ममता शंकर
खगडिय़ा । बाढ़ लोकक जीवन शैली त बदलि दैत छल आब एकर संग-संग बच्चा क खेलेबाक रंग-ढंग कए सेहो बदलि देलक अछि। एहि ठामक स्कूली बच्चा लूडो क सांप-सीढ़ी खेल क माध्यम स प्राकृतिक आपदा प्रबंधन क ककहरा सीख रहल छथि।
नदी क नहियर क रूप मे मशहूर खगडिय़ा क स्कूल मे बच्चा कए बाढ़-बाढ़ खेलाइत देखल जा सकैत अछि। एहि ठाम स भ कए सातटा नदी जाइत अछि। बाढ़ खगडिय़ा कए एहि प्रकार स प्रभावित केलक अछि जे आब एहि ठाम घर बनेबा स ल कए कोनो टूर्नामेंट आयोजित करबा तक मे सावन-भादो क ख्याल रखल जाइत अछि। यानी कोनो टूर्नामेंट क आयोजन करैत काल बाढ़ क मौसम क ध्यान मे रखै पड़ैत अछि।
खैर, बाढ़ इंडोर गेम कए बढ़ावा जरूर देलक अछि। दोसर कात बाढ़ कए लकए खेल-खेल मे पढ़ाई क तकनीक सेहो विकसित कैल जा रहल अछि। निदान आ डीडीएच जर्मनी द्वारा किसान विकास ट्रस्ट आ सेव द चिल्ड्रेन क सहयोग स खगडिय़ा क बाढग़्रस्त स्कूली बच्चा क बीच एहन लूडो वितरित केलक अछि, जाहिमे सांप-सीढ़ी क खेल क माध्यम स बाढ़ स बचाव क उपाय आ एहि दौरान बरतय जाइ वाला सावधानी समेत अन्य जरूरी जानकारी देल गेल अछि। इ लूडो परंपरागत सांप-सीढ़ी क खेल स हटि कए अछि। एहि मे दर्शाउल गेल अछि जे अगर बच्चा साबुन स हाथ नहि धोबैत अछि, त कि नुकसान अछि।
सांप-सीढ़ी क बहुचर्चित खेल क माध्यम स बाढ़ क समय ऊंच स्थान पर गाड़ल हैंडपंप स पाइन पीबाक, डूबल हैंडपंप स पाइन नहि पीबाक, ओकरा ढंक कए रखबाक, बाढ़ क समय उपलब्ध पाइन कए उबालि कए पीबाक आदि जानकारी देल गेल अछि।
लूडो क ऊपर पैघ अक्षर मे लिखल अछि-आउ स्वास्थ, सफाई आ पोषण पर ध्यान दी। जखकि, लूडो क अंतिम कवर पर स्वास्थ्य आ सुरक्षा मानचित्र देल गेल अछि। जाहि मे कोसी नदी, बांध, विद्यालय, बाढ़ क जमा पाइन, दवाखाना आदि चित्रित कैल गेल अछि। किसान विकास ट्रस्ट क जिला संगठक कृष्ण मोहन सिंह क अनुसार एखन धरि सैकड़ों लूडो स्कूली बच्चा क बीच वितरित कैल जा चुकल अछि।