• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

फेर दबा देल गेल अनाथ बिहारक कैबिनेट मे आवाज

November 19, 2009
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बुंदेलखंड कए आठ हजार करोड़, बिहार कए ठेंगा
प्रीति लता मल्लिक

पटना । केंद्र सरकार बुंदेलखंड कए सूख क स्थिति स निबटबा लेल 7,266 करोड़ टका का विशेष पैकेज स्वीकृत करि देल गेल जखन कि पिछड़ल आ बाढ़ आ सूखा क समस्या स ग्रस्त बिहार कए केंद्र ठेंगा देखा देलक अछि। प्रधानमंत्री डॉ मनमोहन सिंह क अध्यक्षता मे आइ संपन्न केंद्रीय कैबिनेट क बैठक मे बुंदेलखंड क लेल एहि विशेष पैकेज कए मंजूरी देल गेल। मानल जा रहल अछि जे कांगे्रस क युवराज राहुल गांधी क पहल पर केंद्र इ फैसला केलक अछि। बुंदेलखंड क पूरा इलाका यूपी क छहटा जिला आ मध्य प्रदेश क छह टा जिला मे अबैत अछि। ठीक एकर विपरीत केंद्र बिहार कए विशेष पैकेज देबाक मांग पर चुप्पी साधि नेने अछि। एहि स पूर्व सेहो बंगाल कए आइला आ केरल आ तमिलनाडू कए सूनामी पीडि़त क लेल विशेष पैकेज मंजूर कैल गेल अछि। बिहार कए उम्मीद छल जे योजना आयोग क उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलुवालिया क पटना में हेबाक कारण केंद्रक पिटारा बिहारो लेल खुलत। मुदा, एहन नहि भ सकल। एतबा धरि भ गेल जे मोंटेक बाबू बिहार कए विशेष राज्य क दर्जा देबा स इ कहिकए मना करि देलथि जे बिहार क बारे मे सोचब त दोसरो राज्य एकर मांग करत। त कि बिहार कए एहि लेल ओकर हक स वंचित राखल जाइत। आजादीक बाद कोनो राज्य लेल इ माप दंड योजना आयोग शायद नहि बनेने छल। मुख्यमंत्री आ उप मुख्यमंत्री क लाख चिरौरी क बावजूद श्री अहलुवालिया कोसी त्रासदी स निबटबा लेल ठोस रूप स किछु नहि कहला। मोंटेक क कहब छल जे विशेष राज्य कए दर्जा स बेसी नीक रहत केंद्र बिहार कए विशेष मदद दिए। एकर बाद उम्मीद जगल छल जे बिहार कए हिस्सा मे सेहो केंद्रीय मदद क रूप मे विशेष पैकेज आउत। मुदा, केंद्रीय कैबिनेट मे एहि पर चर्चा तक नहि भेल। राज्य सरकार क दिस स कोसी त्रासदी स पीडि़त लोक क पुनर्वास क लेल 14800 करोड क मांग कैल गेल अछि। खुद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह स भेंट करि कए एहि संबंध मे ज्ञापन सेहो देने छलाह, मुदा नीतीश बिहारक मुख्यमंत्री छथि आ राहुल कांग्रेसक युवराज। ताहि लेल कैबिनेट राहुलक अनुरोध कए त मानि लेलक मुदा बिहारक लोकक आवाज दिल्ली तक ल जेनिहार नीतीश कए अनसुना करि देलक। कारण छल जे कैबिनेट मे बिहारक एको गोटे नहि अछि आ आजादीक बाद भारत निर्माण मे बाझल बिहारी नेता कहियो अपन राज्यक विकास दिस नहि देखलथि, मुदा आइ पूरा भारतक नेता एकटा बिहार कए देखबा लेल तैयार नहि अछि।

बुंदेलखंड क मदद त बिहार कए किया नहि : शैवाल
पटना। केंद्रीय कैबिनेट मे बुंदेलखंड कए विशेष पैकेज आ बिहार पर कोनो चर्चा नहि करबा क सवाल पर अर्थशास्त्री डॉ शैवाल गुप्ता कहलथि जे केंद्र सरकार राज्य क विकास आ सहायता मे दोहरी नीति अपना रहल अछि। बुंदेलखंड क इलाका क लेल जाहि प्रकार स 7266 करोड़ क विशेष पैकेज स्वीकृत कैल गेल ओहि आधार पर बिहार क मांग पर ध्यान नहि देल गेल। ओ कहला जे कांगे्रसी सांसद राहुल गांधी क कहबा पर केंद्रीय कैबिनेट क इ निर्णय आयल अछि। बिहार कए कोसी पुनर्वास क लेल विशेष मदद भेटबाक चाही। निश्चित रूप स केंद्र एहि मामला मे दोहरा रवैया अपना रहल अछि।

राजनीतिक कारण् स बिहार क भेल अनदेखी : मोदी
पटना । उप मुख्यमंत्री सह वित्त मंत्री सुशील कुमार मोदी केंद्रीय कैबिनेट क निर्णय पर प्रतिक्रिया जाहिर करैत कहला जे बिहार क स्थिति बुंदेलखंड स बेसी खराब अछि। ओ कहला जे केंद्र द्वारा बिहार कए विशेष पैकेज आ विशेष राज्य क दर्जा न देबाक पाछु राजनीतिक कारण अछि। केंद्र राजनीतिक कारण स बिहार क मदद नहि करय चाहैत अछि। मोदी कहला जे बिहार मे एनडीए क सरकार अछि, एहि लेल केंद्र मदद स पाछु हटि रहल अछि। ओ कहला जे यूपीए सरकार बिहार कए विशेष पैकेज देबा लेल कमिटमेंट केने अछि। ओकर चुनाव घोषणा पत्र मे एकर चर्चा अछि। मुदा पांच वर्ष भ गेल यूपीए सरकार एकरा जानिबुझिकए बिसरबाक कोशिश करि रहल अछि। मोदी कहला जे जखन तक बिहार कए विशेष राज्य क दर्जा नहि भेटत ताबत धरि लेल विशेष पैकेज स्वीकृत हेबाक चाही।

युवराज कए नजरि गेल त खजाना खुलल : शिवानंद
पटना । जदयू प्रवक्ता और राज्यसभा सदस्य शिवानंद तिवारी कहला जे बुंदेलखंड कए विशेष पैकेज स्वीकृत भेला पर बिहार कए खुशी अछि। मुदा एहन पैकेज बिहार कए सेहो भेटबाक चाही। एहि मामला मे केंद्रीय कैबिनेट जेना बिहार कए नजरअंदाज केलक ओ संविधानिक अपराध अछि। एना नहि हेबाक चाही जे युवराज क नजरि गेल त खजाना खोलि देल गेल। भारतीय संविधान कए हवाला दैत तिवारी कहला जे संविधान मे सबकए बराबरी क हक देल गेल अछि। विशेष क पिछड़ल राज्य कए अलग स सहायता देबाक चर्चा अछि। मुदा, बाढ़ आ सूखा क स्थिति लगातार झेल रहल बिहार पर केंद्र क दृष्टि नहि जा रहल अछि।

Tags: bihar governmentnitish
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

गरीबी तय करबा लेल बनए पहचान आयोग

दलाई लामा अउताह बोधगया

Esamaad Epaper Website

2012 तक बनत निर्मल बिहार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि