• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

पटना क अपन मैरीन ड्राइव आब सपना नहि

October 12, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

Marin Drive Patnaपटना । के कहैत अछि जे सपना सच नहि होइत अछि। पिछला पांच दशक स बिहारक लोकक आंखि मे हेलैत सपना आइ आखिरकार साकार भ गेल। मुंबई क तर्ज पर पटना कए सेहो अपन मैरीन ड्राइव होएत। फर्क इ रहत जे मुंबई मे मैरीन ड्राइव समुद्र क कैछर मे बनल अछि आ पटना मे इ गंगा क कछैर मे बनत। चारि लेन क हाई स्पीड सड़क कए लोक नायक गंगा पथ क नाम देल गेल अछि। इसमाद तहिये एहि परियोजना कए जमीन पर उतरबाक प्रति विश्‍वास जता चुकल छल जहिया एकर जिम्‍मेदारी राज्‍यक रत्‍न नौकरशाह प्रत्‍यय अमृत कए देल गेल छल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शुक्रदिन लोकनायक जयप्रकाश नारायण क जन्मदिवस क अवसर पर एकर कार्यारंभ केलथि। पटना क दीघा स दीदारगंज तक करीब 21.5 किलोमीटर सड़क क निर्माण क काज शुरू भ गेल। 2007 स महा प्रोजेक्ट पर नीतीश सरकार काज क रहल अछि, पहिने एकरा पी पी मोड क तहत बनेबाक विचार छल मुदा कोनो कंपनी इच्‍छा प्रकट नहि केलक एकर बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकरा राज्य सरकार क बल बूते बनेबाक फैसला केलथि। एहि प्रोजेक्ट मे 2000 करोड़ क लोन हुडको स लेल गेल अछि आ बाकी 1160 करोड़ राज्य सरकार लगा रहल अछि। इ प्रोजेक्ट 4 साल मे पूरा होएत। एकरा आंध्र प्रदेश क कंपनी नवयुगा निर्माण बना रहल अछि। एहि फोरलेन सड़क पर गाडी सरपट दौडत संगहि मॉर्निंग वॉक पाथक अलग स सुविधा रहत। हाई स्पीड कॉरिडोर मे ट्रैफिक क प्रवाह नहि रुकए एहि लेल सड़क क कात मे बस-वे, सब-वे ओवर ब्रिज क निर्माण कैल जाएत। एतबे नहि इ गंगा पथ एक तरह स पटना क रिंग रोड क काज करत जे पांचटा नेशनल हाईवे जुड़ल रहत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क इ ड्रीम प्रोजेक्ट अछि आओर बिहारक एखन धरिक इ सबस पैघ परियोजना अछि। एहि मे केवल सड़क क निर्माण नहि बल्कि एहि पूरा क्षेत्र क सौंदर्यकरण क संग संग पर्यावरण क सेहो पूरा ख्याल राखल जाएत। एहि ठाम आपातकाल टेलिफोन आ विश्वस्तरिय कैफेटेरिया सेहो रहत ताकि लोक कए यात्रा क संग-संग पर्यटन क सेहो आनंद भेट सकत। लोकनायक गंगा पथ बि‍न गेला स दीघा स दीदारगंज जेबाक मे जे एखन 2 घंटा लगैत अछि ओ दूरी 20 मिनट भ जाएत। मुख्यमंत्री कहला जे अगर इ योजना सफल रहल त एकरा कच्ची दरगाह आ बख्तियारपुर लग गंगा पर बनि रहल पुल स सेहो भविष्य मे जोडल जाएत। दीघा सेतु स दीदारगंज तक गंगा पथ क लम्बाई 21.5 किलोमीटर अछि, जाहि मे स 7.5 किलोमीटर सड़क एलिवेटर होएत। गंगा पथ स शहर कए जोड़बा लेल पांचटा अंडर पास होएत। बहरहाल अगर इ प्रोजेक्ट समय पर तैयार भ जाइत अछि त नीतीश सरकार लेल एकटा पैघ उपलब्धि होएत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

डौंडियाखेरा स बेसी बलिराजगढ़ क खुदाई जरूरी : मुख्यमंत्री

Esamaad Epaper Website

दरभंगा व राजगीर मे सेहो बिछबाक चाही गैस पाइप लाइन : नीतीश

Esamaad Epaper Website

नालंदा विवि लेल भेल भारत आ चीन मे समझौता

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि