पटना : एनटीपीसी बाढ़ क चिमनी स धुआं निकलब शुरू भ गेल। कोयला क पहिल रैक सेहो थर्मल पावर स्टेशन पहुंच गेल अछि। जूनक पहिल सप्ताह मे पावर ट्रांसफार्मर क माध्यम स ग्रिड तक बिजली संचरण क परीक्षण सेहो क लेल जाएत। आब इ तय भ गेल जे 13 नंवबर, 2013 तक बाढ़ नेशनल थर्मल पावर (एनटीपीसी) क पहिल इकाई स उत्पादित बिजली उपलब्ध भ सकत। बिहार कए एहि स 330 मेगावाट बिजली भेटबाक अछि। फिलहाल, तेल स धमन भट्ठी मे ताप आ स्टीम क परीक्षण शुरू क देल गेल अछि ।
एनटीपीसी बाढ़ मे 660 मेगावाट उत्पादन क्षमता क पांचटा इकाइ स्थापित भ रहल अछि। चारित इकाई मे बिजली उत्पादन स लकए संचरण तक क सबटा प्रणाली क परीक्षण प्रक्रियाधीन अछि। हालांकि, अंतिम रूप स बिजली क आपूर्ति नवंबर, 2013 स शुरू हेबाक संभावना अछि। ओकर बाद नौ महीना क भीतर पांचम इकाई जुलाई 2014 मे उत्पादन शुरू करत।
बाढ़ एनटीपीसी क कुल उत्पादन क्षमता 3300 मेगावाट अछि। एहि मे बिहार क हिस्सा मे लगभग 1183 मेगावाट बिजली भेटबाक अछि । चारिम आ पांचम इकाई स 50 फीसदी बिजली बिहार कए भेटत जखनकि यूनिट एक, दू आ तीन मे राज्य क हिस्सेदारी 26.42 फीसद अछि। चारिम आ पांचम इकाई स कुल 660 मेगावाट आ शेष तीन इकाई स 523 मेगावाट आपूर्ति कैल जाएत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa