• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नीति निर्धारण मे वैज्ञानिक परामर्श जरूरी : कलाम

December 24, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा। पूर्व राष्ट्रपति डॉ एपीजे अब्दुल कलाम कहलाह अछि जे राजनेता सब कए नीति निर्धारण मे वैज्ञानिक परामर्श लेबाक चाही। बिना वैज्ञानिक परामर्श स बनल नीति विकास मे सहायक नहि होइत अछि। आइ राष्‍ट्र क उत्थान लेल वैज्ञानिक आ राजनेता कए संग संग काज करबाक जरुरत अछि। अगिलर पीढ़ी कए ध्यान मे राखि कए नीति-निर्माण करबाक जरुरत अछि आ एहि लेल वैज्ञानिक परामर्श योजना-निर्माण स पूर्व लेब जरूरी अछि। डॉ कलाम रविदिन दरभंगा मेडिकल कॉलेज क आडिटोरियम मे अपन विचार राखि रहल छलाह। अगस्त्य इण्टरनेशनल फाउण्डेशन, विकसित भारत फाउण्डेशन आ दरभंगा मेडिकल कालेज क संयुक्त तत्वावधान मे आयोजित कार्यक्रम मे डॉ कलाम कहलाह जे वर्तमान शताब्दी ज्ञानक छी। एकरे बल पर दुनिया भरि मे अपन देश स्वतंत्र परिचय बना सकैत अछि। स्वतंत्रता क समय देश मे अन्न क उपजा बड़ कम छल। दोसर देश स अन्न कीनल जाइत छल। ओहि समय क खाद्य मंत्री सी सुब्रहमण्यम प्रख्यात वैज्ञानिक डा. आरएस स्वामीनाथन संग मिलि कए योजना तैयार केलथि आओर हरित क्रान्ति भेल। आयात केनिहार भारत निर्यातक बनि गेल। एहिना अन्य विकास योजना मे सेहो काज करबाक चाही। नव तकनीकी क कारण स बदली रहल पर्यावरण पर चिंता व्‍यक्‍त करैत ओ कहलाह जे प्राकृतिक शोषण नहि हेबाक चाही। पाइनिक उपयोग अनेरे नहि हेबाक चाही। मिसाइल मैन युवा सब कए आह्वान करैत कहलाह जे मनुक्ख क परिचय ओकर व्यक्तित्व स होइत छैक। ताहि लेल अपन व्यक्तित्व कए आदर्श बनेबाक चेष्टा करू। आदर्श व्यक्तित्व क विशेष गुण कए बुझबैत ओ कहलाह जे सब स पहिने एहि लेल दृढ़ निश्चय करबाक आवश्यक अछि। निरन्तर ज्ञान ग्रहण करबाक प्रवृतिक, कठिन परिश्रम करबाक क्षमता क संग विपरीत परिस्थिति मे सेहो विजयी हेबाक सामर्थ्य जाहि व्यक्ति मे होइत अछि ओ आदर्श बनैत अछि। पूर्व राष्ट्रपति उपस्थित दर्शक-श्रोताक संग संवाद सेहो केलथि। कतेको प्रश्न मेडिकल छात्र स ओ पूछलथि आ अन्त मे पाँच गोट प्रश्नक जवाब सेहो देलथि। कार्यक्रम मे मिसाइल मैन क सहकर्मी रहल डा. मानस बिहारी वर्मा आ डा. रामजी राघवन सेहो अपन विचार रखलथि। डा. रमण कुमार वर्मा क संचालन आ डीएमसी प्राचार्य डा. एसएन सिन्हा क धन्यवाद ज्ञापन स सम्पन्न कार्यक्रम क विज्ञान सत्र मे डॉ. विद्यानाथ झा, ई. राजेश्वर मिश्र, डा. हेतुकर झा आ पीयूष केशव सेहो अपन विचार रखलथि। कार्यक्रम क समापन सैयद शमीम अहमद अंसारी द्वारा प्रस्तुत राष्ट्रगान स भेल।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

फूल क सुगंध स दरभंगा करत नव वर्षक स्‍वागत

प्रतिभा क मामला मे बिहार सबस अलग : कलाम

एकटा औपचारिक भेंट

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि