• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

नदी जोडबा लेल भ रहल डीपीआर तैयार

July 23, 2012
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना : बिहार मे नदी कए जोड़बा लेल कुल 11टा योजना पर काज जारी अछि जाहि मे बाढ़ नियंत्रण, सिंचाई आ थर्मल पावर स संबंधित योजना शामिल अछि। बिहार राज्य जल संसाधन विभाग क प्रधान सचिव अफजल अमानुल्लाह कहला अछि जे नदी कए जोड़बाक एहि योजना सब मे सबस पैघ योजना 12298 करोड़ टकाक पटना जिला क बाढ़ अनुमंडल क समीप स गंगा नदी क जल कए दक्षिण बिहार मे स्थानांतरित करबाक अछि जाहि स पटना, नवादा, नालंदा, गया, औरंगाबाद आ जमुई जिला लाभान्वित होएत।
ओ कहला जे एहि योजना क पूर्व व्यवहार्यता रिपोर्ट स्वीकृत भ गेल अछि आ राष्ट्रीय जल विकास अभिकरण द्वारा एकर विस्तृत परियाजना रिपोर्ट (डीपीआर) तैयार करबाक काज प्रगति पर अछि। अमानुल्लाह कहला जे बक्सर लग गंगा नदी क जल कए दक्षिण बिहार मे स्थानांतरित करबाक एकटा अन्य योजना स रोहतास, आरा आ बक्सर जिला लाभान्वित होएत आ एहि परियोजना क डीपीआर राष्ट्रीय जल विकास अभिकरण तैयार क रहल अछि।
ओ कहला जे सिंचाई क उद्देश्य स नदी कए जोड़बाक 4441.82 करोड़ टकाक लागत वाला दोसर पैघ योजना कोशी-मेची लिंक योजना अछि जेकर पूर्व व्यवहार्यता रिपोर्ट स्वीकृत भ गेल अछि आ एकर डीपीआर सेहो तैयार कैल जा रहल अछि। एहि योजना स प्रदेश क सुपौल, सहरसा, अररिया, किशनगंज आ पूर्णिया जिला लाभान्वित होएत। अमानुल्लाह कहला जे बाढ़ नियंत्रण क उद्देश्य स नदी कए जोड़बा लेल तैयार योजना मे सबस पैघ 3946 करोड़ टकाक बूढ़ी गंडक- सोन- बाया- गंगा लिंक योजना अछि जाहि स समस्तीपुर, बेगूसराय आ खगड़िया जिला लाभान्वित होएत। एहि परियोजना क पीपीआर केंद्रीय जल आयोग कए स्वीकृति लेल पठाउल जा चुकल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

आखिर भेटल बरौनी कए कोल लिंक

Esamaad Epaper Website

सपना भेल साकार, छपरा रेल चक्‍का कारखाना मे उत्‍पादन शुरू

Esamaad Epaper Website

बिजली क्षेत्र मे बिहार कए भेटल ‘महासनेस’

Comments 1

  1. Dr. Shashidhar kumar says:
    10 years ago

    योजना कतेको बेर बनल आ कतेको बेर हेरायल ।

    जहिया पूरा होयत तहिया बधाई ।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

by संपादक
June 4, 2021
0
कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

पटना : कोरोना मामलाक सुनवाई क दौरान राज्य सरकार दिस स देल गेल हलफनामा मे हाईकोर्ट कए कहल गेल अछि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि