पूर्णिया। पूर्व मध्य रेलवे क बनमनखी-पूर्णिया रेलखंड क बीच 21 नवंबर स मेगा ब्लॉक भ सकैत अछि। ओना एहि संबंध मे रेलवे एखनधरि कोनो सूचना जारी नहि केलक अछि। रेल सूत्रक कहब अछि जे मेगा ब्लॉक लेल उच्चाधिकारी स आदेश प्राप्त भ चुकल अछि। मेगा ब्लॉक क चर्चा स उक्त रेलखंड क रेल यात्री काफी खुश आ चिंतित छथि। ज्ञात हुए जे मधेपुरा स मुरलीगंज क बीच आमान परिवर्तन क कार्य पूरा भ चुकल अछि आ मुरलीगंज आ जानकीनगर क बीच कार्य युद्धस्तर पर जारी अछि। यात्री क मांग अछि जे मधेपुरा तक आबि रहल ट्रेन कए विस्तारित क मुरलीगंज तक चलाउल जाए, एकर पश्चात बनमनखी-पूर्णिया रेलखंड क बीच मेगा ब्लॉक लेल जाए। ओना मुख्य संरक्षा आयुक्त क आमान परिवर्तन कार्य क निरीक्षण भेलाक बाद ओके फिट रिपोर्ट भेटलाक बाद ट्रेन क परिचालन शुरू भ जाएत। ज्ञात हुए जे 2008 क सितंबर मे आयल बाढ़ क कारण आमान परिवर्तन क काज बिल्कुल ठप पडल छल।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna