नई दिल्ली । बिहार क लोक लेल खुश हेबाक एकटा आओर मौका भेट गेल अछि। कहल जाइत छैक जे इतिहास क गप ओहने लोक करैत अछि जेकर वर्तमान कमजोर होइत अछि। निश्चित रूप स पाटलिपुत्र क इतिहास गौरवशाली रहल अछि, मुदा ओकर वर्तमान सेहो आब अपन रंगत मे आबि रहल अछि। अंतरराष्ट्रीय संस्था इंस्टीच्यूट फार कम्पिटिटिवनेस (आइएफसी) अपन ताजा सर्वे मे बिहार क राजधानी पटना कए देश क 50टा सबस बेसी प्रतिस्पर्धा वाला शहर मे शामिल क लेलक अछि। अंक क आधार पर पटना, बिहार- झारखंड मे नहि बल्कि उत्तर भारत क सबस नीक शहर क रूप मे सामने आयल अछि। उद्योग धनी जमशेदपुर आओर झारखंड क राजधानी रांची क अलावा पटना उत्तर प्रदेशक बनारस, अगरा, अमृतसर, देहरादून सन शहर कए पाछु छोडि देलक अछि।
अंतरराष्ट्रीय संस्था इंस्टीच्यूट फार कम्पिटिटिवनेस (आइएफसी) क एहि पांचम सालाना रिपोर्ट ओना तेसर बेर एहि सूची मे दिल्ली अपना कए देशक सबस सुंदर आ बेसी प्रतिस्पर्धा वाला शहर क खिताब पैबा मे सफल रहल अछि, मुदा पटना बिहार क एकटा एहन शहर अछि जे एहि सूची मे सबस पैघ छलांग लगेलक अछि। पिछला सप्ताह जारी एहि सूची मे पटना 35म स्थान पर अछि, जखनकि जमशेदपुर 43म आ रांची 49म पायदान पर है।
दिल्ली मे आयोजित सिंगापुर बिजनेस फोरम में सिंगापुर क प्रधानमंत्री ली सेन लूंग क उपस्थिति मे पेश भेल एहि रिपोर्ट क अनुसार पटना किछु अन्य मशहूर शहर कए तेजी स पाछु धकेल देलक अछि। एहि मे आगरा, बनारस, मेरठ, इलाहाबाद, जबलपुर, आसनसोल, देहरादून, अमृतसर सन शहर शामिल अछि।
शहर क रैंकिंग लेल हार्वर्ड बिजनेस स्कूल क प्रोफेसर माइकल ई. पोर्टर क माइक्रोइकोनोमिक कम्पिटिटिवनेस डायमंड माडल क उपयोग कैल गेल अछि। मुख्य रूप स मानव संसाधन, भौतिक संसाधन, ज्ञान क संसाधन आ पूंजी क संसाधन क अलावा एकरा सब लेल तैयार कैल गेल आधारभूत संरचना क आधार पर इ सूची बनाउल गेल अछि। दिल्ली क बाद मुंबई दोसर स्थान पर अछि, जखनकि चेन्नई, हैदराबाद, कोलकाता, गुड़गांव आ बेंगलूरू कए क्रमश: तेसर स सातम स्थान भेटल अछि।
आइएफसी क इ रिपोर्ट केवल शहर क रैंकिंग कए इंगित करैत अछि, बल्कि एहि गपक सेहो संकेत अछि जे कारपोरेट क्षेत्र क नजरि एहि शहर पर सब पर अछि। कारपोरेट क्षेत्र एकर आधार पर अपन निवेश क खांका तैयार करैत अछि। रिपोर्ट इ सेहो देखबैत अछि जे कोन प्रकार स एहि शहर सब मे गवर्नेस कए बेहतर कैल जा रहल अछि आ शहर मे एक समान विविधता पर ध्यान देल जा रहल अछि। आइएफसी क चेयरमैन अमित कपूर क कहब अछि जे, ‘शहर अर्थव्यवस्था कए दिशा दैत अछि। ओकर विकास पूरा राज्य क विकास कए गति दैत अछि आ नतीजा क तौर पर पूरा देश मे विकास कए रफ्तार भेटैत अछि। पिछला किछु साल स देश क शहर अपन पुरान ढर्रा स ऊपर उठल अछि आ अपन क्षमता क ग्लोबल स्तर पर प्रदर्शन क रहल अछि।’
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper