पटना । भारी मशीनक आवाजक बीच औरंगाबाद क औद्योगिक परिसर मे एकटा इतिहास लिखा गेल। एकटा एहन सपना पूरा भेल जे 1950 क दशक मे देखल गेल छल। बिहार क लोहा, बिहारक मजदूर आ बिहार क बाजार हेबाक बावजूद साइकिल पंजाब स बनि कए बिहार अबैत छल। मुदा आब मेड इन बिहार क ठप्पा लागल साइकिल बाट पर उतरबा लेल तैयार अछि। औरंगाबाद क औद्योगिक परिसर स्थित नवनिर्मित साइकिल कारखाना मे बुधदिन बतौर ट्राइल स्पोक आ अन्य छोट मोट पुर्जाक उत्पादन शुरू भ गेल। गौरतलब अछि जे एखन तक बिहार मे साइकिल या त आयात होइत छल या फेर पुर्जा आयात क ओकरा जोडबाक काज होइत छल। मुदा आब बिहारक पहिल साइकिल निर्माण कंपनी अपन ब्रांड नेम यूएस साइकिलक संग उत्पादन शुरू क देलक अछि। उद्योगपति श्याम किशोर प्रसाद क इ सपना आब जमीन पर उतरि चुकल अछि। उद्योग विभाग सेहो श्री प्रसाद क एहि मे खूब मदद केलक अछि। एहि कंपनी क प्रस्ताव पर 6 नवंबर 2011 कए विभाग मंजूरी देने छल। एहि कारखाना मे एखन 22 इंच आ 24 इंच मॉडल क साइकिलक उत्पादन होएत। श्री प्रसाद कहला जे यूएस साइकिलक कोनो पुर्जा आयात नहि कैल जाएत। मूल फ्रेम, मडगार्ड, चेन कवर, स्पोक, रीम सहित कुल आठ टा महत्वपूर्ण हिस्सा क निर्माण एहि ठाम पूरा कैल जाएत।
जानकारीक अनुसार एहि कारखाना मे एखन प्रतिदिन एक हजार साइकिलक उत्पादन होएत, लेकिन कारखानाक क्षमता कुल दू हजार साइकिल उत्पादनक अछि। एहि साइकिल कारखाना मे सालाना चारि लाख साइकिल क उत्पादन भ सकैत अछि। श्री प्रसाद क कहब अछि जे कारखाना स उत्पादन शुरू भेलाक बाद क्षमता बढेबा लेल उद्योग विभाग स आग्रह कैल जाएत। ओ कहला जे एहि कारखाना स पहिल साइकिल 20 जून कए निकलत। संभवत: 10 जुलाई कए औपचारिक उदघाटन सेहो होएत। एहि लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स आग्रह कैल गेल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
Sambhavtah e saekil vikashak pahiya bani bihar me utarat. Chali saekile barobari muda Biharak Udyog aa economi me apan gati awasya pradan karat. Subhkamana achhi, Made in Biharak lebel sang saekil dauray aa sadati chalait rahay!!!!!