• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नीतीश जी अहां बिहारक मुख्‍यमंत्री छी

July 12, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

सुनील कुमार झा
• नालंदा मे बनत हवाई अड्डा
• इंडोर शूटिंग रेंज क उद्घाटन
• विवरेज एंड फ़ूड प्लांट क उद्घाटन
• पहिल आल विमेन कोओपरेटिव बैंक
• 23 हज़ार करोड़ क योजना आवंटित
• खेती मे बनल अंतर्राष्ट्रीय रिकॉर्ड
• स्वास्थ सेवा मे लगातार दोसर साल पहिल नंबर पर
उपरोक्त खबरि सब बिहारक विकास कथा क हिस्‍सा जरूर अछि मुदा इ कथा केवल एकटा जिला तक सिमित अछि। सबटा खबरि नालंदा स सम्बंधित अछि। बिहार क विकास क नाम पर विभिन्‍न अखबार मे छपल इ खबरि दरअसल मात्र एकटा खास जिला क विकास कए रेखांकित क रहल अछि। एहि आंकडा क आसपास दोसर आंकडा नहि रहबाक कारण इ कहल जा रहल अछि जे बिहार मे विकास त भेल मुदा द विकास किछु खास जिला मे सिमटि कए रहि गेल अछि। नालंदा पर इ आरोप आंकडा आ आवंटन क आधार पर लागि रहल अछि। नीतीश कुमार क कृपा कहि बा संयोग मुदा नालंदा सब जिला स आगू अछि। मुख्यमंत्री क गृह जिला हेबाक फायदा नालंदा जेना उठा रहल अछि ऐना पूर्व मे कोनो मुख्‍यमंत्री क गृहजिला नहि उठा सकल छल।
हालहि मे एकटा अंग्रेजी मे खबरि छपल जे महिला सशक्तिकरण कए बढ़ावा देबा लेल राज्य सरकार दूटा जिला मे आल विमेन कोऑपरेटिव बैंक खोलि रहल अछि, खास गप इ छल जे दूटा जिला मे स एकटा नालंदा अछि। एहि मौका पर एकटा पत्रकार सहकारी मत्री रामाधार सिंह स जखन सवाल केलक जे नालंदा क चयनक आधार की राखल गेल त मंत्री जी कोनो स्‍पष्‍ट उत्‍तर नहि द सकलाह आ गोलमोल जवाब द चुप भ गेलाह। कारण साफ छल नालंदाक चुनावक आधार जे छल से ओ बजबा लेल हिम्‍मत नहि जुटा सकलाह।
इ’समाद जखन नालंदा मे एकटा संस्‍थान लेल नव एयरपोर्ट बना देबाक समाद देलक तखन सच पूछब त बहुत लोक कए कोनो आश्चर्य नहि भेल। बिहार क विकास कथा पर नजरि रखनिहार नालंदा कए ल कए भ रहल काज कए लगातार आखबार क पन्‍ना मे रेखांकित करैत रहैत छथि। मुख्यमंत्री क गृह जिला कए जेतबा भेट रहल अछि ओ राज्‍यक अन्‍य जिला लेल डाह क कारण बनि रहल अछि। आइ एहि एक मात्र जिला मे राष्ट्रीय आ अंतराष्ट्रीय स्तर क सौटा स बेसी एजेंसी विभिन्‍न क्षेत्र मे विकास करबा लेल लागल अछि। एहन नहि छल जे एहि स पूर्व नालंदा क उपेक्षा भेल छल। मुदा नालंदा जेकां लालू आ जगन्नाथ अपन गृहजिला क विकास नहि केलथि। प्राचीन स्‍थल हेबाक कारण नालंदा सब दिन बिहारक गौरव रहल अछि। कोनो पार्टीक सरकार रहल एहि जिला कए पर्यटन लेल सबस लोकप्रिय मानल गेल आ विकास भेल। मुदा नालंदा कए जेना गति नीतीश कुमार कए मुख्यमंत्री बनलाक बाद देल गेल ओ बिहार क जिलावार विकास क संतुलन कए बिगाडि देलक अछि। आइ नालंदाक छोट स छोट योजना अखबार क सुर्खी बनि जाइत अछि। चाहे ओ हवाई अड्डा क निर्माण क प्रस्ताव हो बा मनरेगा मे राष्ट्रीय अवार्ड लेबाक मामला, स्वास्थ सेवा मे लगातार दोसर साल प्रथम स्‍थान लेबाक गौरव हो बा कृषि क क्षेत्र में अंतर्राष्ट्रीय रिकॉर्ड तोड़बाक मामला। नालंदा अगर आन जिला स बहुत आगू अछि त एकर पाछु सरकारक इच्‍छाशक्ति देखार भ रहल अछि।
ओना नालंदाक क इ आंकडा क कथा एहिना तैयार नहि भ गेल अछि। मुख्यमंत्री क गृह जिला भेला स मंत्री क अनवरत कृपा एहि जिला पर बरसैत रहल, इ सौभाग्‍य आन मुख्‍यमंत्री गृहजिला बा विधानसभा क्षेत्र कए नहि भेटल। आइ खेती मे प्रयुक्त भ रहल पॉवर टिलर पूरा देश मे सबस बेसी नालंदा मेअछि जे पूरा बिहार क 75प्रतिशत अछि। सबटा संस्था अपन विकास लेल एहि जिला कए चुनैत अछि, कारण पूछला पर कहल जाइत अछि जे मुख्यमंत्री क गृह जिला भेला स सुविधा भेटबा मे देरी नहि होइत अछि, आन जिला मे दिक्‍कत भ सकैत अछि। नालंदा मे संस्‍था कए जे जरुरत होइत अछि ओ पूरा भ जाइत अछि।
सवाल एतहि अछि जे इ सुविधा केवल नालंदा लेल किया भेट जाइत अछि। नालंदा कए आन जिला स अलग व्‍यवहार किया भेट रहल अछि। इ व्‍यवहार करनिहार नालंदा कए आन जिलाक दुश्‍मन किया बना रहल छथि। विकास सब जिला क अधिकार छी, फेर इ भेदभाव किया भ रहल अछि। दरभंगा मे हवाई अड्डा रहैत आईआईटी नहि खोलल गेल, कहल गेल हवाई संपर्क नहि अछि, मोतिहारी मे छोट सन रनवे रहैत केंद्रीय विश्वविध्यालय नहि खुलल, मुदा नालंदा मे विश्वविद्यालय लेल हवाई अड्डा बना देबाक घोषणा मोतिहारी आ दरभंगा कए कोना हज़म होएत। एक कात कोसी क्षेत्र सब साल बाढ़ क विभीषिका क सामना करैत अछि आ नदी जोड़ो परियोजना कए गति देबा लेल प्रयास नहि भ रहल अछि। कोसी क्षेत्र क लाइफलाइन डुमरी पुल क्षतिग्रस्त अछि मुदा सरकार चैन स अछि। नालंदा कए मॉडल जिला बना देल जाए, मुदा एतिहासिक दरभंगा कए नजरअंदाज किया कैल जा रहल अछि। मोतिहारीक विकास के करत? बिहार क मतलब केवल नालंदा कोना भ सकैत अछि नीतीश जी। अहां नालंदा जिला क जरूर छी, मुदा अहां दरभंगाक संग समस्‍त बिहार क मुख्यमंत्री छी।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

आब बिहार मे सेहो होएत एमटेक क पढ़ाई

संस्कृति क अहम केन्द्र छै मिथिला : राष्ट्रपति

Esamaad Epaper Website

बिहार विकसित करत उरमा पहाड़ी टोला स्थित कोयला ब्लॉक

Comments 1

  1. Dr. Shashidhar Kumar says:
    13 years ago

    बहुत सटीक लिखल सुनीलजी ।

    पर एहि सञो किछु नञि होयत । “महीषक आगाँ बीन बजाओल अछि ……………. परिणाम बुझले अछि । “

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि