पटना । सरकार राज्य मे तीन लाख नियोजित शिक्षक कए वेतनमान देबा स एक बेर फेर इनकार क देलक अछि ओना सरकार नियत वेतन मे बढ़ोतरी करबाक गप कहलक अछि। शिक्षक एकर मांग बहुत दिन स क रहल छलाह। शिक्षा मंत्री पीके शाही आ प्रधान सचिव अमरजीत सिन्हा कहला अछि जे सरकार निकट भविष्य मे एहि शिक्षक क वेतन मे सम्मानजनक बढ़ोतरी क प्रयास मे अछि।
दोसर दिस राज्य सरकार नियोजित शिक्षक क वेतन लेल 43.67 करोड़ टका आवंटित केलक अछि। शिक्षा विभाग अधिकारी कहला अछि जे हर हाल मे दशहरा स पहिने वेतन क भुगतान भ जाएत।
शिक्षा विभाग क मुताबिक प्रारंभिक विद्यालय क अंतर्गत नगर निगम क्षेत्र मे नियोजित शिक्षक कए वेतन भुगतान लेल 5 करोड़ 44 लाख 95 हजार टका देल गेल अछि। पटना जिला कए एक करोड़ 84 लाख 50 हजार, भागलपुर कए 54.90 लाख, दरभंगा कए एक करोड़ 13 लाख 40 हजार, गया कए एक करोड़ 22 लाख 40 हजार, मुंगेर कए 40 लाख 50 हजार आ पूर्णिया कए 29 लाख 25 हजार क राशि उपलब्ध करा देल गेल अछि। नालंदा आ मुजफ्फरपुर कए पहिने देल जा चुकल अछि।
ग्राम पंचायतों मे नियोजित शिक्षक लेल 34 करोड़ 31 लाख 25 हजार क आवंटन भेल अछि। पटना जिला कए 6 करोड़ 56 लाख 55 हजार, नालन्दा कए 5 करोड़ 21 लाख 55 हजार, सिवान कए 3 करोड़ 34 करोड़ 35 हजार, सारण कए 3 लाख 60 हजार, वैशाली कए 45 हजार, पूर्वी चम्पारण कए 4 करोड़ 23 लाख, मुजफ्फरपुर कए 9 करोड़ 90 हजार, सीतामढ़ी कए एक करोड़, 2 लाख 15 हजार आ पश्चिम चम्पारण कए 4 करोड़ 88 लाख 70 हजार क राशि उपलब्ध करा देल गेल अछि। नगर पंचायत मे नियोजित शिक्षक लेल 4 करोड़ एक लाख 40 हजार जारी कैल गेल अछि।
शिक्षा मंत्री क अनुसार राज्य सरकार तय केलक अछि जे भविष्य मे शिक्षक क नियत वेतन मे सम्मानजनक वृद्धि कैल जाए। जेना-जेना राज्य सरकार क संसाधन बढत ओहि आलोक मे शिक्षक क नियत वेतन मे नियमित अंतराल पर बढ़ोतरी होइत रहत। ओ कहला जे मार्च क बाद सब विद्यालय मे उर्दू शिक्षक क नियुक्ति लेल विशेष पात्रता परीक्षा लेल जाएत।मुदा एहि स पहिने जनवरी मे प्रारंभिक आ माध्यमिक शिक्षक क नियोजन प्रक्रिया पूरा क लेल जाएत।
शिक्षा मंत्री पीके शाही कहला जे ओहन नियमित शिक्षक क सेवा संविदा क आधार पर 65 वर्ष करबा संबंधी प्रस्ताव अछि जे 60 साल मे सेवानिवृत्त हेताह। एहन शिक्षक कए पेंशन क अतिरिक्त ओहि राशि क भुगतान कैल जाएत जे वेतनमान मे ओ अंतिम मास मे सेवानिवृत्त हेताह। ओ कहला जे विद्यालय मे अनुभवी शिक्षक क भारी कमी अछि। एहि लेल रिटायर शिक्षक क सेवा लेबाक प्रस्ताव अछि
शिक्षा मंत्री कहला जे विश्वविद्यालय मे रेशनलाइजेशन क बाद शिक्षक क नियुक्ति भ सकत। ओना ओहि ठाम शिक्षक क नियुक्ति मे कईटा पेचीदगी अछि। अगर निकट भविष्य मे विश्वविद्यालय शिक्षक क नियुक्ति लेल प्रक्रिया क निर्धारण कैल जा सकत तखने शिक्षक क नियुक्ति भ सकत। ओ कहला जे सबटा विश्वविद्यालय मे आडिट कराउल जाएत। एकरा लेल विभागीय स्तर पर तैयारी कैल जा रहल अछि मुदा आडिट मे महालेखाकार क निर्देश पर राष्ट्रीय स्तर क एजेंसी क सहयोग लेल जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna
sarkar yadi siksha me gunvatta chahait chai ta purn vetan debae k chahi…!!