• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

निगम क उदासीनता स धूल खा रहल एकटा नीक प्रस्ताव

December 4, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

दरभंगा: दरभंगा नगर निगम क उदासीनता क कारण शहर एकटा एहन योजना स वंचित भ रहल अछि जे शहर कए एकटा नव परिचय द सकैत छल। दरभंगा क गिनती देशक किछु व्यवस्थित शहर मे छल आ एखनो इ तेजी स विकसित भ रहल शहरक सूची मे अछि। कोनो शहर क सबस पैघ जरूरत ओकर सार्वजनिक आधारभूत संरचना होइत अछि। बिहार सरकार एक दिस झाडालय (शौचालय) क विकास लेल प्रयासरत अछि त दोसर दिस एहि शहर मे सार्वजनिक झाडालय क गप इतिहास जेकां भ चुकल अछि। ताबड़तोड़ बढ़ैत जनसंख्या क बावजूद निगम क झाडालय निर्माण मे कोनो दिलचस्पी नहि देखा रहल अछि। पुरान झाडालय आब खंडहर समान भ चुकल अछि। एहन मे शहर कए सुचिता देबा लेल नव सार्वजनिक झाडालय निर्माण लेल आगू आयल एकटा संस्था क प्रस्ताव कए सेहो निगम तख्खा पर राखि देलक। शहर क दू लाख य बेसी आबादी आ बाहर स रोज अबनिहार पाहुनक लेल 1972 मे बन नौटा सार्वजनिक झाडालय महज कहबा लेल चलि रहल अछि। ओकर सबहक स्थिति एतबा जर्जर भ चुकल अछि जे दूटा कए बंद क देल गेल अछि। शहरक इतिहास आ जरुरत कए देखैत स्वयं सेवी संस्था आॅल इंडिया इनवायरमेंट एंड एजुकेशनल सोशल वेलफेयर सोसाइटी अपन खर्च पर शहर मे 16टा सार्वजनिक मॉडर्न झाडालय निर्माण करबाक अनुमति निगम स मंगने छल। संस्था तीन करोड़ टका खर्च क शहर कए एकटा नव रूप देबाक प्रस्ताव तैयार केने छल। एहि दिशा मे तत्कालीन नगर आयुक्त केबीएन सिंह दिलचस्पी सेहो देखेने छलाह। छहटा स्थान पर निर्माण कार्य लेल संस्था आ निगम क बीच 11 अप्रैल कए समझौता सेहो भेल। शहर क आवागमन कए देखैत निगम शहर क चारू दिशा मे झाडालय निर्माण लेल समझौता संस्था स केने छल। एहि मे रेलवे स्टेशन, बेंता चौक, डीएमसीएच क मुख्य दुहारि आ गायनिक वार्ड, लहेरियासराय आ मुफ्ती मोहल्ला क अंबेदकर कॉलोनी शामिल छल। मुदा बाद मे एकरा नव नगर आयुक्त विचाराधीन बना देलथि। संस्था कए एखन धरि काज शुरू करबाक स्वीकृति नहि देल गेल अछि। संस्था डीएम कए पत्र लिखकए दिल्ली मोड़ स्थित निमार्णाधीन बस स्टेंड मे सेहो डीलक्स सार्वजनिक झाडालय आ स्नान घर बनेबाक  प्रस्ताव देने छल। एकरा लेल जिला योजना पदाधिकारी नगर निगम कए एक सप्ताह क अंदर मंतव्य देबा लेल कहने छलाह। 16 अगस्त स निगम मे इ फाइल तख्खा पर गरदा खा रहल अछि। एहि संबंध मे एआइइएएसवीएस क अध्यक्ष रामकुमार राय निगम प्रशासन स बेर-बेर संपर्क करबा पर सेहो निर्माण क स्वीकृति नहि द रहल अछि। कहल गेल अछि जे अहां सब स बसी टका शहर लेल सरकार लग अछि आ सरकार इ काज करत। निगम क इ कहब सेहो अछि जे ओ अपन बल पर बेहतर झाडालय क निर्माण करबा मे समर्थ अछि। एहन मे संस्था अपन प्रस्ताव आब आन शहर लेल बनेबा पर विचार क रहल अछि। दोसर दिस महापौर गौरी पासवान क कहब अछि जे हम चाहैत छी जे शहर मे मॉडर्न झाडालय क निर्माण हुए, मुदा एहि स निगम कए राजस्व क क्षति भ रहल अछि। ओना पासवान इ कहलाह जे एखन धरि प्रस्ताव कए खारिज नहि कैल गेल अछि इ विचाराधीन अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

नबका साल मे भेटत सिटी बस सेवा क सौगात

Esamaad Epaper Website

नालंदा में बनत अंतरराष्ट्रीय स्तर क क्रिकेट स्टेडियम

Esamaad Epaper Website

29 दिसम्बर कए देल जाएत अयाची छात्रवृत्ति

Comments 1

  1. vandna jha says:
    10 years ago

    dukhad

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि