक अभियंता रतन कुमार वर्मा, सउद आलम क संग पार्षद आशुतोष कुमार, नफीसुल हक रिंकु आदि सेहो शामिल भेलाह। नगर निगमक बैसार क बाद सांसद दरभंगा टावर पहुंचलाह। टावर पर दुर्गध एतबा छल जे ओ नगर आयुक्त स पूछलाह जे ब्लीचिंग क छिड़काव दरीभंगा मे होइत अछि बा नहि। एहि पर जखन एकटा नागरिक किछु टिप्पणी करबाक कोशिश केलक त सांसद ओकरा पुचकारि कए चुप करा देलथि। ओ टूक टूक क सांसद कए देखैत रहल।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचारसहरसा

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

भागलपुर आ सुल्तानगंज क 13टा सड़क होएत चकाचक

Esamaad Epaper Website

पडल रहि गेल कोसी राहत क 467 करोड़

Esamaad Epaper Website

इ सशक्तीकरण नहि, विश्वास क अकाल छी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि