• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home फीचर

बिनु बेटी क कोना होएत लक्ष्मी पूजा

November 11, 2012
in फीचर, समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

सुनील कुमार झा
‘यत्र नार्यस्तु पूज्यन्ते रमन्ते तत्र देवता:’। अर्थात जतए नारी क पूजा होइत अछि आहि ठाम देवता विराजैत छथि। मिथिला मे त लक्ष्‍मी बेटी क रूप मे जन्‍म लेने छथि आ बेटी लक्ष्‍मी रूपी मानल जाइत रहल अछि। मि‍थिला मे सांस्‍कृति क ह्रास एतबा भ गेल अछि जे आन समाज जेकां आइ मिथिला मे सेहो बेटी क महत्‍व कम भेल जा रहल अछि आ बेटा क लेल लोक बेटी संग भेदभाव शुरू क देलक अछि। बेटा-बेटी मे विभेद मिथिलाक नव संस्‍कृति अछि। बेटा जन्‍म पर तासा बजैत अछि, मुदा घर क आँगन मे बेटी क किलकारी लोक कए नीक नहि लगैत अछि। बेटी क जन्‍म पर घर मे पसरैत उदासी एक प्रकार स लक्ष्‍मी क अनादर कहल जा सकैत अछि। मिथिलाक इ नव संस्‍कार अभिशाप बनि चुकल अछि। आइ मैथ्रिल क घर पर चाहे आसमान स सोना किया नहि बरसैत होइन, मुदा “लक्ष्मी” माथ पर पैर राखि भागैत देखा रहल छथि। लक्ष्‍मीक बढैत उपेक्षाक कारण आइ मिथिला मे लक्ष्‍मी क आगमन त भ रहल अछि मुदा निवास नहि।
उत्तर बिहार खासकए बिहार मे दिवाली क तैयारी अमूमन दशहरा स शुरू भ जाइत अछि। घर क सफाई स ल कए रंगाई-पुताई सबटा काज होइत अछि। तरह-तरह क आयोजन क लक्ष्मी आ गणेश कए पूजा कैल जाइत अछि। हुनकर सवागत लेल मंत्रजाप कैल जाइत अछि जे लक्ष्मी आउ, हे गणेश जी आउ, हमर घर बिराजू। अहां हमर घर बसू। हमरा धन, धान्य आ समृधि प्रदान करू। मुदा पुरातन काल स चलैत आबि रहल इ परंपरा असरदार भ रहल अछि। देवी देवता आइ मैथिल क प्रार्थना सुनि रहल छथि। जखन घर क लक्ष्मी अर्थात बेटी उपेक्षा भ रहल हुए त माटी आ पाथर क मूर्ति क आराधना क फल केहन भेटत। जखन घर क लक्ष्मी उदास छथि त देवी लक्ष्मी कोना खुश भ सकैत छथि।
जी हाँ मिथिला आन समाज जेकां मिथिला मे सेहो बेटीक उपेक्षा दिन प्रति दिन बढल जा रहल अछि, मुदा मिथिला इ बिसरी जाइत अछि जे लक्ष्‍मी ओकर बेटी छथि आ इ सौभाग्‍य आन समाज कए नहि भेटल अछि। अवध में पुत्रवधु लक्ष्‍मी क दर्जा पबैत अछि, जखनकि मिथिला मे इ दर्जा बेटी कए भेटल अछि। मिथिला लेल बेटी क उपेक्षा सीधा लक्ष्‍मीक उपेक्षा अछि। बेटी क जन्‍म पर मिथिला मे मातम क परांपरा नव अछि। मिथिलाक संस्‍कृति मे बेटी क जन्‍म क अर्थ छल लख्‍मीक आगमन। मिथिला क संस्‍कृति मे बेटी लक्ष्मी क रूप होइत अछि। एहि ठाम बेटी कए लक्ष्मी या अन्नपूर्णा क दर्जा एहिना नहि देल जाइत अछि। एकरा लेल मिथिलाक स्त्री कठिन परिश्रम क माध्‍यम स तिनका-तिनका जोडि कए घर चलेबा मे महारथ रखैत छथि। मिथिला मे बेटी कए इ संस्‍कार सेहो देल जाइत रहल अछि जे एकटा सुखी स्त्री क अर्थ अछि जे ओकर सुखी परिवार हुए। गप चाहे नहियर क हुए या सासुर क बेटी क भूमिका मिथिला मे तय अछि।
समाज मे आबि रहल कुरीति आ अपसंस्‍कृति स मिथिला क पुरान संस्‍कृति आ मान्‍यता खत्‍म भेल जा रहल अछि। लक्ष्‍मी क आराधना करनिहार मिथिलाक समाज आइ माइक कोख में बेटी कए मारबाक काज क रहल अछि। लक्ष्‍मी कए अपन घर एबा स रोकि रहल अछि। आंकड़ा बता रहल अछि जे मिथिला में आब लक्ष्‍मी क इच्‍छा कम भेल जा रहल अछि। जेकर घर मे लक्ष्मी छथि ओहि ठाम ओ तिरस्कृत भ रहल छथि। मिथिला मे आब बेटी लक्ष्मी नहि कुल्टा, आ कुलाक्षिनी कहल जा रहल छथि। मिथिला मे बेटी टा नहि बल्कि महिला क प्रति नजरिया बदलि गेल अछि। समाज हुनका लाचार, अबला आ दया क दृष्टि स देखैत अछि। जखनकि धन, शक्ति आ बुद्धि क विभाग देवी लग अछि। आइ मिथिला मे दहेज रूपी दानव लक्ष्‍मी कए आंगन मे एबा स रोकि रहल अछि। दहेज क कारण लक्ष्मी नहि केवल समाज मे शोषित भ रहल छथि, बल्कि अपन घर मे सेहो तिरस्कृत भ रहल छथि। दहेज़ क लेल आगि मे झोंकल जा रहल छथि, इज्जत लेल मौत क घाट उतारल जा रहल छथि। भ्रूण हत्या क मामला मिथिला मे तेजी स बढी रहल अछि। एहन मे सवाल अछि जे आइ मै‍थिल कोन मुंह स लक्ष्‍मी क स्‍वागत लेल ढार छथि। घर मे लक्ष्मी क प्रवेश पर प्रतिबंध लगा लक्ष्‍मीक आवाहन क इ टिटमहा किया कैल जा रहल अछि। जखन लक्ष्‍मी क भ्रूण हत्‍या होएत त लक्ष्मी कोना अउतीह।
लक्ष्मी पूजा मिथिला लेल सही अर्थ मे बेटी क पूजा छी। अपन घर क बेटी क विकास मे अपन योगदान द, ओकर काज क सराहना क असल मायने मे लक्ष्मी क पूजा भ सकैत अछि। अपन घर क लक्ष्‍मी क हंसी स घर क सुख, समृधि, आ वैभव बढैत अछि। असल मे लक्ष्मी क पूजा कोनो माटीक मूर्ति कए पूजला स सार्थक नहि भ सकैत अछि, एकर पाछु क महात्‍म कए बुझब जरूरी अछि। त आउ एहि लक्ष्मी पूजा पर प्रण ली जे घर क लक्ष्‍मी क हंसी सुनब। देखू कोना अहांक घर मे धन-धान्य, वैभव, आ समृधि अबैत अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

परिषद केलक मैथिली नाटक क आयोजन

नहि रहलाह राजीव, श्रद्धांजलि

पिया जी लौट एलाह अछि गाम

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

दरभंगाक रंगमंचक अन्हार दुर कए रहल छथि‍ प्रकाश

by संपादक
December 22, 2017
0

Read more

तिरहुतक पहिल कारोबारी शहर छल नाथपुर

by संपादक
March 15, 2018
0

Read more

अध्यात्मिक और शैक्षणिक दृष्टिकोण सँ प्रख्यात रहल अछि लोहना पाठशाला 

by संपादक
September 4, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि