नई दिल्ली । पिछला पांच साल क दौरान बाढ़ प्रबंधन क काज मे सबस बेसी तत्परता बिहार देखेलक अछि। एहि लिहाज स पांच साल पहिने शुरू कैल गेल केंद्रीय योजना क तहत बिहार सबस बेसी 680.79 करोड़ टका हासिल केलक अछि। विशेष श्रेणीक राज्य मे असम सबस आगू अछि जखनकि हिमाचल प्रदेश आ जम्मू-कश्मीर बाढ़ प्रबंधन योजना क तहत सौ करोड़ टका स बेसी लेनिहार छहटा राज्य मे शामिल अछि।
केंद्रीय जल संसाधन मंत्री पवन कुमार बंसल क मुताबिक केंद्रीय मदद स शुरू कैल गेल ‘बाढ़ प्रबंधन योजना’ क फायदा उठेनिहार गैर विशेष श्रेणी क राज्य मे बिहार सबस आगू अछि। राज्य सरकार क प्रस्ताव पर वर्ष 2007-08 स एखन धरि कुल 43टा योजना कए एहि कार्यक्रम मे शामिल कैल जा चुकल अछि। इ योजना सब कुल 1370 करोड़ लागत क अछि। एकरा लेल केंद्र दिस स एखन तक 680.79 करोड़ टका जारी कैल जा चुकल अछि। एकटा स्थानीय दैनिक मे मंत्रालय क एक वरिष्ठ अधिकारी क सूत्र स कहल गेल अछि जे एहि योजना पर बिहार कए पहिल साल स लगातार सक्रिय रहबाक कारण इ मुमकिन भ सकल अछि।
11वीं पंचवर्षीय योजना मे पहिल बेर बाढ़ प्रबंधन लेल केंद्रीय मदद शुरू कैल गेल छल। देश भरि मे एकरा लेल एखन तक 24टा राज्य क 420 योजना कए शामिल कैल गेल अछि। केंद्रीय जल संसाधन मंत्रालय एहि पर एखन तक कुल 3500 करोड़ टका जारी क चुकल अछि। विशेष श्रेणी क राज्य मे एहि योजना क सबस बेसी लाभ असम उठेलक अछि। असमक बाद जम्मू-कश्मीर, हिमाचल प्रदेश आ उत्तराखंड अछि, जाहि ठाम योजना मे 90 फीसद रकम केंद्र सरकार दैत अछि। बाकी राज्य मे केंद्र क योगदान सिर्फ 75 फीसद होइत अछि। बिहार सन राज्य कोनो योजना मे एक चौथाई रकम अपन लगा रहल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper