भुवनेश्वर । कथाकर मुरलीधर झा क मैथिली बाल कथा संग्रह ‘पिलपिलहा गाछ’ कए एहि साल क बाल साहित्य लेल अकादमी पुरस्कार देल जाएत। साहित्य अकादमी बाल साहित्य पुरस्कार 2012 क घोषणा करैत एहि गप क जानकारी देलक अछि। भुवनेश्वर मे भेल बैसारक बाद साहित्य अकादेमी क अध्यक्ष सुनील गंगोपाध्याय कहला अछि जे साहित्य अकादमी बाल साहित्य पुरस्कार 2012 लेल कुल 24टा भाषा मे बाल साहित्यकारक नामक अनुमोदन केलक अछि। एहि बेर इ पुरस्कार 8टा रचनाकार कए बाल साहित्य मे हुनक समग्र योगदानक लेल, 9टा कथा-संग्रह, 4टा कविता-संग्रह, 2टा निबंध आ 1टा विज्ञान संबंधी पुस्तक लेल लेखक कए पुरस्कार देल जाएत।
बाल कहानी संग्रह लेल नौटा कथाकार क चयन भेल अछि जाहि मे बलराम बसाक (बांग्ला), योसेफ मेकवान (गुजराती), सुधा खरंगटे (कोंकणी), मुरलीधर झा (मैथिली), ओम प्रकाश ठाकुर (संस्कृत), पीतांबर हांसदा (संथाली), जगदीश लछानी (सिंधी), केएम कोदंडम (तमिल) आ मनजीर आशिक हरगांवी (उर्दू) शामिल छथि। एकर अलावा बाल निबंध लेल दूटा रचनाकार हरिचरण बर (बोडो) आ दीन दयाल शर्मा (राजस्थानी), सालोगसेम इंद्र कुमार सिंह कए मणिपुरी मे हुनकर विज्ञान गप आधारित पुस्तक लेल, बाल कविता संग्रह लेल बंशीलाल शर्मा (डोगरी), अयूब शबीर (कश्मीरी), शिशुपाल शर्मा (नेपाली) रेड्डी राघवैय्या (तेलगु) कए आ शांतनु तमुली (असमिया), रस्किन बांड (अंग्रेजी), बाल शौरी रेड्डी (हिंदी), पालकल सीताराम भट्ट(कन्नड़), के. श्रीकुमार (मलयालम), बाबा भांड (मराठी), राम प्रसाद मोहंती (ओड़िया), मनमोहन सिंह दाऊं (पंजाबी) कए बाल साहित्य मे हुनकर समग्र योगदान लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार लेल चुनल गेल अछि। इ पुरस्कार 1 जनवरी 2006 स 31 दिसंबर 2010 क दौरान पहिल बेर प्रकाशित पुस्तक पर देल गेल अछि। बाल साहित्य पुरस्कार वर्ष 2010 स शुरू कैल गेल अछि। पुरस्कृत बाल रचनाकार कए एकटा ताम्र फलक, शॉल आ 50 हजार टका क राशि नवंबर मे एकटा विशेष समारोह मे देल जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper