• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

देशक सबस पैघ पुल बनबा मे लागत एखन तीन साल

October 14, 2009
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

ganga
2012 तक तैयार होयत पटना रेल सह सड़क पुल
4556 मीटर लंबा एहि पुल मे कुल 39 टा पाया होयत
37टा पाया बनि कए तैयार, बाकी पर काज जारी
1366 करोड़ टका स तैयार भ रहल अछि पुल

पटना। रेल राज्य मंत्री ई अहमद कहला अछि जे पटना मे गंगा नदी पर बनि रहल रेल सह सड़क पुल बिहार क लेल विकास क सेतु साबित होइत। इ पुल बिहार क लेल नहि बल्कि पूरा देश क लेल राष्ट्रीय गौरव होयत। अहमद स्टीमर स गंगा नदी क ऊपर निर्माणाधीन एहि रेल पुल क निरीक्षण करबा लेल गेल छलाह। ओ कार्य प्रगति कए संतोषजनक कहैत रेल अधिकारी कए निर्माण कार्य लक्ष्य क अनुसार दिसम्बर 2012 तक पूरा करबाक निर्देश देलथि।
रेल राज्यमंत्री कहला जे 4556 मीटर क लंबाई वाला एहि पुल कए बनिकए तैयार भ गेला पर इ भारत क सबस लंबा रेल सह सड़क पुल होयत।
अहमद कहला जे 1366 करोड़ टका क लागत स बनि रहल एहि पुल क निर्माण पहिने मात्र रेलवे पुल क रूप मे हेबाक छल, मुदा बाद मे एकरा रेल सह सड़क पुल क रूप मे परिवर्तित करि एकर निर्माण कार्य शुरू कराउल गेल अछि। रेल राज्यमंत्री कहला जे एहि पुल क निर्माण मे भारत मे कोनो दोसर पुल क तुलना मे सबस बेसी स्टील क इस्तेमाल भ रहल अछि। एहि मे 39टा खंभा रहत, जाहि मे स 37टा खंभा क निर्माण कार्य पूरा भ चुकल अछि आओर आब पियर कैप आ सुपर स्ट्रक्चर क कार्य कए पूरा कैल जा रहल अछि। ओ कहलथि जे रेलवे क इंजीनियर आ सुपरवाइजर काजक बारीकी स निरीक्षण करि रहल छथि आ निर्माण कार्य क दौरान उच्च गुणवत्ता सुनिचित करि रहल छथि । रेल राज्यमंत्री ई अहमद पुल निर्माण कार्य मे लगल टीम कए 50 हजार टका क पुरस्कार देबाक घोषणा केलथि।
रेल राज्यमंत्री कहलथि जे ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स स्वयं यात्री क सुरक्षा क मामला मे गप केलथि अछि आ मुख्यमंत्री सेहो प्रदेश क अधिकारी कए एहि संबंध मे दिशा-निर्देश जारी केलथि अछि। एकटा प्रश्नक उत्तर मे रेल राज्यमंत्री कहलथि जे बिहार संग कोनो भेदभाव नहि बरतल जा रहल अछि। रेलमंत्री ममता बनर्जी बिहार पर विशेष ध्यान द रहल छथि। हुनकर साफ निर्देश अछि जे बिहार क रेल परियोजना क क्रियान्वयन प्राथमिकता क आधार पर हेबाक चाही। मंत्रालय एकरा लेल पर्याप्त मात्रा मे धन उपलब्ध करा रहल अछि। यदि कोनो परियोजना मे दिक्कत अबैत अछि त आवश्यकतानुसार ओकर समीक्षा कए अधिक धन उपलब्ध कराउल जाइत।

Tags: Biharganganewspatnaई अहमदगंगा नदीपटनाबिहाररेलरेल सह सड़क पुल
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

तोगडिय़ा कए नीतीशक तगड़ा जबाव

Esamaad Epaper Website

कैदी बनताह शिक्षक, जेल मे लागत पाठशाला

Esamaad Epaper Website

रोज चाही एक लाख, नहि त घरे करू आराम

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि