काठमांडू : नेपाल मे संविधान सभा लेल मतदान भेल। मंगलदिन भेल एहि मतदान मे 65 फीसदी लोक अपन मताधिकार क प्रयोग केलथि। किछु छिटपुट घटना कए छोड़ि दी त आमतौर पर मतदान शांतिपूर्ण रहल। चुनाव आयोग स प्राप्त जानकारी क अनुसार मतदान क प्रतिशत 65 क आसपास रहल आ पार्टीे क बीच संघर्ष आ विवाद मे लगभग बारह गोटे घायल भेल छथि। एकटा चुनाव अधिकारी बतेलथि अछि जे लोक मे वोट देबा लेल भारी उत्साह देखल गेल। नेपाल मे देश क कुल 122 राजनीतिक पार्टी क करीब 16 हजार स बेसी उम्मीदवार संविधान सभा क 601 सीट लेल अपन भाग्य अजमा रहल छथि। मंगलदिन भेल मतदान मे 1.24 करोड़ मतदाता कए वोट देबाक छल। तकनीकी खराबी क कारण किछु केंद्र पर देरी स मतदान शुरू भेल। अधिकारी क कहब अछि जे मतदान क दर काफी नीक रहल आ शांति स चुनाव निपटल। हालांकि एकटा मतदान केंद्र लग विस्फोट आ एकटा पर हमला क खबरि अछि। निर्वाचन आयोग क प्रवक्ता बीर बहादुर राय कहला जे 240 सीट लेल कराउल गेल प्रत्यक्ष मतदान लेल 6,128 उम्मीदवार अपन भाग्य आजमा रहल छथि। आनुपातिक प्रतिनिधित्व चुनाव प्रणाली क तहत 335 सीट लेल भ रहल चुनाव मे 10 हजार 709 उम्मीदवार मैदान मे छथि, जखनकि 26टा सीट नामांकन क आधार पर भरल जाएत। मतदान क दौरान राजधानी काठमांडू मे भेल एकटा विस्फोट मे 3टा बच्चा घायल भेल। विस्फोट मतदान केंद्र लग भोर लगभग 10 बजे भेल। चुनाव क दौरान मतदान कए बाधित करबाक आरोप मे सयांग्जा जिला मे तैनात तीनटा कर्मचारी क खिलाफ कार्रवाई कैल गेल अछि। वेबसाइट “नेपालन्यूज डॉट कॉम” क कहब अछि जे खुलाडिडी मे स्थित जनता सेकेंडरी स्कूल मे तैनात निर्वाचन आयोग क तीनटा कर्मचारी कए मतदान बाधित करबा लेल काज स हटा देल गेल अछि। गौरतलब अछि जे 2008 मे भेल चुनाव क उपरांत बहुप्रतीक्षित संविधान नहि लिखल जा सकल, जाहि कारण स नेपाल मे संविधान सभा क दोसर चुनाव भ रहल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa