पटना। मोतिहारी क मामला शांत भेल त आब पटना विश्वविद्यालय कए केंद्रीय विवि बनेबाक मामला राजनीतिक रंग लैत जा रहल अछि। एक दिस जतए भाजपा आ जदयू एकर मांग क केंद्र कए कटघरा मे ढार करबाक कोशिश केलथि अछि ओतहि राजद आब राज्य सरकार कए चुनौति देलक अछि जे अगर वो एहि विवि लेल जमीन दथि त केंद्र स लडबा लेल ओ राज्य सरकारक संग होएत। राजद क वरीय राष्ट्रीय उपाध्यक्ष सांसद रघुवंश प्रसाद सिंह कहला जे मुख्यमंत्रीक कहब अछि जे सरकार काज करैत अछि आ बयानबाजी विपक्ष करैत अछि। जखन कि पटना विश्वविद्यालय कए केंद्रीय विश्वविद्यालय क दर्जा देबाक मसला पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मात्र बयानबाजी क रहल छथि। ओ कहला जे राज्य सरकार अगर जमीन क व्यवस्था करबा लेल तैयार अछि त एक मासक भीतर केंद्र स लडि कए पटना विवि कए केंद्रीय विवि क दर्जा दिया देब।
श्री सिंह कहला जे सात साल बीत गेल एनडीए शासन कए। पटना विश्वविद्यालय कए केंद्रीय विश्वविद्यालय क दर्जा देबाक संबंध मे सरकार क स्तर स केंद्र कए कोनो पत्र नहि गेल। एकर विपरीत 1985 स 2005 तक राज्य सरकार क स्तर स केंद्र लग लगातार पत्र पहुचैत रहल। तत्कालीन राज्यपाल बूटा सिंह, पटना विश्वविद्यालय कए तत्कालीन कुलपति शेषाद्रि ,डा. श्यामलाल क समय मे केंद्र कए पत्र गेल। ओ कहला जे छात्र क काज पढाई करब अछि जखनकि सरकार द्वारा छात्र अधिकार रैली क आयोजन कैल जा रहल अछि। विश्वविद्यालय स ल कए विद्यालय तक मे शिक्षक क पद रिक्त अछि। एहि पर कोनो ध्यान नहि अछि। ओ सरकार पर सर्वशिक्षा आ राष्ट्रीय स्वास्थ्य मिशन क राशि क उपयोग नहि करबाक, चिकित्सकक पद रिक्त रखबाक आरोप लगेलथि। ओ कहला जे केंद्र द्वारा पांचटा एम्स क स्थापना आ मुंगेर आ पूर्णिया प्रमंडल मे विश्वविद्यालय खोलबाक मांग केलथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper