• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नीतीश केलथि दरभंगा आ पूर्णिया स हवाई सेवा शुरू करबाक अनुरोध

August 9, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। मिथिलाक जनप्रतिनिधिक चुप्‍पी क बीच मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार केंद्र स यथाशीघ्र दरभंगा आ पूर्णिया स हवाई सेवा शुरू करबाक मांग केलथि अछि। मुख्‍यमंत्री एहि संबंध मे नागरिक उड्डयन मंत्री अजीत सिंह स गप केलथि अछि। मुख्‍यमंत्री अजीत सिंह स अनुरोध केलथि अछि जे ‘गया मे इंटरनेशनल फ्लाइट क नियमित संचालन कैल जाए, जखन कि पूर्णिया आ दरभंगा स घरेलू उड़ान आरंभ कैल जाए। पटना एयरपोर्ट पर पैघ विमान क आवाजाही पर पाबंदी स जुड़ल भ्रम कए खत्‍म करैत मुख्यमंत्री सवाल केलथि जे जखन बताउल गेल तमाम बाधा दूर क लेल गेल अछि तखन फेर डेटलाइन क की मतलब अछि?’ ध्यान रहए जे 16 अगस्त स पटना एयरपोर्ट पर पैघ विमान पर पाबंदी लगेबाक केंद्र साजिश रचि रहल अछि। एहि पर इ’समाद अपन मुहिम कए तेज करैत पटना क बदला मे दरभंगा आ पूर्णिया मे पैघ विमान उतारबाक प्रस्‍ताव रखने छल। हालांकि मुख्यमंत्री साफ केलथि जे एहि प्रकारक रोक संबंधी कोनो जानकारी राज्य सरकार लग नहि अछि आ दरभंगा आ पूर्णिया मे पटनाक एयरपोर्ट चालू रहबाक बावजूद पैघ विमान उतरत।
मुख्यमंत्री टेलीफोन पर भेल अजीत सिंह स गपक संबंध मे जानकारी दैत कहला जे ओ श्री सिंह स आग्रह केलथि अछि जे हुनका पटना एयरपोर्ट क रनवे लंबा करबा लेल रेल मंत्रालय स सेहो संपर्क करबाक चाही। मुख्यमंत्री कहला जे एहि क्रम मे राज्य सरकार हर सहायता लेल तैयार अछि। सबकए समन्वय स एहि संबंध मे काम होएत। नीतीश कहला जे राज्य सरकार एहि गप पर गंभीर अछि जे पटना एयरपोर्ट स विमान क सुरक्षित परिचालन हुए, लेकिन एहि लेल मरा गाछ क छंटाई पर कोनो एतराज नहि अछि, बस गाछ कटबाक हम मंजूरी नहि देब। किया त एयरपोर्ट आथीरिटी आफ इंडिया (एएआई) अपन पत्र मे साफ कहने अछि जे छंटाई क बाद एहि ठाम सुरक्षित परिचालन भ सकैत अछि। राज्‍य सरकार ओकर दिशा-निर्देश पर गाछ क छंटाई करा देलक अछि। एकर बावजूद अगर एयरपोर्ट आथीरिटी आफ इंडिया (एएआई) परिचालन रोकैत अछि त हम नागरिक उड्डयन मंत्री स अनुरोध केलहुं अछि जे ओ अपन स्तर स एएआई कए निर्णय कए स्थगित करा दथि। किया त जखन सबटा निर्देश कए मानि लेल गेल अछि तखन रोक क कोनो कारण नहि बनैत अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

दिसंबर तक बाजार मे आउत मैथिली मे उच्च शिक्षा क पुस्तक

Esamaad Epaper Website

भागलपुर मे औद्योगिक विकास लेल बिछा रहल अछि क्लस्टर क जाल

Esamaad Epaper Website

टॉल फ्री भेल गांधी सेतु

Comments 5

  1. gaurav thakur says:
    13 years ago

    darbhanga me inter national air port suru karbak chahi

    Reply
  2. Anjani Kumar Kushwaha says:
    13 years ago

    Gaurav Thakur jee…… pahine ta national chalu hua diyau…. international ta bad me chalu hotai……….

    Reply
  3. Vidhan jha says:
    13 years ago

    Darbhnaga airport is necessity for us now a days who is residing Darbhanga, Madhubani & Sitmrhi.In urgency we do not have oprion than Patna even we have limited flights for patna.

    Reply
  4. mukesk jha says:
    10 years ago

    e sambandh me esamaad team se aagrah je fir se nitish kumar se mil k e mang rakhi

    Reply
  5. saroj kumar jha says:
    10 years ago

    ई सामाद टीम स आग्रह दुबारा शुसाशन बाबू याद दिलाबी

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि