• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

‘पालिटिकल तंदुर’ मे ‘ब्‍लड ब्रेड’

June 2, 2012
in विचार, समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

ज्ञानेश्‍वर ‎

‘पालिटिकल तंदुर’ मे ‘ब्‍लड ब्रेड’ ब्रह्मेश्‍वर सिंह क हत्‍या क बाद अचानक कई किस्‍म क जीव-जंतु सक्रिय भ गेल। उपद्रवी कए मौका भेटल/देल गेल। पूरा दृश्‍य किछु एहि प्रकार क अछि, मानू राजनीतिक तंदुर मे सब ‘खून स सनल रोटी’ सेंक रहल छथि। बिहार क भविष्‍य क राजनीति क समीकरण क सेहो ताना-बाना बुनब शुरू भ चुकल अछि। हम इ फेर दोहरेबाक स्थिति मे छी जे ब्रह्मेश्‍वर क हत्‍या मे कोनो नक्‍सली संगठन क हाथ नहि अछि। नक्‍सली एतबा कायर नहि होइत छथि। हत्‍या क बाद ओ पोस्‍टर-पंपलेट छोडैत छथि आओर गर्वोक्ति क संग जिम्‍मेवारी स्‍वीकार करैत छथि। ताहि लेल हमरा इ हरगिज नहि लगैत अछि जे एहि खून क बदला मे कोना संहार होएत । बावजूद एकर यदि एहन किछु होइत अछि त इ मानि लेल जाए जे एहि कत्‍ल क पाछु पैघ रणनीति अछि। एहि प्रकारक रणनीति बिना राजनीतिक मकसद क नहि होइत अछि। ओना हत्‍या मे कोनो लग क अथवा पुरान मित्र क हाथ हेबाक आशंका हमरा बेसी बुझा रहल अछि । परिजन त जदयू क बाहुबली विधायक सुनील पांडेय पर आरोप मढलथि, मुदा प्राथमिकी मे नामजद नहि केलथि। एहि पर अनुसंधान क दौरान गौर कैल जाएत जे दूनू क बीच की एहन कोनो गंभीर खुंदक छल। ओना भोजपुर क राजनीति क ज्ञान स कहि सकैत छी जे हत्‍याक बाद एखन जे एतबा ज्‍वार भड़लि अछि, ओ फौरी प्रतिक्रिया अवश्‍य छी,मुदा सुनील पांडेय क रास्‍ता मे ब्रहमेश्‍वर एतबा पैघ चैलेंज नहि छलाह। मुदा एकटा गप आओर, सुनील पांडेय क पिनक कए बुझब सेहो एतबा आसान नहि अछि।। सक्षम त ओ छथि। माओवादी क घनघोर प्रभाववाला एकटा प्रदेश मे लोहा ल रहल सीआरपीएफ पैघ अधिकारी सेहो निजी गपशप मे ब्रह्मेश्‍वर क हत्‍या स मर्माहत देखेलाह। हुनकर कहब छल जे एकटा ‘संतुलन’ खत्‍म भ गेल। ओ साफ तौर पर कहला जे बिहार मे नरसंहार क जे सिलसिला बंद भेल, ओहि मे एहि ‘संतुलन’ क पैघ भूमिका रहल । ‘अहां मारब म हमहु मारि देब’ क भय पैघ होइत अछि,जेकर परिणति नुका कए सही मुदा युद्धविराम क समझौता होइत अछि। ओ मानैत छथि जे बिहार मे सेहो एहने भेल छल। ताज्‍जुब त एहि गपक अछि जे इ गप कहनिहार अधिकारी सेहो सर्वहारा समाज स अबैत छथि आ बिहार क रहनिहार छथि। इ सही अछि जे हत्‍या क बाद नीतीश सरकार बेबसी क स्थिति मे देखायल आ उपद्रवी क खिलाफ कार्रवाई न हेबाक वजह आधार वोट क चिंता बनल। याद करू एनडीए-वन क ताजपोशी क दिन कए। पहिने लालू क राज मे जतए ‘भूरा बाल साफ करो’ क नारा क प्रचलन छल, ओतहि नीतीश क कुर्सी पर बैसैत कहल गेल-‘कुर्मी कए ताज,भूमिहार क राज ।’ वोट क ध्रुवीकरण सेहो चुनाव मे किछु एहने भेल छल। पंद्रह साल तक बैरक मे पडल अधिकारी रातोंरात मेनस्‍ट्रीम मे लौट एलाह। नीतीश सरकार क एहि उपलब्धि स कतई इनकार नहि कैल जा सकैत अछि जे राज्‍य क चौपट विधि-व्‍यवस्‍था सुधरज, इमेज बदलल आ काज सेहो शुरु भेल । मुदा एनडीए-टू मे इंपैक्‍ट आ गवर्नेंस क कनि अभाव देखल जा रहल अछि, इ सेहो सत्‍य अछि । पिछला किछु मास स अपराध सेहो बढैत जा रहल अछि। एहि बीच ब्रह्मेश्‍वर सिंह क भेल हत्‍या स पूरा देश कए एहन बुझा रहल अछि जे बिहार पुरान वैभव कए प्राप्‍त करै जा रहल अछि। ओना एतबा जल्‍दी इ सोचि लेब हमर हिसाब स एखन कोनो नजरि स ठीक नहि अछि। ब्रह्मेश्‍वर क हत्‍या क बाद सबटा राजनीतिक दल क चरित्र सेहो भयावह तरीका स दिखबा लेल भेटल। परिणाम भेल जे उपद्रवी क मनोबल बढैत चल गेल। जदयू नजाकत आ अपन अतिपिछडा-महादलित वोट क चिंता क जतए चुप्‍पी साधि लेलक, ओतहि भाजपा अपन एहि आधार वोट कए जनैत ब्रह्मेश्‍वर क तुलना गांधी तक स क देलक। ओना भाजपा कए इ महिमामंडन सेहो काज नहि आयल, पार्टी क प्रदेश अध्‍यक्ष सीपी ठाकुर आ विधायक अनिल कुमार शव-यात्रा मे शामिल हेबा लेल पहुंचला पर धुना गेलाह। पुर्नपहचान/गगा लगेबा मे लागल लालू प्रसाद सेहो पैंतरा बदलि लेलाह। अपन प्रति अगडा क तामस शांत करबाक लेल ओ एहन किछु नहि कहला जे ब्रह्मेश्‍वर क बारे मे अपन राजपाट क समय बजैत छलाह। सच कहू त ब्रह्मेश्‍वर क तारीफ लालू पहिल बेर करैत देखेलाह। मौका क हिसाब स चलनिहार रामविलास पासवान सेहो लालू स सुर मिला लेलथि। शक्तिहीन कांग्रेस कतए पाछु रहितए। दिल्‍ली स केंद्रीय गृह सचिव राजकुमार सिंह सेहो तुरंत पहुंच गेलाह। एहि सब राजनीतिक हरकत क बीच सरकार आ पुलिस सब कात स घिर गेल छल। सरकार कए लागल जे किछु नुकसान आ बदनामी सही, एक-दू दिन मे तामस अपने शांत भ जाए से नीक। लाठी-गोली क कार्रवाई किया, एहि स त माहौल आओर बिगड़त। एहि लेल सेहो इ दाबा क संग कहि सकैत छी जे उपद्रवी क पहचान लेल मीडियाकर्मी स डीजीपी अभयानंद भले फुटेज मांगि रहल छथि मुदा कार्रवाई किछु नहि होएत, किया जे सब किछु बेस वोट स जुडल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

धधकैत प्रतिशोध आ शांत प्रशासन

Esamaad Epaper Website

गुजरात स अगुआ गेल बिहार

मिथिला मे आतंकी कए संरक्षण भेटब असंभव : गृहसचिव

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

How to Increase Download Speed in uTorrent by Changing Few Settings

How to Stay Anonymous with VPN for uTorrent

Make uTorrent Faster 8 Proven Tips Latest Guide

How to decrease or reduce the upload speed in uTorrent

Run uTorrent on Windows 10 or 11 DEV Community

What is Seeding in Torrenting? Torrent Seeding Explained

Why is bittorrent slow from my home computer?

Download files quickly and easily with uTorrent

How to Install uTorrent Web on Windows? GeeksforGeeks

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

भागलपुर मे विकसित होएत ईको टूरिज्म, डाल्फिन क दर्शन लेल चलत बोट

by संपादक
January 29, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि