• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

प्रणब दा कए धन्‍यवाद, आम लोक लेल खुलल राष्‍ट्रपति भवन

February 9, 2013
in देश-दुनिया, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
  • नचबा लेल बनल अशोक हॉल मे नहि फेर स दरबार हॉल मे होएत शपथ ग्रहण
  • कईटा कोठली क एतिहासिक महत्‍व कए कैल जा रहल अछि उजागर
  • कई साल बाद राज्‍यपाल क सम्‍मेलन लेल खुलत कान्‍फ्रेंस हॉल
  • भवनक सब हिस्‍सा कए प्रयोग मे अनबा लेल भ रहल तैयारी

समदिया
नई दिल्‍ली । दुनियाक सबस पैघ राष्‍ट्राध्‍यक्ष निवास भारतक राष्‍ट्रपति भवन क आब आम आदमी सेहो अवलोकन क सकैत अछि । 340 कोठली क एहि भवन कए देखबाक इच्‍छा आब आम आदमी क सपना नहि रहल। राष्‍ट्रपति प्रणब मुखर्जी परिसर आ भवन कए आम लोक लेल खोलबाक आदेश देलथि अछि। आम लोक कए ओहि परिसर मे जेबाक पाबंदी हटा लेल गेल अछि । एक दिन मे करीब 700 पर्यटक राष्‍ट्रपति भवन कए देख सकताह । इ सुविधा एखन सप्‍ताह मे दू दिन उपलब्‍ध कराउल गेल अछि। ज्ञात हुए जे एहि स पूर्व एकल एहि महलक मुगल उद्यान जन साधारण लेल प्रति वर्ष फरवरी माह क दौरान खुलैत छल ।
राष्‍ट्रपति बनलाक बाद प्रणब मुखर्जी एहि भवन क अवलोकनक क्रम मे इ महसूस केलथि जे देशक एहि धरोहर कए मात्र किछु खास लोक लेल नहि बल्कि समस्‍त विश्‍व क लोक लेल उपलब्‍ध कैल जाए । राष्‍ट्रपति भारत निर्माण आ अंग्रेजी शासनक पतन क एहि गवाह कए दुनिया क समक्ष प्रस्‍तुत करबा लेल पहल केलथि अछि जे एखन धरि सुरक्षा क नाम पर नुका राखल गेल छल । भवनक अवलोकन क्रम मे राष्‍ट्रपति इ देख सेहो चिंता प्रकट केलथि जे एहि भवन क कईटा एतिहासिक महत्‍वक कोठली गोदाम क रूप मे बदलि चुकल छल, जखन कि भवन क एकटा पैघ हिस्‍सा कई साल स उपयोग मे नहि आनल जा रहल छल । राष्‍ट्रपति भवन क सबटा हिस्‍सा क बैसी स बैसी उपयोग करबाक निर्देश देलथि अछि । एकर संगहि राष्‍ट्रपति एतिहासिक दरबार हॉल कए फेर स सुसज्जित करबाक निर्देश देलथि अछि। सूत्रक अनुसार राष्‍ट्रपति क इच्‍छा अछि जे आगू स अशोक हॉलक बदला मे दरबार हॉल मे मंत्री आ प्रधानमंत्री क शपथ ग्रहण समारोह क कार्यक्रम कैल जाए। ज्ञात हुए जे देशक प्रथम प्रधानमंत्री जवाहर लाल नेहरू 14 अगस्‍त क राति एहि दरबार हॉल मे शपथ लेने छलाह । मुदा बाद मे शपथ ग्रहण समारोह दरबार हॉलक बदला मे अशोक हॉल मे शुरू भ गेल, जे मुख्‍य रूप स नचबा लेल बनाउल गेल छल । तहिना राष्‍ट्रपति भवन क एतिहासिक कान्‍फेंस हॉल काफी दिन स पुरान सामान रखबा लेल प्रयोग कैल जा रहल छल । राष्‍ट्रपति एकर वर्तमान रूप देख काफी उग्र भेलाह आ कहला जे एहि हॉल कए आगे स राज्‍यपाल आ कुलपति संग हुनक बैसार लेल प्रयोग कैल जाए ।
जानकारी क अनुसार राष्‍ट्रपति बनलाक बाद प्रणब जखन राष्‍ट्रपति भवन क अपन जिज्ञासा अधिकारी लग प्रकट केलथि त हुनका एक एक क सबटा कोठली क वर्तमान स्‍वरूप स अवगत कराउल गेल, एहि क्रम मे इ सेहो पता चलल जे राष्‍ट्रपति भवन स कईटा बहुमूल्‍य वस्‍तु गायब अछि। एहन मे ओ वस्‍तु क मात्र सूची बनेबा क निर्देशक संगहि राष्‍ट्रपति भवन कए आम जनता लेल खोलबाक सेहो निर्देश देलथि।
ज्ञात हुए जे राष्ट्रपति भवन भारत सरकार क राष्ट्रपति क सरकारी आवास क संगहि सेना क सर्वोच्‍च कमांडर क आवास सेहो अछि । सन 1950 तक एकरा वाइसरॉय हाउस कहल जाइत छल। तखन एहि ठाम तत्कालीन भारत क गवर्नर जनरल रहैत छलाह। इ नई दिल्ली क हृदय क्षेत्र मे स्थित अछि। एहि महल मे कुल 340टा कक्ष अछि आ इ विश्व मे कोनो राष्ट्राध्यक्ष क आवास स पैघ अछि। इ दू भाग मे विभक्‍त अछि। वर्तमान भारत क राष्ट्रपति, ओहि भाग मे नहि रहैत छथि जाहि भाग मे वाइसरॉय रहैत छलाह। अतिथि लेल बनल भाग मे एखन राष्‍ट्रपति रहैत छथि जान कि वाइसरॉल वाला भाग अतिथि लेल बना देल गेल अछि। भारत क प्रथम भारतीय गवर्नर जनरल सी राजगोपालाचार्य कए वाइसरॉय क शयन कक्ष एतबा आडंबर पूर्ण लागल छल जे ओ ओहि मे रहबा स इनकार क देने छलाह । बाद मे राजेंद्र बाबू समेत सबटा राष्‍ट्रपति राजगोपालाचारी वाला कोठली मे रहबाक परंपरा निभेलथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

आखिर भेल कुलपति सबहक नियुक्ति, आठ मे स छह टा पुरान नाम

Esamaad Epaper Website

बढल आमदनी, मुदा सुस्त भेल विकास दर

Esamaad Epaper Website

दरभंगा मे खत्‍म भेल औद्योगिक पतझड, 15 स चालू होएत अशोक पेपर मिल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि