नई दिल्ली। केंद्र प्रयोजित निर्मल भारत अभियान मे एहि बेर बिहारक 634 टा ग्राम पंचायतक चयन भेल अछि। एहि लेल अधिसूचना आ पंचायतक घोषणा केंद्र सरकार कए देलक अछि। एहि बेरक खास गप इ अछि जे पहिल बेर केंद्र सरकार एतेक पैघ संख्या मे पंचायतक चयन केलक अछि। ज्ञात होय की जहिया (2003-2012) स इ अभियान शुरू भेल छल तहिया से आय धरि एहि अभियान क तहत ख़ाली 223 गाम कए “निर्मल ग्राम पंचायत” पुरष्कार भेटल छल। सबसे पैघ गप इ अछि जे एहि बेरक चुनाव मे केंद्र सरकार बिहारक 38 जिला क सभटा प्रखंड क ध्यान मे राखलक अछि। करीब सभ प्रखंड से एक-एक टा गाम कए निर्मल भारत अभियान मे शामिल कएल गेल छल। बता दी जे एहि बेरक निर्मल ग्राम पंचायतक पुरष्कार क तहत प्रत्येक गाम कए शौचालय निर्माण पर दस हज़ार टका खर्च कएल जाएत, जाही मे केंद्र सरकार से 3200, राज्य सरकार से 1400, मनरेगा से 4500 टका आ लाभार्थी से 900 टका लेल जाएत। एहि स पहिने शौचालय निर्माण पर मात्र 3300 टकाक खर्चक प्रावधान छल। एहि बेरक ग्राम पंचायत पुरष्कार क सूचि मे मुजफ्फरपुर(25 ग्राम पंचायत), पटना ( 23 ग्राम पंचायत ) आ भागलपुर ( 17 ग्राम पंचायत ) क्रमशः पहिल, दोसर आ तेसर स्थान पर अछि।
एहि चयन पर राज्य लोक स्वस्थ अभियंत्रण विभाग क मंत्री श्री चन्द्र मोहन राय जी कहलैथि जे केंद्र सरकार पहिल बेर स्वच्छता कर्यक्रम मे एतेक संख्या मे पंचायत क शामिल केलक अछि। सबसे नीक गप इ अछि जे एहि बेर एपीएल परिवार कए सेहो शौचालय निर्माणक राशि देल जा रहल अछि। एहि से राज्य सरकार कए पंचायत मे काज करबा मे मदद भेटत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर