• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बरसात स पहिने भेटत दरभंगा कए अंतरराष्‍ट्रीय बस पडाव

January 29, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा । एहि साल बरसात स पहिने दरभंगा कए अंतरराष्‍ट्रीय बस पडाव भेट जाएत। दरभंगा मे एखन धरि बस पडाव किरायाक जमीन पर चलि रहल अछि, मुदा आब जिला प्रशासन एकरा लेल एनएच 57 पर करीब 3.48 करोड क लागत स नवका बस पडाव क निर्माण शुरू क देलक अछि। दरभंगा बस पडाव पटनाक मीठापुर बस पडाव क बाद राज्‍य क दोसर अंतरराष्‍ट्रीय बस पडाव होएत। एकर निर्माण सेहो अंतरराष्‍ट्रीय स्‍तर क कैल जा रहल अछि। ज्ञात हुए जे एहि बस पडाव क निर्माण दू साल पूर्व शुरू भेल छल, मुदा दरभंगा एयरबेस स सटल रहबाक कारण वायुसेना एहि पर आपत्ति दर्ज क देने छल। वायुसेना क अधिकारी एहि संबंध में रक्षा मंत्रालय आ राज्‍य सरकार कए पत्र लिखि कहने छलाह जे बस पडाव भेला स एहि इलाका में गंदगी बढत आ चिडिया क आवागमन स वायुसेवा प्रभावित होएत। वायुसेना क आपत्ति क बाद एकर निर्माण रोकि देल गेल, मुदा बीचक रास्‍ता निकालबा लेल जिला प्रशासन लगातार वायुसेना स संपर्क में रहल। अत: वायुसेना एकरा लेल मंजूरी द देलक। जिलसधिकारी रवि कुमार एहि मंजूरी क बाद एहि परियोजना क कार्य एजेंसी ग्रामीण कार्य प्रमंडल कए एकर निर्माण मे तेजी अनबाक निर्देश देलथि अछि आ कहला अछि जे एहि बरसात स पहिने एकर निर्माण पूरा क लेल जाए। डीएम क निर्देशक बाद जमीन क समतलीकरण लेल मशीन दिन राति काज क रहल अछि, मुदा जानकारक कहब अछि जे बरसात तक दरभंगा में अंतरराष्‍ट्रीय स्‍तर क बस पडाव बनि सकत तेकर संभावना कम, एहन मे अगर जिला प्रशासन अर्धनिर्मित बस पडाव कए चालू करेबाक प्रयास करत त पूरा परियोजना ओहिने भ जाएत जेना पहिने होइत रहल अछि। ताहि लेल जरूरी अछि जे नवका बस पडाव कए तखने चालू करबा पर विचार कैल जाए जखन बस पडाव पूर्ण रूप स तैयार भ जाए।
ज्ञात हुए जे आजादी स पूर्व दरभंगा मे बस परिचालन भ रहल अछि। दरभंगा क पहिल बस पडाव रेलवे स्‍टेशन स सटल एकटा मैदान में बनल छल, जे आइ सेहो बीरान पडल अछि। 1980 में बस क संख्‍या आ यातायात कए बढैत भार देखि बस पडाव कए आयल चौराहा लग ल जैल गेल। मुदा महज 10 साल बाद बस स्‍टेंड कए केदराबाद स्थित ”राज अस्‍तबल” मे स्‍थानांतरित करि देल गेल। पिछला दू साल पहिने मिथिला विश्‍वविद्याय प्रशासन नगर निगम स एहि जमीन कए खाली करबा लेल कहने छल। एकर बाद जिला प्रशासन बस पडाव लेल एनएच 57 पर जमीन तकबा लेल प्रयास शुरू केलक। जेना-तेना आजादीक एतबा दिन बाद दरभंगा कए बस पडाव लेल अपन जमीन भेटल आ उम्‍मीद अछि जे एहि साल अंतरराष्‍ट्रीय स्‍तर क बस पडाव सेहो दरभंगा कए भेट जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

जयपुर साहित्‍य महोत्सव मे भेटल मैथिली कए नव पहचान

मिथिला एखनो पूज्‍यनीय अछि : सरिता

Esamaad Epaper Website

न दान, न भीख, चाही बस मजदूरी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि