• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

दोनार ओवरब्रिज क बाट साफ, अगिला साल शुरू होएत निर्माण

November 30, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

नई दिल्‍ली। पटना स ल कए दिल्ली तक भेल निरंतर प्रयास क बाद बाद आखिरकार दरभंगा क दोनार चौराहा पर चारिमुहानी रेल ऊपरि पुल क बाट साफ भ गेल। इ ऊपरि पुल पटना क बाद बिहार क कोनो आन शहर मे प्रस्‍तावित दोसर चारिमुहानी रेल ऊपरि पुल होएत। नगर विधायक संजय सरावगी मंगलदिन दोनार ऊपरि पुल क निर्माण अगिला वित्‍त वर्ष मे शुरू भ जेबाक जानकारी देलथि। ओ कहला जे एकरा राज्‍य सरकार पहिने पास क चुकल छल आब रेलवे सेहो एकरा स्वीकृति प्रदान क देलक अछि। इ सेहो लगभग तय अछि जे एहि ऊपरि पुल क निमार्ण बिहार सरकारक पुल निर्माण निगम करत आ एहि लेल निगम डीपीआर तैयार क रहल अछि। आब इ तय भ गेल जे जल्द रेलवे क्रासिंग आ दोनार मे लागि रहल जाम स शहरवासी कए छुटकारा भेट जाएत।
इ शहर क एकटा ज्वलंत समस्या मे स एक छल। दोनार मे रेल ऊपरि पुल लेल प्रयास त लगभग दू दशक स भ रहल छल, मुदा एकरा मुकाम तक पहुंचेबा में नगर विधायक संजय सरावगी आ सांसद कीर्ति आजाद अहम भूमिका निभेलथि अछि। सूत्र स भेट रहल जानकारी क अनुसार एहि ओवरब्रिज लेल 32 करोड़ 53 लाख क प्रस्ताव अछि ओना एकर पुष्टि नहि भ सकल अछि। श्री सरावगी एहि संबंध मे कहला इ ऊपरि पुल केतबा मे बनत इ त पता नहि मुदा इ दू कात नहि बल्कि चारि कात खसत। पूर्व मे छपकी त पश्चिम मे नाका-5 दिस, उत्‍तर मे हॉलीक्रास त दक्षिण मे बेता दिस खसत। एहि प्रकार स दोनार चौराहा पर पटनाक मीठापुर ऊपरिपुल जेकां एकटा पैघ चौराहा क निर्माण होएत। श्री सरावगी एहि आशंका कए सेहो दूर केलथि जे एहि पुल क चौडाई कटहलबाडी मे बनल पुल सन होएत। नगर विधायक कहला जे इ ऊपरि पुल दू लेनक होएत आ कहटलबाडी स लगभग दोगुना चौडा होएत। ज्ञात हुए जे दोनार क पूर्वी आ पश्चिमी हिस्‍सा मे काफी दूर तक घन आबादी भ चुकल अछि। रेलवे फाटक स लकए माछ बाजार तक काफी कम चौडा सडक अछि, कईटा मकान सेहो अतिक्रमण केने अछि। कुल मिला कए दोनार चौराहा क आसापास रेलवे लाइन क एहि पार कईटा डायट, कई नामी-गिरामी इंगलिश मीडियम स्कूल आ बाजार भेला स जाम क समस्‍या बिकराल भ चुकल अछि आ दोनार भ कए यात्रा करब दिन-ब-दिन दुष्कर होइत जा रहल अछि। एहि संबंध मे इ’समाद समय समय पर लिखैत रहल अछि आ नगर विधायक इ साफ क देलाह अछि जे ओवरब्रिज क बाट मे आबि रहल सबटा बाधा दूर भ चुकल अछि अगिला वित्‍तवर्ष मे शासन स धन अवमुक्त होइत देरी एहि ठाम निर्माण कार्य शुरू भ जाएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

कामेश्‍वरनगर क घुरत दिन, सौंदर्यीकरणक शिलान्‍यास आब तीन कए

विहार लेल तैयार होएत सरोवर

Esamaad Epaper Website

राज्‍यपाल क फैसला अवैध, छहटा वीसी आ चारिटा प्रोवीसी क नियुक्ति रद्द

Comments 2

  1. Barun Jha says:
    10 years ago

    Esamaad Team- Sakri-Laukaha-Nirmali broad gauge conversion kahya complete hoyte. Ehi par agar prakash dalito te badhya hoaite.

    Reply
  2. Prakash Kr. Jha says:
    10 years ago

    Darbhanga shahar me rahnihar lok sabh ke jaam sa mukti diyeba lel overbridge jaroori achhi. Jainagar sahar ke pravesh par seho ekta overbridge ke avasyakta achhi.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि