पटना : बिहारक एकटा गाम कए राष्ट्रीय पक्षी मोर क प्रजनन केंद्र क रूप मे विकसित करबाक योजना बनाउल जा रहल अछि। एकर जानकारी दैतवन विभाग क अधिकारी कहला जे पूर्वी चंपारण क माधोपुर गोविंद गाम मे करीब 500 मोर अछि। मोर क एतबा संख्या कए दखैत एहि गाम कए एहि काज लेल संग्रहित कैल जा रहल अछि। एहि गाम कए लोक मोर गाम सेहो कहैत छथि।
वन अधिकारी एलबी मांझी कहला, “सरकार गाम मे राष्ट्रीय पक्षी लेल एकटा प्रजनन केंद्र स्थापित करबाक फैसला लेलक अछि। एहि गाम मे कोनो ठाम मोर क झुड देखब आम गप अछि, मुदा आन ठाम इ दुर्लभ भ गेल अछि।” मांझी कहला जे राज्य क मुख्य वन्यजीव संरक्षक बीएन झा पिछला सप्ताह जिला वन विभाग कए गाम कए मोर प्रजनन केंद्र क रूप मे विकसित करबाक खाका तैयार करबाक निर्देश देलथि।
मांझी कहला, “वन विभाग एहि दिशा मे काज शुरू क चुकल अछि।” अधिकारी क अनुसार, वन विभाग एहि काज लेल जल संसाधन विभाग क खाली पड़ल जमीन क इस्तेमाल करत। जमीन क तारबंदी कैल जाएत आ एकटा पोखरि कोरल जाएत। एकटा अन्य अधिकारी कहला जे चिह्न्ति क्षेत्र मे आओर पोखरि क चारूकात पौधरोपण कैल जाएत ताकि मोरनि ओहि ठाम अपन अंडा दे सकए।
पिछला साल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि गामक दौरा केने छलाह आ अधिकारी कए मोर क संरक्षण लेल योजना तैयार करबाक निर्देश देने छलाह। वन विभाग क एकटा अधिकारी कहलाह जे वर्ष 1950 मे चंद्रिका सिंह नामक एकटा व्यक्ति गाम मे मोर क एकटा जोड़ा अनने छल। समय बीतलाक संग मोर क संख्या बढ़ैत गेल। गाम क लोक क मोर क प्रति प्रेम क नतीजा रहल जे एहि ठाम मोर क शिकार पूर्ण रूप स प्रतिबंधित अछि। मोर क प्यास बुझेबा लेल गाम क लोग गाम में कईटा पोखरि कोरलथि आ गाछ क कटाई रोकल गेल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa