ममता शंकर
मधेपुरा । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि ले सब क्षेत्र मे सुधार अनबाक अछि आ सबटा व्यवस्था कए ठीक करबाक अछि, इ हमर संकल्प छी। ओ कहला जे बिहार मे सब गोटे साक्षर भ जाए आ स्वास्थ्य ठीक रहए, एहि स पैघ आओर की गप होएत। मुख्यमंत्री मधेपुरा क जजहट सबैला मे 881 करोड़ क लागत स लगभग 25 एकड़ मे प्रस्तावित राजकीय चिकित्सा महाविद्यालय आ अस्पताल क आधारशिला रखलाक बाद जनसभा कए संबोधित क रहल छलाह। ओ कहला जे मधेपुरा मे प्रस्तावित चिकित्सा महाविद्यालय आ अस्पताल इलाज क लेल पैघ केन्द्र बनत। एहि ठाम सबतरह इलाज आ जांच क व्यवस्था होएत। नीतीश कहला जे हुनका उम्मीद अछि जे एहि चिकित्सा महाविद्यालय आ अस्पताल बनलाक बाद एहि क्षेत्र क लोक कए नीक चिकित्सा लेल राज्य क बाहर जेबाक जरूरत नहि होएत। कोसी प्रमंडल आ आसपासक लोक कए आब एहि ठाम नीक स नीक चिकित्सा सुविधा सुलभ कराउल जा रहल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे आइ हुनका मधेपुरा मे मेडिकल कॉलेज आ अस्पताल क आधारशीला रखैत बहुत खुशी भ रहल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे जखन ओे मुख्यमंत्री बनलाक बाद पहिल बेर मधेपुरा आयल छलाह त एहि ठाम क लोक दूटा मांग रखने छल। एकटा मांग आइ पूरा भ गेल, दोसर मांग सेहो जल्द पूरा होएत। ओ कहला ले इंजीनियरिंग कॉलेज सेहो खुलत। नीतीश कहला जे जाहि समाज मे शिक्षा क मांग बढि जाइत अछि ओकरा आगू बढबा स कियो नहि रोकि सकैत अछि। अहां सब मे शिक्षा क प्रति लगाव देखबा योग्य अछि। हमर निवेदन जे बेटा-बेटी कए बराबर मौका दी, सब कए पढ़ाउ, बेटी कए सेहो स्कूल पठाउ। प्लस टू कक्षा तक पढ़ाई लेल बेटी कए पंचायत स बाहर नहि जेबा लेल हम व्यवस्था क रहल छी। सब पंचायत मं एक-एक प्लस टू विद्यालय खोलबाक विचार अछि।
मुख्यमंत्री कहला जे प्रस्तावित भवन क नक्सा आ ओकर एलीवेसन क ओ अध्ययन केलथि अछि। मधेपुरा जिला क क्षेत्र भूकम्प जोन मे अछि, एहि लेल प्रस्तावित भवन भूकम्पनिरोधी बनत संगहि ओ हरित भवन होएत। ओहि मे सौर ऊर्जा क अधिकतम इस्तेमाल होएत, ऊर्जा क बचत होएत। इस महाविद्यालय मे चिकित्सक, चिकित्साकर्मी छात्र लेल आवासीय व्यवस्था सेहो रहत। एहि ठाम एकटा विद्युत पावर क सब स्टेशन सेहो बनाउल जाएत, ताकि एहि ठाम अबाध्य रूप स विद्युत आपूर्ति होइत रहए। ओ कहला जे अस्पताल क सुन्दर भवन क संग संग नीक चिकित्सा सुविधा सेहो देबा लेल सरकार तत्पर अछि। एक दिस मेडिकल कॉलेज क भवन क निर्माण शुरू होएत त दोसर दिस मेडिकल कॉलेज मे पढ़ाई शुरू होएत। प्रस्तावित चिकित्सा महाविद्यालय आ अस्पताल लेल सबटा चिकित्सक, प्राध्यापक आ अन्य कर्मीक पद पर नियुक्ति कए स्वकृति सरकार द देलक अछि। नियुक्ति क कार्रवाई स्वास्थ्य विभाग करत। फेर एमसीआई क टीम आकर महाविद्यालय कए स्वीकृति देत। समारोह क अध्यक्षता करैत स्वास्थ्य मंत्री अश्विनी चौबे कहला जे इ अस्पताल क्षेत्र लेल बरदान सिद्ध होएत। एहि ठाम प्रतिवर्ष 100 छात्र क नामांकन एहि महाविद्यालय मं होएत। 550 छात्र क क्षमता क छात्रावास बनत आ 650टा छात्र लेल वातानुकुलित आॅडोटोरियम सेहो बनत। अस्पताल मे 500 बेड क क्षमता होएत। प्राइवेट वार्ड मे बेड क संख्या 50 होएत। 42 बेड आईसीयू मे रहत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa