• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

पहिल ‘विश्वमय अस्पताल’ क शुभारंभ 22 कए, दरभंगा कए भेटत लाभ

January 4, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना । पटना स्थित एम्स राज्य क नहि बल्कि देश आ दुनिया क कोनो कोने मे सही इलाज मुहैया करा सकैत अछि। अहां बस बताउ, अहांक कष्‍ट की अछि, एम्स ओकरा दूर करत। जी हां, तकनीक क कमाल आ एम्स निदेशक क दूरदर्शिता स देश क पहिल ‘विश्वमय अस्पताल’ क परिकल्पना साकार भ रहल अछि। एखन परीक्षण क तौर पर ट्रामा आ इमरजेंसी सेवा प्रतिदिन सांझ चारि स पांच बजे क बीच शुरू कैल गेल अछि। 22 जनवरी कए विधिवत शुभारंभ क बाद एकरा पूर्णकालिक बना देल जाएत। पूर्ण ओपीडी चालू भेलाक बाद एकर पूरा लाभ सुदूर क्षेत्र क लोक कए भेट सकत। 22 जनवरी कए विधिवत शुभारंभ क बाद दरभंगा समेत नालंदा, बाढ़, पालीगंज, दानापुर, दीघा, सिवान, मोकामा, गोपालगंज, आ मधुबनी सन करीब दस ठामक लोक कए एकर लाभ भेटत। एम्‍स निदेशक क कहब अछि जे योजना कए जल्‍द अन्‍य जिला मे सेहो एकरा स्‍थापित कैल जाएत, मुदा कुल आठ हजार 411 पंचायत मे स करीब पांच हजार पांच सौ स बेसी पंचायत मे एखनो बिजली आ इंटरनेट क सुविधा नहि अछि जाहि स ओहि ठाम छतीसा क लाभ देबा मे सरकार कए दिक्‍कत भ रहल अछि।
स्वास्थ्य मंत्री अश्‍वनी कुमार चौबे सेहो एहि बेमिसाल अवधारणा क परीक्षण देखबा लेल पटना स्थित एम्स पहुंचल छलाह। ओहि ठाम ओ देखला जे कोना एहि ठामक चिकित्सक क लाभ सुदूर गाम क मरीज कए भेटत। गरीब स गरीब आदमी टेलीमेडिसिन क द्वारा सुपर स्पेशियलिटी इलाज अपन गाम मे प्राप्त क सकत। वीडियो कान्‍फ्रेंसिंग स ओ लंदन मे रहनिहार बिहारी मूल क प्रो. डा. वी. गौतम स सेहो गप केलथि। डा. विजय मंत्री कए आश्वस्त केलथि जे इमरजेंसी आ डिजास्टर इलाज मे छतीसा ऐतिहासिक डेग अछि। एहन देश क कोनो राज्य मे पहिने नहि भेल अछि। हम एम्स कए गाम-गाम तक पहुंचा देब। डा. गौतम सेहो कहला जे दिल्ली एम्स क एपेक्स ट्रामा सेंटर स बेहतर केंद्र पटना मे खुलत। लोक पटना आबि कए सीखताह जे कोना ट्रामा आ इमरजेंसी इलाज कैल जाइत अछि। एकर बाद श्री चौबे एक कए बाद एक छहटा रोगी क एहि तकनीक स इलाज करैत डा. जीके सिंह, डा. गौरव पांडेय, डा. केके शर्मा आ डा. अनिल कुमार क टीम कए देखलथि। श्री चौबे कहला अछि जे 22 जनवरी कए जखन छतीसा क विधिवत शुभारंभ होएत तखन देश-विदेश स एहि धरती क विशेषज्ञ चिकित्सक आउताह। ओहि दिन प्रदेश मे पहिल बेर ब्रेन ड्रेन क बजाय ब्रेन गेन होएत। बहुत रास प्रख्यात चिकित्सक विदेश छोडि कए एहि ठाम एबा लेल उत्‍सुक छथि। ओ कहला जे आब समाज क अंतिम व्यक्ति तक विश्‍वक सबस आधुनिक इलाज पहुंचब संभव भ सकत।
ज्ञात हुए जे एम्स क निदेशक डा. गिरीश कुमार सिंह आमलोक कए अपना स जोडैत संकटमोचन नागरिक आ छतीसा नामक योजना शुरू केलथि अछि। छतीसाक तकनीक क संबंध मे ओ कहला जे छतीसा एहन युवा पेशेवर कए स्वयंसेवा क तहत जोडलक अछि जे संस्थान आ रोगी क बीच संवाद सेतु क काज करताह। एम्स प्रबंधन छतीसा स जुड़ल लोक कए संस्थान मे उपलब्ध सुविधा क जानकारी देत। रोगी स्वयंसेवी पेशेवर क माध्यम स छतीसा क लाभ लेल जा सकत। ओ इंटरनेट क माध्यम स एम्स मे डाक्टर क ओहि पैनल स सम्बद्ध हेताह।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

करीब 2259 साल बाद भेल पाटलिपुत्र मे बौद्ध समागम

Esamaad Epaper Website

वैशाली क स्तूप मे राखल जाएत बुद्ध क अस्थि

मातृभूमि देख नोरायल राजकेश्वर क आंखि

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि