पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मंगलदिन बेली रोड मे प्रस्तावित बिहारक सबस पैघ फ्लाईओवर क कार्यारंभ केलथि। बेली रोड पर इ दोसर फ्लाईओवर होएत। बिहार राज्य पुल निर्माण निगम क देखरेख मे बनि रहल इ फ्लाईओवर बेली रोड मे गोल्फ क्लब स आरंभ भ कए जगदेव पथ क आगू बनल फ्लाईओवर स कनि पहिने उतरत। एकर खासियत इ अछि जे एकरा एलिवेटेड सिस्टम क तहत बनाउल जाएत। फ्लाईओवर क नीचा सेहो वाहन क परिचालन होइत रहत।
फ्लाईओवर क कार्यारंभ क अवसर पर नीतीश कुमार आरजेडी चीफ लालू प्रसाद क नाम लेने बिना कहला जे किछु लोक हुनकर सरकार कए अस्थिर करबाक कोशिश क रहल अछि मुदा ओ अपन मकसद मे कामयाब नहि भ पाबि रहल छथि। नीतीशक इशारा हुनका पर लगातार भ रहल हमला पर छल। नीतीश कहला जे किछु लोक ‘बेसब्री वायरस’ स ग्रस्त छथि। मधुबनी क प्रशांत झा क हत्या क अफवाह पर फेर विरोध प्रदर्शन पर नीतीश कहला जे इ पूरा प्रकरण क अंत विपक्ष लेल ऐंटि-क्लाइमैक्स क रूप मे भेल। नीतीश कुमार कहला जे किछु लोक पुलिस कए जांच लेल समय देबाक बदला मे अपने जांचकर्ता बनबाक कोशिश मे लागि जाइत छथि जे समाज लेल सही नहि अछि।
फ्लाईओवर क डिजायन क संबंध मे भेटल जानकारी क अनुसार 2.7 किमी लंबा इ फ्लाईओवर चारि लेन क अछि जाहि पर ओहने वाहन जा सकत जेकरा बेली रोड स्थित गोल्फ क्लब स वाया जगदेव पथ होइत सीधा सगुना मोड़ तक जेबाक रहत। बीच मे एकर कोनो लेग नहि अछि। ऊपर मे इ 22 मीटर चौड़ा होएत। सिंगल पिलर पर तैयार भ रहल एहि फ्लाईओवर क कोनो लेग बीच मे कतहु नहि खसत। बेली रोड मे इ फोरेंसिंक साइंस लेबोरेट्री (एफएसएल) क समीप स शुरू भ कए सीधा जगदेव पथ क आगू खसत। जगदेव पथ क समीप जंक्शन बनेबाक योजना अछि। फ्लाईओवर क नीचा केवल दो मीटर बीच क हिस्सा क इस्तेमाल एहि फ्लाईओवर लेल कैल जाएत। शेष में पूर्व क भांति परिचालन जारी रहत।
दोसर दिस आइ स शुरू भेल काज कए देखैत पुल निर्माण निगम निर्माण अवधि मे जाम स बचबा लेल दानापुर दिस स आबि रहल वाहन कए जगदेव पथ क भीतरी हिस्सा दिस मोड़बाक व्यवस्था क देलक अछि। ओतहि दानापुर दिस जा रहल वाहन कए शेखपुरा मोड़ स मोडि देलक अछि। निर्माण क पहिल चरण मे बिजली क खंभा हटाउल जा रहल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna